मिथिला चित्रकला – कृष्णाष्टमीक शुभ अवसर पर एक नव कलाकार केर सुन्दरतम् कलाकृति

२४ अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

जाले, दरभंगा निवासी रीना झा एक नव कलाकार छथि। मिथिला चित्रकला बनेबाक लुरि बस देखिते-बुझिते सीखने छथि। एहि कलाकारक ग्रामीण मैथिली कवि एवं सामाजिक-राजनीतिक कार्यकर्ता अपन फेसबुक सँ लिखैत छथि, “हमर ग्रामीण जे हमर भतीजी लगती से बिना कोनो प्रशिक्षण के अपन सासुर मे ई मिथिला पेंटिंग बनेली अछि। अपने सब आशीष दियौन!”

रीना झा द्वारा बनायल गेल ई मिथिला चित्रकला मे राधा आ कृष्ण छथि। कृष्णाष्टमीक शुभ अवसर पर एकरा मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित करैत नहि केवल एक नव कलाकारक नाम सोझाँ आनि रहल छी, बल्कि एकटा महत्वपूर्ण सन्देश सेहो – ओ ई जे, “मिथिला चित्रकला मे कनिकबे मेहनति सँ अहाँ नीक चित्रकार बनि सकैत छी, जे एकटा नीक करियर सेहो दय सकैत अछि। अहाँ एहि चित्रकला सँ नीक आमदनी सेहो कमा सकैत छी घरे बैसल।”