मधुबनी रेलवे स्टेशन केँ मिथिला पेन्टिंग सँ सजावट लेल विश्व रेकर्ड मे दर्ज होयत नाम

२४ अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

कहल जाइत छैक जे अहाँ अपन सर्वोत्तम लगानी करू, परिणाम सेहो सर्वोत्तम जरूर भेटत। बिल्कुल यैह बात सच भऽ रहल अछि मधुबनी रेलवे स्टेशन पर मिथिला पेन्टिंग सँ सजायल गेल देवाल आर तदोपरान्त देश-विदेश मे पसैर रहल एकर नाम सँ।

क्राफ्टवाला नाम सँ एहि तरहक सकारात्मक कार्य करबाक लेल मिथिला पेन्टिंग केर विभिन्न कलाकार लोकनि केँ समुचित प्रेरणा देनिहार राकेश कुमार झा होइथ या फेर तत्कालीन समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम – ई सुझ-बुझ जिनका सब में एलनि आर जाहि कोनो हिसाब सँ एकत्रित भावनाक संग ई महत्वपूर्ण कार्य कयलनि, करबेलनि – आइ देश-विदेश सब तैर नाम कमा रहल अछि। आइ मधुबनी रेलवे स्टेशन पर कयल गेल ई प्रेरणास्पद कार्य केर अनुकरण करैत देशक कतेको रास रेल तथा रेलवे स्टेशन सहित बिहारक राजधानी पटना तक मे जहाँ-तहाँ मिथिला पेन्टिंग सँ साज-सज्जा कयल गेल अछि। मधुबनी रेलवे स्टेशन केँ देशक स्वच्छ स्टेशन केर पुरस्कार आ प्रतिष्ठा सेहो भेटल। हालहि एहि पर आधारित एकटा डकुमेन्ट्री फिल्म केँ सेहो पुरस्कृत कयल गेल अछि।

बीच मे एकटा विवाद सेहो बड जोर-सोर सँ प्रचारित भेल जाहि मे कहल गेल छल जे कलाकार सभ केँ कोनो तरहक भत्ता-सुविधाक भुगतानी नहि करायल जा सकल, नहिये कलाकार सब केँ देल गेल एकटा पैघ आश्वासन जे गिनीज बुक अफ वर्ल्ड रेकर्ड मे एकरा शामिल कयल जायत, सेहो पूरा नहि कयल जा सकल छल। एहि सन्दर्भ राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय मीडिया मे पर्यन्त कतेको तरहक समाचार सब प्रकाशित भेल रहय। डीआरएम आर के जैन सहित विभिन्न कलाकार आ क्राफ्टवाला आदिक बीच एक तरहक घमर्थन सँ सोशल मीडिया सेहो दलमलित भेल छल। मुदा आब ओहि अथक परिश्रम केर सुन्दर-सुन्दर परिणाम सब सोझाँ प्रकट होमय लागल अछि। एखन शुभ समाचार ई अछि जे गोल्डेन बुक अफ वर्ल्ड रेकर्ड (अमेरिका) द्वारा मधुबनी स्टेशन पर कयल गेल महान प्रयास केँ ‘लार्जेस्ट ओपन मिथिला आर्ट गैलरी’ केर नाम सँ अलंकृत-सम्मानित कयल जायत।

पुनः क्राफ्टवला समूह संग सदाशयता देखबैत एइऔन मार्केट रिसर्च प्रा. लि. तथा बामदेव योगा साइंस एन्ड रिसर्च सेन्टर केर संयुक्त प्रयास सँ गोल्डेन बुक अफ वर्ल्ड रेकर्ड द्वारा ई सम्मान आगामी २७ सितम्बर केँ मधुबनी मे हस्तान्तरित कयल जायत। बामदेव योगाक संचालक तथा हालहि अटल मिथिला सम्मान सँ विभूषित व्यक्तित्व योगाचार्य रवि व्योम कहलनि जे एहि अवसर पर राज्यक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ प्रमुख अतिथिक तौर पर आमंत्रित कयल गेलनि अछि जे विश्व परिधि मे बिहार राज्यक युएसपीक रूप मे मिथिला पेन्टिंग लेल काफी उदार सेहो छथि आर सौराठ मे मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण संस्थान केर शुरुआत सेहो कयलनि अछि। गोल्डेन बुक ऑफ रिकॉर्ड केर प्रतिनिधि एहि सँ पहिने दुइ बेर आधिकारिक रूप सँ स्थल निरीक्षण कार्य कय केँ जा चुकल छथि, आर अन्ततः बिहार केर नाम एक विश्व कीर्त्तिमान Largest Open Mithila Art Gallery केर नाम सँ स्थापित होयत। आगामी २७ सितम्बर २०१९ केँ वर्ल्ड रिकॉर्ड बुक केर प्रमुख प्रतिनिधि लोकनि अमेरिका सँ मधुबनी एबाक निश्चित भेल अछि, जतत उपस्थित जनसमूह केर मध्य वर्ल्ड रिकॉर्ड केर प्रमाणपत्र कलाकार लोकनि केँ संग-संग पूरे बिहार केर मुखिया होयबाक नाते समस्त मिथिलावासीक दिश सँ अपेक्षा नीतीश कुमार जी सँ रखैत मिथिला पेटिंग केर वर्ल्ड रिकॉर्ड केर सर्टिफिकेट जे कि गोल्डेन बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड केर एशिया प्रमुख द्वारा मधुबनी मे देल जायत से हुनकहि करकमल सँ ग्रहण करबाक अनुरोध पत्र लिखल गेल अछि।

श्री व्योम एहि अवसर पर भारत आ नेपाल केर अनेकों गणमान्य आ खासकय मैथिली-मिथिला लेल बहुचर्चित व्यक्तित्व सभ केँ आमंत्रित करबाक बात सेहो जानकारी देलनि अछि।