दिल्लीक पाँच सितारा होटल मे बाँटल गेल बहुचर्चित ‘अटल मिथिला सम्मान २०१९’

दिल्लीक ले मीरिडियन पाँच सितारा होटल मे दर्जनों लोक केँ भेटलनि अटल मिथिला सम्मान

१७ अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

श्रीचन्द कामत, नई दिल्ली। 

मैथिली ठाकुर, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, अजय झा सहित देश-विदेशक दुइ दर्जन प्रसिद्ध व्यक्तित्व केँ “अटल मिथिला सम्मान २०१९” कयल गेलनि प्रदान,

मुख्य अतिथि भारतक केन्द्रीय रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह, भाजपा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा, सुप्रसिद्ध गायक उदित नारायण एवं अल्का याज्ञनिक व अन्य

आइ अगस्त महीनाक १७ तारीख शनि दिन भारतक पूर्व प्रधानमंत्री तथा अति लोकप्रिय नेता अटल बिहारी वाजपेयी केर याद में लगातार तेसर बेर “हिन्द पोस्ट मीडिया” द्वारा देशक नामी-गिरामी हस्ती सब केँ “अटल मिथिला सम्मान-२०१९” प्रदान कयल गेल अछि। आर कार्यक्रम सभक प्रारूप सँ बहुत भिन्न तथा अपन अलगे सेखी लेल जानल जायवला ई सम्मान समारोह पूर्व वर्षक भाँति अहु बेर दिल्लीक एक पाँच-सितारा होटल “ली मेरिडियन” मे हर्षोल्लास सँग सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि।
एहि सुंदर आयोजनक लेल हिन्द पोस्ट मीडियाक संचालक प्रदीप झा एवम् पंकज झा सहित समस्त कार्यकर्ता केँ भव्य समारोहक संग अति-सम्माननीय राष्ट्रीय नेता अटलजीक नामक संग मिथिला केँ विश्व पटल पर प्रसार करबाक लेल उपस्थित जनसमूह तथा विशिष्ट अतिथि लोकनि भरपूर बधाई दैत धन्यवाद सेहो कयलनि।
जनतब भेटय जे एहि वर्षक अटल मिथिला सम्मान समारोह मे पद्म विभूषण पार्श्वगायक उदित नारायण झा, पार्श्वगायिका अल्का याज्ञनिक, मिथिला के शान मैथिली ठाकुर, केंद्रीय रक्षा मंत्री श्री राजनाथ सिंह, भाजपाक वरिष्ठ नेता एवम् राज्यसभा सांसद प्रभात झा, भारत के संग संग खाड़ी देश के जानल मानल उद्योगपति डॉ॰ बी॰आर॰शेट्टी, मैथिली भोजपुरी अकादमी, दिल्ली केर उपाध्यक्ष श्री नीरज पाठक आदि गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह ।
वर्ष २०१९ केर अटल मिथिला सम्मान पार्श्वगायिका अल्का याज्ञनिक, मिथिला में जन जन के आवाज आ हैलो मिथिला के प्रसिद्ध उदघोषक धीरेंद्र प्रेमर्षि, आ मिथिला के आन बान शान आ प्रसिद्ध गायिका मैथिली ठाकुर, अन्तर्राष्ट्रीय परिधि मे जगजियार मैथिल उद्योगपति अजय झा सहित २ दर्जन आओर हस्ती सभ केँ देल गेल अछि ।
मंच संचालन आशा प्रदीप झा तथा मैथिलीक चर्चित उद्घोषक किसलय कृष्ण कयलनि, ओत्तहि प्रदीप झा स्वयं समस्त अतिथि ओ सहभागी लोकनिक विशेष ध्यान रखैत कार्यक्रम मे पूर्ण स्फूर्तिक संग सक्रिय व्यवस्थापन करैत देखेलाह । अतिथि सभक स्वागतक संग-संग कार्यक्रमक सम्पूर्ण प्रारूप पर ध्यान रखबाक अपन चिर-परिचित अन्दाज मे बीच-बीच मे गायक सभक कार्यक्रमक फोटो सेहो उतारैत प्रदीप झा अपन लोकप्रिय मुस्कानक संग एहि आयोजन केँ सफल कयलनि।
कार्यक्रम केर अन्य संयोजक दीपक झा आर हिन्द पोस्ट मिडियाक तमाम सदस्य लोकनिक आभार मिथिला संसार व्यक्त करैत रहत, कारण अटल मिथिला सम्मान नहि मात्र मैथिल सर्जक केँ बल्कि अन्य देशवासी केँ सेहो देल जाएछ आर एहि सँ सम्माननीय नेताक नामक संग मिथिलाक नाम सेहो आगू बढैत अछि – श्रोता-सहभागी मैथिल अभियानी लोकनि अपन प्रतिक्रिया दैत ई भावना रखलैन।
सम्पूर्ण प्रस्तुति पूर्णरूपेण व्यवस्थित आ समय सारिणी मे बान्हल छल। दिल्ली एनसीआर मे रहि रहला लाखों मैथिलीभाषी द्वारा अपनहि मातृभाषाक संग मौलिक मिथिला संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन हेतु संजीवनी जेकाँ काज करय ई कार्यक्रम – हमरा सभक यैह प्रयास हेबाक चाही – आयोजक अपन भावना रखैत कहलैन।
एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि भारतीय रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह– देश मे सभक प्रिय नेता सम्माननीय स्वर्गीय अटल बिहारी वाजपेयीक मिथिला प्रेम केँ ई सम्मान युगों-युगों तक आगू बढायत आर एहि तरहक आयोजन सँ भारतक अति-प्राचीन सभ्यता मिथिलाक सेहो दूर-दूर धरि प्रचार-प्रसार होयत से विश्वास जतौलनि।
वरिष्ठ नेता प्रभात झा सेहो मैथिली प्रति द्वारा दिवंगत नेता तथा पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजीक विशेष अनुराग होयबाक, संगहि मिथिला क्षेत्रक विकास लेल सेहो हुनक प्रतिबद्धताक विभिन्न अविस्मरणीय उदाहरण सब रखैत मैथिल जनमानस हुनका प्रति सदैव कृतज्ञ रहबाक बात कहलैन। अटलजी कुन तरहें मैथिली केँ संविधानक अष्टम अनुसूची मे राखि सम्मान देलाह तेकर खास चर्चा करैत नेता झा कहलैन जे मिथिला सँ हिनकर प्रेम प्रगाढ़ छलनि। अटलजी अपन नामहि जेकाँ अपन बात पर अटल रहैत छलाह तें ओ सर्वप्रिय नेता कहल जाएत छथि। देश के नव निर्माण में अटलजीक योगदान सराहनीय अछि। प्रभात झा जी हिन्द पोस्ट मीडिया केर एहि आयोजन प्रति आभार प्रकट करैत कहलाह जे अटलजीक जीवनकाल मे एहि तरहक प्रयास देशहि मे पहिल थिक, एहि लेल आयोजक केँ जतेक धन्यवाद कयल जाय ओ कम्मे होयत।
कार्यक्रमक अंत मे सुप्रसिद्ध गायक उदित नारायण झा , सुप्रसिद्ध गायिका अल्का याज्ञनिक आ मैथिली ठाकुर किछु हिन्दी आ मैथिली गीतक प्रस्तुति सब रखलैन । जलपानक उत्तम प्रबन्ध छल ।