दहेज मुक्त मिथिला केर विधिवत् शाखाक उद्घाटन विराटनगर मे, अध्यक्ष भाष्कर चौधरी

२९ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

विराटनगर में दहेज मुक्त मिथिला केर शाखा खुजल, अध्यक्ष में श्री भास्कर चौधरी केर कयल गेलनि मनोनयन

नेपाल तथा भारत मे स्थापित दहेज मुक्त मिथिलाक मुहिम केँ विधिवत् विराटनगर मे नव ईकाई खोलिकय आगू बढायल गेल अछि। दहेज मुक्त मिथिला नेपालक संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा द्वारा २७ जुलाई विराटनगर केर मैथिली स्टडी प्वाइन्ट मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन लेल कयल गेल बैसार मे डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू, डा. महेन्द्र नारायण राम, प्रो. जीवकान्त मिश्र सहित अनेकों गणमान्य लोकनिक उपस्थिति मे दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरीक हाथ सँ संस्थाक विधान पुस्तिका सहित नगद ५ हजार कोष नवनियुक्त अध्यक्ष भाष्कर चौधरी केँ हस्तान्तरण कयलनि। एहि अवसर पर अध्यक्ष चौधरी संग कुल ९ सदस्यीय कार्यकारिणीक गठन कयल गेल अछि। भाष्कर चौधरी कहलनि जे शीघ्रहि सदस्यता अभियान आ कार्यकारिणी विस्तार केर कार्य एहि विराटनगर मे कयल जायत तथा शाखाक अपन बैंक खाता आदि सेहो खोलल जायत। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ बधाई अध्यक्ष Bhashkar Chaudhary जी, सम्पूर्ण 9 सदस्यीय कार्यकारिणी केँ बधाई, आशा संग विश्वास अछि जे मुहिम जल्द जमीन पर लोक सब केँ दहेजरूपी दानव सँ मुक्ति पाबय में उचित मदति करत। दहेज मुक्त मिथिला केर अंतर्राष्ट्रीय संयोजक एवं नेपालक संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा केर हाथे कार्यभार ग्रहण करैत अध्यक्ष भास्कर चौधरी काल्हि 27 जुलाई सँ कार्य आरम्भ कयलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

4 + 5 =