दरभंगा एयरपोर्ट केर निर्माण कार्य जल्द पूरा होः संजय झा

२५ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

गये दिन सामाजिक संजाल मे एहि बात पर चर्चा कयल जाइत अछि जे लोकसभा चुनाव सँ पहिनहि दरभंगा मे एयरपोर्ट संचालन आ एम्स खुलबाक घोषणा मिथिलाक चर्चित नेता संजय झा द्वारा कयल गेल छल जे चुनावक बाद शिथिल भऽ गेल, आर त आर दरभंगा सँ स्पाइसजेट केर विमान संचालन होयबाक तिथि सेहो आगू बढा देल गेल। काफी गंथन-मंथनक बीच ई पता चलल जे दरभंगा मे एयरपोर्ट निर्माण कार्य जाहि सँ जनता लेल हवाई सेवा सुचारू कयल जा सकय से एखन धरि पूरा नहि भऽ सकल अछि। एहि सम्बन्ध मे नेता संजय झा केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री हरदीप सिंह पुरी सँ दिल्ली मे भेंटघांट करैत जनाकांक्षा मुताबि एयरपोर्ट शीघ्रातिशीघ्र चालू करेबाक मांग रखने छलाह। आइ संजय झा द्वारा दरभंगा एयरपोर्ट पर निर्माण कार्य सम्बन्धी माननीय उड्डयन मंत्रीक पत्रक सन्दर्भ संग निर्माण कार्य मे आरो समय लगबाक बात उजागर कयल गेल अछि। एकर उचित कारण सेहो बतायल गेल अछि जे बिटुमीन (अलकतरा) केर अभाव मे ई कार्य एखन धरि पूरा नहि भऽ सकल अछि। देखू संजय झा केर अपडेट हिन्दी मेः

“दरभंगा एयरपोर्ट को लेकर कुछ महत्वपूर्ण बातें या यूं कहें तो स्टेटस रिपोर्ट आप सभी से साझा कर रहा हूं। बीते 30 जून को केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री श्री हरदीप सिंह पुरी जी से दिल्ली में मिला था। उन्हें दरभंगा एयरपोर्ट पर चल रहे निर्माण कार्य में संवेदक की लेटलतीफी से अवगत कराया था और जल्द से जल्द निर्माण कार्य संपन्न करवाने के लिए आग्रह किया था। उसी मुलाकात के आलोक में माननीय मंत्री जी का पत्र प्राप्त हुआ है, जिसमें स्टेटस रिपोर्ट भी शामिल है।

बिटुमिन के अभाव के कारण रनवे स्ट्रेंथनिंग में देरी की बात कही गई है। इसके लिए एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया (AAI) के चेयरमैन ने इंडियन ऑयल कॉर्पोरेशन लिमिटेड (IOCL) के चेयरमैन से दरभंगा एयरपोर्ट के लिए प्राथमिकता से बिटुमिन उपलब्ध करवाने का आग्रह किया है। इसके लिए सहमति भी प्रदान की गई है। अभी तक 24 प्रतिशत कार्य संपन्न हुआ है। मानसून को देखते हुए अनुमान है कि इसी वर्ष नवंबर तक रनवे स्ट्रेंथनिंग का काम पूरा हो जाएगा।

अंतरिम टर्मिनल बिल्डिंग का काम भी जारी है। 45 प्रतिशत काम पूरा हो चुका है। अगस्त तक इसके पूर्ण होने की संभावना है। मुझे पूर्ण विश्वास है कि जल्द से जल्द दरभंगा एयरपोर्ट पर निर्माणकार्य संपन्न हो जाएगा।”

आशा करी जे एयरपोर्ट पर ई सब अधूरा कार्य जल्द पूरा होयत आर जनताक इच्छा जे एतय सँ हवाई सेवा उपभोग करी से पूरा होयत।