ज्योतिरिश्वर रंग सम्मान एवं श्याम दरिहरे रंग सम्मान देबाक घोषणा केलक मैलोरंग दिल्ली

२५ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली लोक रंग अर्थात् मैलोरंग – नई दिल्ली द्वारा २०१९ केर दुइ गोट महत्वपूर्ण सम्मान मैथिली रंगक्षेत्रक दुइ महान् हस्ती केँ देबाक निर्णय कयल गेल अछि जाहि सम्बन्ध मे संस्थाक संचालक डा. प्रकाश झा कहलनि अछिः

डा. कमल मोहन चुन्नू

“ज्योतिरीश्वर रंग सम्मान -2019 स’ सम्मानित होयताह डॉ. कमल मोहन चुन्नू (सहरसा). सर केँ बहुत बहुत बधाई, संगहि एहि सम्मान लेल डॉ. चुन्नू जीक चयन करबा लेल चयनसमिति केँ हार्दिक आभार. सम्मानक घोषणा करैत मैलोरंग हर्षित अछि.

श्याम दरिहरे रंग सम्मान -2019 स’ सम्मानित होयताह श्री रोहिणी रमन झा (पटना). सर केँ बहुत बहुत बधाई, संगहि एहि सम्मान लेल श्री रोहिणी जीक चयन करबा लेल चयनसमिति केँ हार्दिक आभार. सम्मानक घोषणा करैत मैलोरंग हर्षित अछि.”

रोहिनी रमण झा

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ दुनू स्रष्टागण केँ बहुत रास बधाई, संगहि एहि तरहक सम्मान केँ निरन्तरता मे भाषा, साहित्य, संस्कृति, समाज आ आत्मसम्मान केर पृष्ठपोषण करय मे मैलोरंग अपन भूमिका सदिखन निभाबैत आबि रहल अछि ताहि लेल समस्त मिथिलावासीक तरफ सँ आभार प्रकट करैत छी।

हरिः हरः!!

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 4 =