मुम्बई प्रवासी मैथिल द्वारा महाबैसार – आन्दोलन शुरू होयबाक बनि रहल अछि संभावना

सूचना

प्रेषकः दीपक कुमार मैथिल, मुम्बई, २५ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

फोटोः फाइल

“महाबैसार : २८ जुलाई, २०१९”
*********
सप्रेम-आमंत्रण
******
सेवामे,
मुंबई प्रावाशी मैथिल,
मुंबई ।

आगामी २८ जुलाई, २०१९ यथा रविदिन ४.०० बजे दिनसँ कांदिवली स्थित ७ स्टार हॉस्पिटल, आशानगर, कांदिवली (पू०) मे मुंबई प्रवासी मैथिल समाजक महाबैसारक आयोजन कयल जा रहल अछि ।

विदित हो कि आर्थिक राजधानी मुंबईमे लाखोंक संख्यामे मिथिलावासी अपन संस्कृति, संस्कार एवम् प्रतिभाके रक्षण-संवर्द्धन करैत जीवनयापन कS रहल छथि । मुंबई महानगर केर विकास यात्रामे मिथिलावासीक योगदान स्तुत्य अछि । मुदा मिथिलावासीक प्रमुख समस्या रेलक यात्रा अछि । चाहे गर्मी छुट्टीक समय गाम-घर जेबाक यात्रा हो वा कोनो अवसर विशेष पर यात्रा हो, दरभंगा, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, मधुबनी वा जयनगर एकमात्र पवन एक्सप्रेस (दरभंगा-एक्सप्रेस) केर रूपमे नियमित ट्रेन केर अतिरिक्त अन्य कोनो साधन हमरालोकनिक समक्ष उपलब्ध नञि अछि । अनेकों बेर सामाजिक संगठन केन्द्र सरकारक समक्ष एहि समस्याक स्थायी समाधानक लेल गुहार कS चुकल अछि मुदा केन्द्र सरकार कुम्भकरणी निद्रामे तेनां ने सूतल अछि जकर कोनो उत्तर नञि ।

महाबैसारक मात्र एक्कहिं उद्वेश्य अछि – मुंबई सँ दरभंगा, मधुबनी एवम् जयनगर हेतु नियमित अतिरिक्त द्रूतगामी रेल परिचालनक व्यवस्था करायब ।

ई बैसार कोनो संस्था द्वारा आयोजित नहि कयल जा रहल अछि । महाबैसारमे समस्त मिथिलावासी सादर आमंत्रित छी । बैसारमे उपस्थित मान्यवरगण द्वारा सामूहिक निर्णय एवम् चर्चा केर उपरांत आगूक गतिविधि निर्धारित कयल जायत । बैसारमे सर्वसम्मति सँ जे निर्णय लेल जायत ताहिके अनुपालन करैत रेलयात्रा संबंधित समस्याक स्थायी समाधान-निदानक लेल तत्पर होयब एकमात्र उद्वेश्य ।

एतदर्थ, अपने समस्त महानुभाव सँ निवेदन जे बेशी सँ बेशी संख्यामे उपस्थित भS एकजुटताक संग एवम् सामूहिक निर्णय लैत समाजक कल्याणक निमित्त विलक्षण उदाहरण प्रस्तुत करी ।

“बैसारक एजेंडा”
*****
१) एहि सामूहिक जनसमस्याके क्रियाशील, गतिशील एवम् संघर्षशील बनेबाक हेतु एकटा कमिटिकें गठन हो, जाहिमे स्वतः अपन अंतरात्माके आवाज सुनि अपन-अपन नाम अंकित कराबी ।

२) महाबैसारमे प्रत्येक सदस्य व महानुभावकें समस्याक समाधानमे विचार प्रस्तुत करबाक लेल ५-१० मिनटके समय देल जायत ।

३) मुंबई एवम् उपनगर क्षेत्रमे जतेक संस्था व संगठन कार्यरत अछि, जँ एहि महामुहिममे सहभागी बनS चाहैत छथि कृपया अपन संस्थाक लेटर पैड पर रेलमंत्री, भारत सरकार केर नाम सँ ज्ञापण संगहिं हस्ताक्षरयुक्त पत्र महाबैसारमे प्रस्तुत करैथ ।

४) एहि सामूहिक जनसमस्याक समाधान हेतु जे किछु व्यय वा खर्च होयत, ताहिक लेल कोनो तरहक चन्दा नञि लेल जायत । कर्मयोगी अभियानी स्वयं अपना खर्चा केर माध्यमें अभियानक हिस्सा बनताह ।

सम्मानसहित,

निवेदक :
मैथिल समन्वय समिति ।

द्रष्टव्य : मैथिल समन्वय समिति, मुंबई मैथिल प्रवासीक रेल समस्याक कोन प्रकारें समाधान हो ताहि लेल महाबैसारक मात्र आयोजक अछि ।

और अधिक जानकारी लेल अपनेक नजदिकी स़ंपर्क सूत्र- दीपक कुमार मैथिल!
चलित दूरभाष 📱 संख्या -९७०२८७०६३८.