महोत्तरी मे बाढि पीड़ित केँ राहत बँटलक अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि

राम कुमार महतो, सउदी अरब। १९ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

महोत्तरी केर बलबा नगरपालिका वार्ड संख्या १० मे अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि द्वारा बाढि पीड़ित सब केँ राहत वितरण कयल गेल अछि। राहत सामग्री मे २०० किलो चुड़ा, ५० किलो मुरही, ४० किलो दालबुट आ २० कार्टुन चाउचाउ (नूडल्स) करीब २०० आदमी केँ प्लास्टिक झोला मे पैक कय केँ बाँटल जेबाक समाचार अछि।

विदित हो जे अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल एकटा एहेन सामाजिक संस्था थिक जे मिथिलाक लोक सब वैदेशिक रोजगार मे मलेशिया, कतार, सउदी, युएई आदि मे रहैत छथि हुनका सभक द्वारा स्थापित अछि। वर्तमान सहयोग सउदी अरब, कतार, मलेसिया, दुबई आ कुबैत केर सदस्य लोकनि अपन कठिन श्रम सँ अर्जित आय मे सँ थोड़-थोड़ बचत कय केँ अपन गाम-समाज केर लोक केँ बाढिक पीड़ाक समय मे पठाओल गेल अछि।

अपन मिथिला सेवा समाज नेपालक राहत लय केँ ई सदस्य सब पीड़ित सभ लग पहुँचलाह – मनशाराम यादव, सत्रोहन मन्डल, ललन मन्डल, सतिश कापर, सुरेन्द्र कापर सहित पप्पु कुमार मिश्र (सह सचिव) तथा गाउँपालिकाक वडा अध्यक्ष राजकुमार यादव एवं आरो ग्रामीण भद्र-भला आदमी सभ केर उपस्तिथिमे राहत वितरण कयल गेल।

पूर्वक लेख
बादक लेख

One Response to महोत्तरी मे बाढि पीड़ित केँ राहत बँटलक अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि

  1. Bahut barhiya , Thank you,jay mithala

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 9 =