मैथिलीक श्रेष्ठ साहित्यकार एवं नेपालक प्रसिद्ध फिल्म अभिनेता रमेश रंजन झा केँ नेशनल अवार्ड

१४ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली भाषाक वरिष्ठ साहित्यकार – रंगकर्मी तथा नेपालदेशक प्रसिद्ध फिल्म अभिनेता रमेश रंजन झा केँ नेपाली फिल्म शत्रुगते मे उत्कृष्ट अभिनय हेतु राष्ट्रीय पुरस्कार (अवार्ड) नेपालक राष्ट्रपति विद्या भंडारी केर हाथ सँ भेटलनि अछि।

लोकसंचार द्वारा सम्प्रेषित समाचार जे सामाजिक संजाल मे देल गेल छल ताहि मे कहल गेल अछि जे राष्ट्रीय चलचित्र पुरस्कार २०७४ फिल्म शत्रुगते सँ उल्लेखनीय अभिनय लेल लाेक संचारक अध्यक्ष रमेश रञ्जन झा केँ देल गेलनि।

एहि अवार्डक सम्बन्ध मे स्वयं रमेश रंजन झा अपन अपडेट दैत कहलनि अछि, “अभिनयक लेल नेशनल फिल्म एवार्ड फिल्म शत्रुगतेसँ हमरा देल गेल । एहि उपलब्धि धरि पहुँचबाक लेल फिल्म युनिट, निर्माता, निर्देशक, सहकर्मी आ परिवारजन जिनका सभक सहयाेग बिना अभिनय यात्राकेँ निरन्तरता देब सहज नइ छल, सभकप्रति आभार। शुभचिन्तक मित्र लाेकनिकेँ हार्दिक धन्यवाद।”

विदिते अछि जे निरन्तर अपन विभिन्न साहित्यिक सृजनकर्म ओ कलाकर्म सँ मैथिली भाषाक एक गोट उच्च स्थान पर पहुँचल व्यक्तित्वक रूप मे रमेश रंजन झा स्थापित छथि। हिनका द्वारा कतेको तरहक डकुमेन्ट्री निर्माण सँ लैत कइएक नाटकक लेखन, निर्देशन आ अभिनय संग उपन्यास, नाटक, कविता संग्रह आ कथा संग्रह आदिक प्रकाशन करैत मैथिली भाषा-साहित्य केँ सदिखन हृष्ट-पुष्ट बनाओल जाइत रहल अछि। नेपालक एकमात्र राष्ट्रीय स्तरक एकेडमी ‘नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान’ मे सेहो अपने प्राज्ञ रहबाक संग-संग नाटक विभागक राष्ट्रीय प्रमुख बनि सेहो उल्लेख्य सेवा देल अछि। अपनेक अगुवाई मे एखन धरि कतेको तरहक लोककला आ साहित्य सभक खोज, लेखन, प्रकाशन संग-संग मंचन आदि काफी रास महत्वपूर्ण कार्य भेल अछि। नहि केवल मैथिली बल्कि नेपालदेशक अन्यान्यो भाषा आ संस्कृति मे प्रचलित लोककलाक विभिन्न विधा आ विशेष रूप सँ नाटक एवं आम लोकक मनोरंजनक कइएक विधा पर खोज आ शोध कृत्ति आदि सेहो प्रकाशित भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ अपनेक सृजनयात्रा केँ नित्य नव ऊँचाई भेटबाक शुभकामना!!