आन्दोलन करबाक चेतावनी देलक सुकुम्बासी

जितेन्द्र ठाकुर, विराटनगर । १२ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

काफी समय सँ विराटनगर महानगरपालिका १ स्थित परोकार घाट जायवला रस्ता मे बसोवास करैत आबि रहल सुकुम्बासी (भूमिहीन) लोक द्वारा स्वयं केँ बसोवास करबाक वैकल्पिक व्यवस्थापन कएने बिना घर खाली करेबाक काज कयल जाय त आन्दोलन करब से चेतावनी देल गेल अछि।

विगत ४० वर्ष सँ विराटनगर महानगरपालिका १ भट्टाचोक सँ पूब परोपकार घाट जायवला रस्ता मे रहैत आबि रहल कुल ७ परिवारक ६० सुकुम्बासी जनताक घर केँ व्यवस्थित करबाक माँग कयल गेल अछि।

विराटनगरमे पत्रकार सम्मेलन करैत ओ सब सुकुम्बासी लोकक समस्या समाधान आयोग सँ सुकुम्बासी परिचय पत्र समेत प्राप्त कएने रहबाक आ तदनुसार घर बनाकय रहि रहल बात कहैत एहि घर केँ खाली करय लेल देल गेल महानगरक निर्णय नहि मानबाक बात बतेलक। महानगरपालिका १ भट्टाचोक सँ पूब परोपकार घाट जायवला रस्ताक जमीन अतिक्रमण कय केँ बसैत आबि रहल लोक केर अनधिकृत घर (झोपड़ी) ७ दिन भीतर नहि हँटेलापर कानून मुताबिक कार्रबाई करबाक सूचना महानगरपालिकाक तरफ सँ जारी कयल जेबाक बातपर ई सुकुम्बासी सब अपना लेल वैकल्पिक वासक इन्तजामक मांग रखैत उपरोक्त बात बतेलक। पत्रकार सम्मेलनमे फारुक सेख २०६३ माघ १२ गते सुकुम्बासी परिचय पत्र देलक लेकिन एखन धरि कोनो समस्या समाधान कएने बिना एकबेगे घर हँटेबाक निर्णय हमरा सब केँ स्वीकार्य नहि होयबाक बात कहला। ओ आयोगक मर्म आ भावना अनुसार सुकुम्बासीक घर केँ व्यवस्थित कय देलापर स्वतः खाली कय देबाक बात सेहो कहला।

बिना समस्या समाधान जबरदस्ती खाली करय एलापर केहनो रूपमे प्रतिकार करबाक चेतावनी सेहो ओ लोकनि देलक। दोसर सुकुम्बासी हसीना खातुन कहली जे रस्ता २२ फीट केर छैक, लेकिन हम सब मुस्लिम सुकुम्बासी पर महानगरपालिका द्वारा जोर-जबरदस्ती करैत अवहेलनात्मक कार्रबाई करैत एतय सँ घर खाली करबाक आदेश देलक बतेली। ओ बेर-बेर मेयर आर वडा अध्यक्षकेँ आयोगसँ भेटल परिचय पत्र केर चर्चा करैत एखन धरि रहबाक वास्ते कोनो स्थायी समाधान नहि भेटल समय मे घर हँटेनाय विभेदकारी निर्णय होयत कहितो ओ सब ऊपरे सँ ई आदेश एबाक बात कहैत हमरा सब पर अन्याय कय रहबाक बात कहलनि। हमरा सभक घर सँ दक्षिण सात फीटक रस्ता मात्र रहल लेकिन महानगर ओतय बाट चौड़ीकरण नहि करितो केवल हमरा सब केँ दुःख देबय चाहैत अछि, हसीना खातुन कहली।  ‘दक्षिण दिश सरकारी एलानी जग्गा छैक तैयो हँटेबाक दबाव दैत आबि रहल य, त आब कि हम सब सींघिया नदीक बाढि मे जाकय रहू?’ खातुन प्रश्न केली।

महानगरपालिका घर नक्सा शाखा प्रमुख ई. अर्जुन थापा द्वारा वार्ड कार्यालय सँ भेटल सिफारिसक आधार मे अमीन द्वारा नापी कराकय सड़कपर बनल घर भेटबाक कारण ओकरा सब केँ सात दिन भीतर हँटेबाक सूचना निकालबाक बात बतायल गेल। अमीन द्वारा देल गेल रिपोर्टक आधार पर मेयर साहेब द्वारा कयल गेल निर्णय अनुसार सूचना जारी कयल जेबाक जानकारी देल गेल अछि। सार्बजनिक बाटमे सात टा घर बनबाक महानगरद्वारा खटायल अमीनक प्रतिवेदनमे उल्लेख रहबाक बात ओ कहलनि।

एहि सँ पहिने सेहो विराटनगर ६ स्थित दुधुवा खोला (नदी)क किनारक ऐलानी जग्गामे घर बनाकय बसैत आबि रहल सुकुम्बासी बस्तीमे डोजर लगाकय महानगरपालिका द्वारा घर तोड़ि देल गेल छल। विराटनगर ६ स्थित दुधुवा खोला किनार मे रहल ऐलानी जग्गामे घर बनाकय बसल ८ गोट सुकुम्बासीक घरमे डोजर लगाकय तोड़ल गेल छल। घरमे कियो नहि रहल समय महानगरपालिका द्वारा डोजर लगाकय घर तोड़ल जेबाक बात कहैत स्थानीय लोक द्वारा महानगरक वार्ड कार्यालयमे तालाबन्दी सेहो कयल गेल छलैक।

फोटो क्याप्सन : पत्रकार सम्मेलनमे सुकुम्बासी परिचय पत्र देखाउदै सुकुम्बासी लोकनि : तस्वीर : जितेन्द्रनारायण ठाकुर /विराटनगर ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

5 + 5 =