बैद्यनाथधामक श्रावणी मेला १७ जुलाई सँ, एहि वर्ष ई सब विशेष योग केर संयोग बनि रहल अछि

१० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

बाबा बैद्यनाथधाम – देवघर झारखंड केर आफिसियल फेसबुक पेज द्वारा श्रावणी मेला यैह आषाढ पूर्णिमाक प्रात दिन सँ आरम्भ होयबाक तथा एहि वर्ष कोन-कोन तिथि केँ विशेष अवसर आबि रहल अछि तेकर सूची जारी कयल गेल अछि।

महत्वपूर्ण तारीख
१७ जुलाई सावन माह केर पहिल दिन
२२ जुलाई सावन केर पहिल सोमवारी
२९ जुलाई सावन केर दोसर सोमवारी
०५ अगस्त सावन केर तेसर सोमवारी
१२ अगस्त सावन केर चारिम सोमवारी
१५ अगस्त सावन माह केर अंतिम दिन
सावन माह मे एहि बेर कय गोट शुभ संयोग, हरियाली अमावस्या पर १२५ साल बाद पंच महायोग केर संयोग
सावन माह मे एहि बेर कय गोट शुभ व पैघ संयोग बनि रहल अछि। १७ जुलाई केँ सूर्य प्रधान उत्तराषाढ़ा नक्षत्र सँ सावन माह केर शुरुआत भऽ रहल अछि। एहि दिन वज्र और विष कुंभ योग सेहो बनि रहल अछि। सावन मे चारि सोमवारी पड़त। एकर अलावे १५ अगस्त केँ स्वतंत्रता दिवस और रक्षाबंधन एक्के दिन मनायल जायत। एक अगस्त केँ हरियाली अमावस्या पर पंच महायोग केर संयोग बनि रहल अछि। दावा अछि जे ई संयोग लगभग १२५ साल केर बाद आबि रहल अछि।

बाबा कुपेश्वरनाथ मंदिर केर पुजारी विजयानंद शास्त्री बतौलनि जे बहुत दिनक बाद सावन मे कतेको रास पैघ संयोग बनि रहल अछि। एक अगस्त केँ हरियाली अमावस्या पर पंच महायोग केर संयोग बनत जे लगभग १२५ साल बाद आबि रहल अछि। एहि दिन पहिल सिद्धि योग, दोसर शुभ योग, तेसर गुरु पुष्यामृत योग, चारिम सर्वार्थ सिद्धि योग और पांचम अमृत सिद्धि योग केर संयोग अछि। पंच महायोग केर संयोग मे कुल देवी-देवता तथा मां पार्वती केर पूजा कयला सँ मनोवांछित फल केर प्राप्ति होइत अछि। संगहि प्रकृति केर हरा भरा रहबाक सेहो पूर्ण संभावना अछि।

सावन केर तेसर सोमवारीक दिन नागपंचमी

एहि बेर नागपंचमीक शुभ पर्व भगवान शिव केर विशेष दिन सोमवार (पांच अगस्त) केँ अछि। सोमवार और नागपंचमी दुनू दिन भगवान शिव केर आराधना कयल जाइत अछि। ताहि लेल एहि बेर नागपंचमीक विशेष महत्व होयत। संकट मोचन दरबार केर पुजारी चंद्रशेखर झा बतौलनि जे नागपंचमीक दिन चंद्र प्रधान हस्त नक्षत्र और त्रियोग केर संयोग सेहो बनि रहल अछि। सर्वार्थ सिद्धि योग, सिद्धि योग और रवि योग यानि त्रियोग केर संयोग मे काल सर्प दोष निवारण लेल पूजा करब फलदायी होइत अछि।