कठपिंगलइ मिथिला त्रस्त-त्रस्त – मैथिलक नौटंकीक एकटा जीवन्त खिस्सा

हम सब कहिया सुधरबः बेर-कुबेर अपनहि बुद्धिक दावी रटबाक आदति एखनहुँ कायम!

 
(एक केस स्टडी)
 
आइ भारतीय संसदक १७म पारीक शुरुआत भऽ गेल। एहि बेर ३ सांसद मैथिली मे शपथ लैत अपन भाषाक सम्मान संग अपन सभ्यता आ पहिचान केँ संविधानक एक उच्च स्थान पर स्थापित मन्दिर मे महिमामंडित कयलनि। एहि समय हरेक मैथिलीभाषी केँ अपन भाषाक महत्व, मिठास आ मर्यादा पर गर्व भऽ रहल अछि, हेबाक चाही। परञ्च गोटेक मैथिल कठपिंगलइ देखेनाय, हर बात मे अपन बुद्धि घुसियेनाय, जेहो-न-सेहो कुतर्क आ औचित्यहीन प्रश्न ठाढ केनाय, इत्यादिक नमूना एहि अवसर पर सेहो देखा रहल छथि।
 
आब देखू एकटा महान कठपिगलइ केर सबूतः
 
अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष सम्माननीय विजय चन्द्र झा एकटा पोस्ट लिखैत कहैत छथि जे मिथिलाक ३ लाल (३ सांसद) मैथिलीक गरिमा केँ संवैधानिक पटल पर शपथ-ग्रहण मे उपयोग कय सभक मानवर्धन कयलनि। आगामी समय ओ लोकनि संसद मे सवाल-जबाब मे सेहो अपनहि भाषाक प्रयोग करथि से अपेक्षा सेहो रखलनि। आर तेकर बाद शुरू होइत अछि हुनकर पोस्ट पर सवाल-जबाबः
 
१. राकेश झा – ओकर बाद कि करता से नय कहि। (राकेश जी ‘जीएस गुरु’, ‘क्राफ्टवला’, आदि नाम सँ सोशल मीडिया पर जानल-मानल सक्रिय अभियन्ता सेहो छथि। कइएक बेर कतेको रास सरोकारक विन्दु पर बात-विचार रखैत रहैत छथि।)
 
२. बिभूति आनन्द – अभिनन्दन! (बिभूति आनन्द मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार छथि। पोस्ट केर भाव केँ आदर करैत अपन सम्मानक आखर व्यक्त कयलनि।)
 
३. सत्येन्द्र झा – बहुतरास शुभकामना। जय मिथिला, जय मैथिली।
 
४. अजित कुमार वत्स – चाचा हमरा स बहुत बेसी अनुभव अइ मिथिला आंदोलन के अहाँ के। एक टा बात बता दिय। मैथिली मे शपथ बहुत लोक पहिने सेहो लेलाह आ अखनो लै छैथ। लेकिन मिथिला लेल की करताह सेहो त कहियौन!🙏🏼आ की मिथिला स मात्र ३ टा मात्र सांसद छैथ?? (हमरा बुझने ई युवा अभियन्ता सेहो छथि, मिथिलावाद केर लेल ईहो संघर्ष वगैरह मे भाग लैत छथि। ओना हम बहुत बेसी परिचित नहि छी।)
 
५. आभा झा – बहुत ख़ुशी भेल🙏🏻 मिथिला के लाल मिथिला के स्वास्थ्य,शिक्षा और रोज़गार के लेल की करता अहि पर ध्यान ज़रूर रहत👍
 
६. अजित झा – स्वागत
 
७. हेम चन्द्र झा – बहुत बहुत शुभकामनाएं जय मिथिला जय मैथिली
 
८. हेमन्त झा – बेनीपटी मे बिद्यापति
 
९. पवन झा मैथिल – हमरो संगठन ब्रह्मांड मिथिला मैथिलीक संघ के तरफ सं इनका बहुत-बहुत शुभकामना।
 
१०. उमा कान्त झा बक्शी – मुजफ्फरपुर मे बच्चा सभ अस्पताल मे बिना दवा बिना डाक्टर प्रतिदिन दम तोड़ि रहल अछि । मौत के मुँह मे बच्चा के भेज देब सैह सपथ मैथिली मे खेलन्हि की? मिथिला लेल की करता किरिया सप्पत बहुत भेल। हुनकर आकलन किरिया शपथ सँ नहि बल्कि काज सँ आंकल जेबाक चाही। अपने के धन्यवाद एहिना लिखैत रही कहियो जँ हुनका सब के विवेक जागल तँ ठीक नहि तँ ई बूझू जे हुनका किओ वोट नहि केलक सब मोदीजी के वोट देलकन्हि। उएह किछु करथि बा नहि पाँच वर्षक कुर्सी तँ भेट गेलन्हि। एक बेर फेर चुनाव के समय सर्जीकल स्ट्राईक ।
 
११. मोनू झा – बहुत खुशी के बात है ई त बाबा।
 
१२. राजीव झा – बहुत बहुत बधाई जय मिथिला जय मैथिली 🙏
 
१३. शंभू नाथ झा – जाबे तक संसद में मैथिली के प्रति आबाज नै उठेता ताबत किछ नै होयत। ई पहिल बेर नइ जे ई सब मैथिली में सपथ ग्रहण केला।
(जबाब दैत) विजय चन्द्र झा – ई सब पहिले बेर जीत क एलाह अछि।
 
१४. राहुल चौधरी – बिल्कुल सब बधाई के पात्र छैथ
 
१५. शैलेन्द्र कुमार – जय मिथिला, जय मैथिली । मातृभाषा मैथिलीमें शपथ लेब बाला सांसद क संख्या नगण्य अछि । मैथिल प्रतिनिधि लोकनि मैथिलीमें शपथ लैथ से आग्रह।
 
१६. प्रमोद झा – जय मिथिला जय मैथिली।
 
१७. बिनय ठाकुर – अपन मैथिली भाषा में शपथ लेला नीक कार्य मुदा किरिया खाय कय मिथिला कय उपेक्षित करताह तय नीक बात नय ।
तखन मिथिला आ मैथिली कय कतेक अपमान करब ।
 
१८. कमलेश कुमार मिश्र – लेकिन काका श्री, अहाँ सब त पाग नहि पहिरेलियनि
 
१९. गणपति मिश्र – ई निर्लज सांसद सब केँ ओतए कोनो डबरा मे डूबिकय कहियौ मरि जाय लेल। साथ मे जतेक मिथिला मैथिली लोक जिनका एखन १०० बच्चा के मौत नहि देखा रहल छै आ जय-जयकार मे लागल य।
 
२०. जितेन्द्र नाथ झा – ३-४ बेर बड़का-बड़का मुंह बाबिकय हँसय वला विंक पोस्ट केने छथि।
 
२१. बैजू बावरा – कहबी बेजाय नइ छैक। कथि दैन मारे तिरपित वाला!
 
२२. रेवती रमण झा – मतलब मैथिली मधुबनी, झंझारपुर आ दड़िभंगेक लोकक भाषा अछि । बाकीक भाषा मैथिलेत्तर अछि । खैर – एतबहु दूर तक त बांचल छथि मैथिली। कम स कम तीनियो टा सांसद त मैथिलीक लाज रखलनि । एहि तीनू माननीय सांसद कें एहि साहसिक काजक लेल साधुवाद । बाकी सांसद कें पूछल जाए जे हुनकर माएक भाषा कि छन्हि? जनता स ओ कोन भाषा मे संवाद करै छथि ? जनता स ओ कोन भाषा मे वोट मंगने छलाह ?
 
२३.बासुकी नाथ झा – समस्त मिथिला वासीक माथ उच भेल । तीनू महानुभाव के साशीष बधाई । समाचार माध्यम सं प्रचारित हो।
 
२४. इं. आलोक कुमार झा – मैथिली में शपथ लेला निक गप्प। आगू कीछ करता की?
 
२५. ललित मिश्रा – अखन तक मैथिल संसद अपन पाग बचाब अ में लागल रहला। लोक आब बेसी जागरूक भ अ चुकल अछि। ई समय बतेत जे इहो तिनु गोटे पागे बचेताह की मिथिलावासी के आशा और आकांक्षा के प्रति अपन प्रतिबद्धता देखेताह।
 
२६. विजय व्रत कंठ – बधाई
 
२७. नीरज झा – एतबा उम्मीद त कएले जा सकैछ हुनका सभ सँ ।
 
२८. भोला झा – गौरवांवित पल।
 
२९. विजय नाथ मिश्र – बहुत नीक।
 
३०. नारायण कुमार – बहुत बहुत बधाई जय मिथिला जय मैथिली 🙏मिथिला क्षेत्र सँ ३ गोटे जीत क आयल छथि कि आरो गोटे? मिथिला क्षेत्र मे तीने जिला आबैत अछि की? और सभ नेता के मिथिला सँ नहि थिक? शायद मिथिला मे रहिकय मैथिली सँ वैर! जय हो ई नेता सभ! कि करता विकास से बात बहुत नीक कहलखिन उमा कान्त झा बक्शी सर जी। ई अपना बल पर या फेर पार्टी के बल पर जीत क नहि एलथि। ई सिर्फ मोदी जी के नाम पर जीत क एलथि। ई निश्चित अछि कि मिथिला मे काज करता विकास करत त और आगाँ जेता, नहि त फेर ऐगला ५ साल के बाद फेर स जतय छलथि ओतय रहय पड़तनि पक्का।
 
३१. राज कुमार मिश्र – (मिथिलाक्षर मे जय मिथिला जय मैथिली) – জয় মিথিলা,জয মৈথিলী!
 
हर सकारात्मक आ सार्थक विचार रखनिहार केँ हमर प्रणाम!!
 
हरिः हरः!!