भारतीय संसद मे मैथिली मे शपथ-ग्रहण सँ शुरुआत, आगामी समय मे प्रश्न आ विमर्श सेहो मैथिली मे

१७म लोकसभा मे ३ सांसद लेलनि मैथिली मे शपथ

१७ जून २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष विजय चन्द्र झा भारतीय संसद मे ३ गोट सांसद द्वारा मैथिली मे शपथ ग्रहण लेल हृदय सँ आभार व्यक्त कयल गेल अछि। ओ कहलनि जे दुनियाक एक गोट प्राचीन, समृद्ध आ अत्यन्त मधुर भाषा जेकरा संवैधानिक मान्यता सेहो भारतीय संविधानक आठम अनुसूची मे सूचीकृत कय केँ २००३ सँ भेटल अछि ताहि मैथिली मे शपथ लैत सांसद रामप्रीत मंडल, अशोक यादव एवं गोपाल जी ठाकुर मिथिला मातृभूमि पर उपकार कयलनि, संगहि अपनहु कर्तव्य निभेलनि अछि।

भारतीय संसदक १७म पारीक आइ सँ आरम्भ भेल अछि। वीरेन्द्र कुमार केँ प्रोटेम स्पीकर नियुक्त करैत समस्त निर्वाचित सांसद केँ शपथ-ग्रहण कराओल गेल अछि। एहि गरिमापूर्ण शपथ ग्रहण समारोह सँ मैथिली मे शपथ-ग्रहण करैत उपरोक्त तीनू सांसद पुनः अपन भाषाक वास्ते एकटा नव शुरुआत कय देलनि ताहि लेल शुभकामनाक संग आगामी समय मे सवाल आ बहस सेहो मैथिली मे करबाक अपेक्षा श्री झा रखलनि अछि। अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा सदिखन राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली सँ भारत आ नेपाल केर विभिन्न भाग मे मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति केर संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन लेल प्रयास होइत रहल अछि आर एहि मे आगामी समय मे आरो नव आयाम जुड़त से आशा सेहो जतेलनि अछि।