घरै सऽ जानकी नवमी मनएबाक लेल अपीलः छोटे महंथ 

735

घरे सऽ जानकी नवमी मनएबाक लेल अपीलः छोटे महंथ 

मनीष कर्ण, जनकपुरधाम। २३ अप्रैल २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रत्येक वर्ष जनकपुरधाममें मनाओल जाएबला जानकी नवमी केर एहि वर्षक विशेष उत्सवसभ लौकडौनक कारण प्रभावित भऽ रहल अछि। विश्वभरि मे पसरल वैश्विक महामारी नॉवेल कोरोना भाइरस केर कारणे नेपाल सरकार द्वारा लौकडौन लगएला बाद जानकी नवमी उत्सवमें  समेत असर पड़ल अछि। नेपाल सरकार द्वारा घोषित लौकसौनक पालन करैत जानकी नवमीक अवसर पर एहि वर्ष कोनो  प्रकारक उत्सव नहि क’ समान्य रूपमें मनाओल जाएत सैह जनतब जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास बतौलैन्ह। उत्सवक समयमें कोरोना महामारीक त्रास रहला कारणे नेपाल सरकार लगओने  लौकडौनक पालन कएनाय एखनुक आवश्यकता रहल ओ बतौलथि ।

वैशाख शुक्ल नवमीक दिन होइत आबि रहल जानकी जन्मोत्सवक दिन जानकी मन्दिरमें  भव्य कार्यक्रमक आयोजना होइत अछि। एहि वर्ष जानकी मन्दिर जन्मोत्सवक अवसरमें ८ दिनधरि पूजा अराधना होयत से महन्थ दास बतौलन्हि। हुनका अनुसार वैशाख १२ गते घटस्थापना होयत आर जानकी जन्मोत्सव मन्दिर भितरे वैशाख १९ गतेधरि मनायल जाएत । महन्थ दास कहलैन्ह जे विश्वभरि कोरोना महामारी पसरबाक कारणे जानकी जन्मोत्सवक दिनधरि घर घरमें हरेक साँझ ७ बजे विशेष आरतीक तथा दिपोत्सव करबाक आग्रह केने छथि । ध्यातव्य जे एहि स’ पहिने कोरोना भाइरस संक्रमणक डर स’ रामनवमी पर्व समेत प्रभावित भेल छल । तहिना पैछला वर्षसभमें जानकी नवमीमें  शोभा यात्रा, दुधमती शाही स्नान, रामायण मेला, श्रीराम- मैय्या सीताजी पर केन्द्रित क’ कवि गोष्टी, रामायण पर आधारित प्रश्नोत्तर प्रतियोगिता, मिथिला चित्रकला सम्बन्धी प्रर्दशनी, प्रादेशिक भाषाक सांस्कृतिक कार्यक्रम सहित कार्यक्रम सभक आयोजना करैत जानकी नवमी भव्यताक सङ्ग मनाओल जाएत छल।