पुरी पीठक शंकराचार्यक ठेहुनक शल्य चिकित्सा वड़ोदरा मे, जिगेसा लेल पहुँचलाह मैथिल समाज

९ जून २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!

पुरी पीठक शंकराचार्य स्वामी निश्चलानन्द सरस्वती वड़ोदरा (गुजरात) मे ठेहुनक शल्य-चिकित्सा करौलनि अछि। एहि बीच शाश्वत मिथिलाक मैथिल अभियन्ता लोकनि हुनक हाल-चाल बुझैत हुनका सँ आशीर्वाद ग्रहण करय पहुँचलाह। एहि सन्दर्भ मैथिली जिन्दाबाद द्वारा जानकारी मंगला पर ज्ञात भेल जे शंकराचार्यक ठेहुन मे पिछला किछु वर्ष सँ समस्या रहनि, ओ ठीक सँ चलि-फिरि नहि सकथि। एहि समस्याक निदान लेल एखन ओ वड़ोदराक वेलकेयर अस्पताल मे भर्ती छथि, पिछला सप्ताह हुनकर शल्य चिकित्सा सफलतापूर्वक सम्पन्न भेलनि। शाश्वत मिथिलाक चिन्तक-परिकल्पक राजकिशोर झा बतौलनि जे माननीय सांसद (राज्यसभा) प्रभात झाजी आ मैथिली-मिथिलाक वरेण्य अभिभावक अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झाजीक प्रेरणा सँ शंकाराचार्य महाराजक दर्शन हुनक स्वास्थ्य लाभ करबाक जिज्ञासा सँ भ सकल। महाराजजी वर्षों सँ घुटनाक दर्दक वजह सँ चलय-फिरय मे असहज महसूस कय रहल छलाह। महाराजजी अल्प मुलाकात मे हमर सबहक रूट (गाम-घरक) जानकारी लेलाह। हम सब हुनक उत्तम स्वास्थ्य हेतु शुभकामना देलियन्हि। हमर सभक संगे प्रवीणजी, ललितजी, संतोषजी, विधानजी आ बिहार समाजक दर्जनों स्थानीय लोक सब दर्शन कय शुभकामना देलथिन्ह। तत्पश्चात हुनक प्रभारी श्री प्रेम चंद्र झाजी सँ डिटेल में मिथिला-मैथिली संबंधित विषय पर हुनक संलग्नता आ योगदान पर बात भेल।