मिथिला गृह उद्योग बनेलक कटहर केर अँचार, आब सेवा देश भरि मे लय सकैत छी

२७ मई २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!

दिल्ली सँ देशभरि – मिथिला सँ विश्वभरि – जी, मिथिला गृह उद्योग एहि सूत्र पर आब अपन उत्पादन देशक सब कोण मे पहुँचेबाक लेल सक्षम रहबाक जानकारी करेलक अछि। संगहि एहि उद्योग द्वारा सीजन मे बनयवला बहुत रास नव-नव उत्पादन सेहो उपलब्ध होयबाक जानकारी संस्थापक-संचालक अमरनाथ मिश्र बतेलनि अछि। उद्योग द्वारा जारी कयल गेल सूचना निम्न अछिः

“कटहर अँचार-Jackfruit Pickles – बनि कऽ पूरा तैयार भेलाक बाद सुरक्षित डिब्बा बंद उपलब्ध अछि, मिथिला गृह उद्योग द्वारा वायुमंडल मे उपलब्ध प्राकृतिक संसाधनक उपयोग सँ शुचिता आ गुणवत्ता युक्त विशुद्ध घरेलू मिथिलाक पारंपरिक विधि सँ निर्मित सुसिद्ध आ सुअदगर कटहरक अँचार। एहि मादे बेसी-सँ-बेसी खोजबीन हेतु इच्छुक उपभोक्ता सँ आग्रह निम्नलिखित मोबाइल नंबर पर ह्वाट्स एप अथवा फोन कय सम्पर्क करथि। धन्यवाद। “एक बेर खेबै….अपने बुझि जेबै” सम्पर्क सूत्र : +91-9810057961″

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

3 + 7 =