गृह पृष्ठ News मैथिली-मिथिलाक ‘दिन-भैर’ ११ मई २०१९

मैथिली-मिथिलाक ‘दिन-भैर’ ११ मई २०१९

मिथिलाक अपन खेल कि सब अछि
१. मैथिलीक प्रसिद्ध कवि उदय चन्द्र झा विनोद केर समसामयिक राजनीतिक स्थिति पर बेवाक राय दैत एकटा नव – टटका-टटकी रचना आइये फेसबुक पर प्रकाशित भेल अछि जेकर प्रभाव आम पाठक पर पड़ब सुनिश्चित अछि।
 
चौकीदार चौकन्ना है – ई वाली कहावत ‘बाबा’ (श्री उदय चन्द्र झा विनोद) केर हरेक लेख आ कविता मे स्पष्ट होइत अछि। हालांकि ई कखनहुँ एक पक्ष केर पक्षकार आ विरोधी बात मात्र नहि लिखि सार्थक चिन्तन मात्र करैत छथि, लेकिन लिखबाक अन्दाज मे जाहि तरहें बहुत रास बात एक ठाम कनी टा के कविता मे समेटि लैत छथिन से सचमुच हृदय पर राज करैत अछि।
 
त्राहिमाम
ःःःःः
मानल मोदी छथि खराब, की राहुल नीक हेता
जेटली के बदला की पी. चिदंबरम ठीक हेता
की माया ममता भ सकती देशक नीक प्रधान
की भगवाने के भरोस पर देश चलत श्रीमान
 
की यू.पी बिहार मे ठाढ विकल्प लगैए नीक
की केजरीवाल अन्ना संग जे बरतल से ठीक
की पाकिस्तानक संग दोस्ती करतै कोनो विकल्प
की सभ साथ सभक विकास सँ नीक कोनो संकल्प
 
की निर्मला खराब लगै छथि रक्षा मंत्री भाइ
की करुणानिधि सन लगैत छथि नितिन गडकरी आइ
सेकुलर सेकुलर जे रटैत अछि, के सभ सेकुलर थीक
ओकरा सभ के सिद्धान्ते नहि, हमरा डर कथीक
 
की नहि गछबै लोकतंत्र एखनो अछि सब सँ नीक
मुदा कहू की हेता मोलायम ओहि कुर्सी पर ठीक
सतरह टा सीटे छनि कयटा जितता से नहि जानि
तैयो तेलांगना सँ कुर्सी रहला राव अकानि
 
की भांगे घोरल इनार मे, सभ बकलेलहा ढीठ
चोरबा सभक भरोस न कोनो कखन देखाओत पीठ
की यासिन मल्लिक के जेल रहब नहि लागय नीक
बिसरि गेलहुँ की शायर सिंह सपूत चलय नहि लीख
 
सत्ते मोदी के भाषण हमरो कटैत अछि आब
नेहरू तक ठेकब नहि रूचय बुझले हमर स्वभाव
मुदा कहू की थोड गारि मोदी के देल गेलैक
जल्लादे नहि जन्म जाति की सब नहि भेल गेलैक
 
अपनो गिरेवान मे झाँकब आवश्यक अछि वन्धु
आँखि मूनि डाँटब विपक्ष के बड नाशक अछि वन्धु
जँ चाही कल्याण नीक लोकक संधान करू
चोर चुहार वंशवादी सँ देशक त्राण करू
 
२. मैथिली साहित्यकार दिलीप कुमार झा केर चर्चित रचना ‘बनिजाराक देश मे’ कविताक अनुवाद संवदिया मे प्रकाशित कयल गेल अछिः
 
“संवदिया के टटका अंकमे हमर मैथिली कविता “बनिजाराक देसमे” के हिन्दी अनुवाद प्रकाशित करबाक लेल संपादक मांगन मिश्र मार्तण्ड आ अनुवादक श्रीमती चंदनादत्त कें धन्यवाद।”
 
३. सीतामढी फेसबुक पेज द्वारा सीतामढी मे जानकी जन्मोत्सव केर तैयारी पर एकटा वीडियो राखिकय सजल-सजायल जानकी मन्दिर देखबैत १३ मई केँ जानकी नवमी मनेबाक जनतब देल गेल अछि।
 
४. मिथिलाक परिवेश मे बाल्यकालक कतेको रास खेलक नाम केर संग्रह करैत मैथिली साहित्यकार विभूति आनन्द अपन बात फेसबुक मे एना रखलनि अछिः

अपेक्षा एतबे जे

जेना-जेना हम सभ अपनाकें आधुनिक करैत जा रहल छी, तहिना-तहिना अपन अतीत कें बिसरैत सेहो जा रहल छी । अपन सभ किछु, जेना तीत लगैत अछि । तें ओ सभ किछु, जे हमर निजता रहय, आइ दूर, बहुत दूर, कतहु विलीन भ’ चुकल अछि ।
आइ जे हम छी, आ काल्हि जे हम होयब, ताही लेल अधिक अपस्याँत रहैत छी । काल्हि जे रही, बाड़ीक पटुआ सन लगैत अछि । मोमोज लेल विकल छी, आ बगिया बिसरा गेल अछि । एत’ धरि जे अपन जलखै आ भोजन-विन्यास धरि सँ दूर भेल जा रहल छी ।
एक दिन फेसबुक पढ़ैत रही । एक मित्रक पोस्ट पर आँखि ठहरि गेल । ओ अपना ठामक खेल सभक चर्चा कएने रहथि जे नेनपन मे खेलायल रहथि, वा देखने रहथि । आ से पढ़िते हमरा अन्दर मर्मान्तक पीड़ा भेल । संगहि अपनो अतीत मोन पड़ि आयल । एह, कतेक प्रकारक खेल सभ खेलल करी ! आ कोन तरहक स्वर्गिक आनन्द कें प्राप्त करी !
आइ सभ किछु समाप्तप्राय अछि । मुदा किछु नाम सभ मोन अछि । किछु हमरे सन एहन मित्र, जे स्वपरिचिति लेल अपस्याँत छथि, हुनका सभक पोस्ट सँ प्राप्त भेल । किछु फेर आनो मित्र लग चर्चा कएल तँ लिखौलनि । वएह सभ टा प्रस्तुत करैत छी । एहि मे अहूँ सभ किछु जोड़ि सकी तँ मोन जुरायत ।
संग-संग अपेक्षा ईहो जे हम सभ अपन नब पीढ़ीक मोन मे एहि मे सँ किछुओ बिलहि सकी, तँ बहुत पैघ काज होयत !
देखल जाय ई अपूर्ण सूची-
01. अटकन-मटकन
02. पहड़-पनियाँ
03. कित-कित
04. ती-ती
05. सुट
06. रुमाल चोर
07. गुल्ली (ढेम्पुल, सत्तार)
08. डाल-डलिचा
09. पिलो-डण्टा
10. गुली-डण्टा(टाइल-गुल्ली)
11. रुमाल चोर
12. कबडी
13. चुँगी
14. मिलो पत्ती
15. रब्बर बैंड
16. पिट्टो
17. पकड़ा-पकड़ी
18. बैट-बॉल
19. लूडो
20. नुक्का-चोरी
21. चेत-चेत
22. सेक्को(सेका सेकंती)
23. लाठी-लाठी
24. तीर-धनुष
25. सत-घरा
26. हुरा-हुरी
27. उल्हा-चुका
28. सुर-सुर
29. तिया-तिया
30. पचीसी
31. कनियाँ-पुतरा
32. भंसा दोकान
33. माँड़-भात
34. तिनकोनियाँ
35. राम-लछुमन
36. खपरा फोरंती
38. थपड़ी मारि
39. परोरिया
40. झिझिरकोना
41. दालि-भात
42. कनियाँ-बर
43. सुरती-मुरती
44. गोटरस
45. डैस-कोस
46. कौआ उड़, मैना उड़
47. घोघो रानी
48. जट जटिन
49. सामा-चकेबा
50. एक्कट-दुक्कट
51. कौआ-ठुट्ठी
52. एन्नी एन्नी
53. बगडिल्लो
54. चइ-चिक्का (चिक्का)
55. कौड़ी
56. दोल-पत्ता
57. ढेहबा-ढेहबी…

एहि सूची मे नेपालीय आ भारतीय, दूनू मिथिलाक खेलक नामोल्लेख कएल गेल अछि । नेपाल परिसर लेल हम विशेष रूप सँ आभारी छी फेसबुक मित्र Bitu Mishra Vats केर, हमर एहि तरहक भावुक पोस्टक माध्यम बनलाह । भारतीय परिसर लेल फूल चंद्र झा ‘प्रवीण’।

५. नेपाल केर जलेश्वर मे एकटा दलित छात्र सभक लेल छात्रावास केर निर्माण हेतु वरिष्ठ नेता महंथ ठाकुर भूमि पूजन कयलनि। एहि सन्दर्भ मे समूचा नेपाल केँ बुझबय वला भाषा ‘नेपालीभाषा’ मे बद्रीनाथ झा शेयर कयल महोत्तरी दर्पणक ई समाद पढूः

राजपा नेपाल को अध्यक्ष मन्डल सदस्य एवम् महोत्तरी क्षेत्र नम्बर ३ को प्रतिनिधि सभा सदस्य महन्त ठाकुर को प्रमुख आतिथ्य र प्रदेश नम्बर २ को सामाजिक बिकास राज्य मन्त्री अभिराम शर्मा को विशिस्ट आतिथ्य , प्रदेश सभा सदस्य रानी शर्मा , बबिता चौधरी , प्रतिनिधि सभा सदस्य इन्दु शर्मा ,जलेश्वर नपा को मेयर राम शन्कर मिश्र साही एकडारा गा पा अध्यक्ष राम छबिला साह सामाजिक विकास मन्त्रालय को निमित्त सचिब दिलिप ठाकुर रा ज पा नेपाल महासचिब सुरेश पान्डेय रा ज पा महोत्तरी को अध्यक्ष मन्डल सदस्य राम बाबु साह लगायत को आतिथ्य मा महोत्तरी जिल्ला को एक मात्र सबै भन्दा पुरानो रा वि म क्याम्पस जलेश्वर मा सामाजिक विकास मन्त्रालय को सहयोगमा र राज्य मन्त्री ज्यु को विशेष पहलमा १ करोड को लागत मा दलित छात्रावास को शिलान्यास कार्यक्रम सम्पन्न गरेको छ ।
महोत्तरी दर्पण

६. आइ जनकपुर मे होयत डा. रामभरोस कापड़ि भ्रमर केर एकल कविता वाचन – मैथिली साहित्यकार सभा केर आमंत्रण प्रेम विदेह देलनि अछि –

* हँकार *
मैथिली एकल कविता वाचन
————————————
नेपाल आ मिथिलांचलक ख्यातिप्राप्त बहुआयामिक साहित्यकार आ वरिष्ठ पत्रकार,पूर्व प्राज्ञ परिषद् सदस्य सर्वश्री रामभरोस कापडि ‘भ्रमर’ जी जे करीब छओ दशकसँ मैथिली साहित्यक सेवा करैत अएलाह अछि जिनक दर्जनो मैथिली कृति प्रकाशित अछि,हिनक एकल कविता वाचन जनकपुरधाममे होब’जा रहल अछि।हिनक ओजस्वी वाणी आ काव्यक रसास्वादन करक लेल कार्यक्रममे पधारल जाए।
स्थान : जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ,सभाकक्ष
दिनांक :२०७६ बैसाख २८ गते शनि दिन
समय :बेरिया ४ बजे
आयोजक : मैथिली साहित्यकार सभा,जनकपुरधाम

७. मैथिली आ मिथिला केर प्रखर समर्थक आ पक्षकार राजनीतिक दिग्गज पं. ताराकान्त झा केर आइ पुण्य तिथि, २०१४ मे आइये एहि महान नेताक मृत्यु भेल छल। मिथिला राज्य लेल हजारों गाम मे पैदल यात्रा करैत ओहि गाम सभक समस्या केँ सूचीकृत करबाक आ लोक सब सँ हस्ताक्षर संकलन करबाक कार्य पंडित ताराकान्त झा कएने छलाह।

८. बनगाँव (सहरसा) मे सभागाछी पुनर्स्थापना लेल प्रयास जोर पर अछि। एहि सन्दर्भ मे प्रयासकर्ता अगुआ पारस कुमार झा आगामी बैसारक सूचना दैत एहि मे भाग लेबाक आग्रह करैत कहलनि अछि –

“सभागाछी”पुनर्स्थापन निमित्तक बैसार बारह मई, दूई हजार उन्नीस(रविदिन) केँ १बजे दिन मे बरीवन-बथनाहा मे अपने सबकेँ स्नेहिल हकार

९. दिल्ली मे आयोजित होयत जानकी नवमी पर उत्सव – लक्ष्य काफी पैघ आ महान अछि। वैदेही फाउन्डेशन केर अध्यक्ष अमरनाथ झा द्वारा एहि सन्दर्भ मे विस्तृत आह्वान पत्र जारी कयल गेल अछि। ओ लिखलनि अछि –

नमस्कार बन्धुवर

अपार हर्षक सङ्ग हम हम अपने सबकें मैया सीता जीक जन्मोत्सव पर नोत-हकार द’ रहलहुँ अछि।

विगत 4 वर्ष स’ वैदेही फाउंडेशन माता सीताक जन्मोत्सव समारोह मनबैत आबि रहल अछि। एहि बेर बैसाखक नौमी तिथि 13 मई क’ सोम दिन अछि। आ एहि बेरुक समारोह वैदेही फॉउंडेशन, दीपक फॉउंडेशनक सङ्ग मिलि आ मलंगिया आर्ट्सक सहयोग स’ दिल्लीक आईटीओ स्थित राजेंद्र भवन मे 4 बजे स’ 8 बजे साँझ धरि करय जा रहल अछि।

दिल्ली मे चुनावी माहौल छै, रैब दिन चुनाव छै आ ओकर प्रातहि 13 मई 2019 क’ जानकी जीक जन्मदिन छन्हि। दिल्ली मे पूर्ण कार्यदिवस अछि सोमदिन दोसर चुनावक झमारल लोक सब। एहि सबके अछैत कार्यक्रम आयोजित अछि।

हम करबद्ध प्रार्थना करैत छी अपने सब एहि दिवस पर एहि कार्यक्रम केर हिस्सा अबस्से बनी कियैक त’ भगवान राम केर जन्मोत्सव रामनवमी देश विदेश मे 9 दिनक त्योहारक रूप मे मनाओल जाइत अछि मुदा मैया जानकी, जिनकहि कारण भगवान राम मर्यादा पुरुषोत्तम बनलाह, हुनक जन्मदिवस किनको स्मरण नहि छन्हि। ई हम मैथिलक जिम्मेवारी अछि जे हम सब मैया सीता केर जन्मोत्सव मनाबी आ देश-दुनिया के माता सीता आ हुनक एखनका समयक प्रासंगिकता स’ परिचित कराबी।

बेस, एतय बेसी नहि कहब।
मिथिलाक परम विद्वान आ रविंद्र-महिंद्र जोड़ीक रविन्द्र यानि आदरणीय रविन्द्र नाथ ठाकुर जिनकर सीता मैया सम्बंधित सबस’ बेसी कार्य अछि, अस्सी वर्षीय ओ पुरोधा मुख्य वक्ता बनवाक लेल गछि लेलनि छथि।

5 टा मैथिलानी कें विभिन्न सामाजिक योगदान हेतु समान्नित करबाक योजना सेहो अछि।

पारंपरिक गीत-नाद, सोहर-समदाउन संगहि सीता सम्बंधित नाटिका आदिक सङ्ग एकटा स्मारिका सन पुस्तिका सेहो लोकार्पण करबाक मोन अछि जाहि मे 2016 स’ 2018 तक भेल एहि आयोजनक संक्षिप्त विवरण आ किछु आलेख सेहो अछि।

आ, कार्यक्रम केर एकटा महत्वपूर्ण अंग आर अछि ओ अछि अपन पारंपरिक भोज। दालि-भातक भोज। जाहि में भंटा-अदौरी, डालना, बर-बड़ी, दही आ सकरौरी गामहि जँका होइत अछि आ मैया सीताक जन्मोत्सव समारोहक ई पहिचान बनि चुकल अछि ई मैथिल पारंपरिक भोज।

हमरा प्रत्येक वर्ष अपने सभक उपस्थिति, सङ्ग आ सहयोग भेटैत अछि आ सैह कार्यक्रमक सफलताक कारण बनैछ। हम पुनः अपने सभस’ आग्रह-निवेदन करैत छी जे एहि पुनीत अवसर पर अपन सहभागिता द’ क’ अनुगृहीत करी।

पुनः अपने सभकें सादर आमन्त्रण!

अपने सभक स्नेहाकांक्षी
अमर नाथ झा
संस्थापक-अध्यक्ष
वैदेही फाउंडेशन

१०. सुनीत ठाकुर ‘हम सब मैथिल छी’ ग्रुप पर जनतब दैत कहलनि अछि जे ‘दूलहा चोर’ मैथिली फिल्म मुम्बई मे रिलीज भ’ रहल अछि।

सहर्ष सूचित क’ रहल छी कि मुंबई महानगरी मे आई 10 मई सँ मैथिली सिनेमा “दुल्हा चोर” बहुत रास सिनेमा घर में रिलीज भ’ गेल अछि। मुंबई में रहैवाला समस्त मैथिल स’ अनुरोध जे अपन लगीचक सिनेमाघर जा क’ सिनेमा अवश्य देखी आ कम स’ कम दस परिवार के देखबाक लेल प्रेरित करी। मुख्य अभिनेता Kumar Ghanshyam Jmd जानकारी देलथि कि शीघ्र ई सिनेमा दिल्ली आ मिथिला के सिनेमाघर में रिलीज़ हैत।

Image may contain: 8 people, people smiling, text