के थिकाह ई साधारण लेकिन एक अतिसाधारण व्यक्तित्व प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी संग?

महानताक ई साधारण लेकिन असाधारण स्वरूप
 
कि अहाँ विश्वास कय सकैत छी जे खाली पैरे बिना आयरन कयल धोती-कमीज आ टोपी पहिरने भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी संग चलि रहला ई व्यक्ति कोनो किसान नहि बल्कि एक अति-विशिष्ट व्यक्तित्व छथि जिनका चिन्हब काफी महत्वपूर्ण होयत।
 
ओ डा. साम्भाजी भिडे छथि, परमाणु भौतिकी मे स्वर्ण पदक विजेता, प्रतिष्ठित फर्गुसन कालेज पुणे मे प्रोफेसर रहि चुकल छथि। एखन धरि १०० सँ ऊपर राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय सम्मान हासिल प्राप्त कय चुकल छथि तथा ६७ गोट डौक्टरल एवं पोस्ट डौक्टरल शोधकर्त्ता केर निर्देशक रहि चुकल छथि। नासा व पेन्टागन केर सलाहकार समिति मे सेहो हिनकर नियुक्ति भेल छलन्हि जे अन्य कोनो भारतीय वैज्ञानिक केँ सौभाग्य नहि भेल छन्हि।
 
आब ई करीब १० लाख अनुगामी (फोलोवर्स) युवाक संग महाराष्ट्र मे सामाजिक सेवाक कार्य मे लागल छथि। हिनकर लक्ष्य देश केर सेवा अपन जीवनक आखिरी घड़ी तक करब छन्हि। ई सिर्फ उज्जर रंगक खादीक कपड़ा पहिरैत छथि। कतबो दूर चलबाक हो, ई बिना चप्पल केँ चलैत छथि, बिना चप्पलहि केँ चलनाय पसीन करैत छथि। आइ-काल्हिक समय मे अपन मातृभूमिक सेवा कयनिहार हिनका सँ पैघ महान के भऽ सकत! वर्तमान युवा पीढी केँ हिनका बारे मे आरो जानबाक चाही। तैँ अनुरोध करब जे एहि पोस्ट केँ बेसी सँ बेसी लोक धरि पहुँचाउ।
 
– श्रीमती वनजा रविनायर
 
Can you believe the bare footed person in dhoti un-ironed zabhbha and topi, walking along side PM is not a Farmer but he is an extraordinary one and its worthwhile to know about him.
 
He is Dr. Sambhaji Bhide, Gold medallist in atomic physics, worked as a professor in prestigious Fergusson college in Pune. He has received more than 100 National & International awards and guided 67 Doctoral and post Doctoral research work. He was even appointed in the advisory board of NASA and Pentagon which no Indian Scientist has achieved.
 
Now he is doing social service with 10 lakh youths following him in Maharashtra. His aim is to serve the country till he dies. He wears only white khadi clothes. Walks without Chappals, any distance and always prefers it. In these days n times, what a great person, serving a great motherland. Youth should know about him. So request everyone to forward this post.
 
Vanaja Ravinair
 
उपरोक्त पोस्ट श्रीमती वनजा रविनायर जी द्वारा लिखल गेल अछि। ई फोटो सेहो प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जीक हालहि संपन्न महाराष्ट्र यात्राक थिक। कहियो प्रधानमंत्री मोदी सेहो एहि तरहक कठोर संकल्प संग देशक सेवा अलग रूप मे करैत छलाह। आवश्यकतानुरूप राजनीति मे प्रवेश कय आइ ओ देशक प्रधानमंत्री रहैत अपना केँ प्रधान सेवक मानिकय राष्ट्रसेवा केँ सर्वोपरि मानैत छथि। एक बेर ई फोटो देखि हमरा समान कतेको लोक केँ सच मे विश्वास नहि हेतैक… लेकिन आध्यात्मिक ज्ञान सँ भरल हमर माता-तुल्य गुरुआइन श्रीमती वनजा रविनायर जी केर पोस्ट सब दिन एहि तरहक मूल्यवान् शिक्षा दैत आयल अछि, से एहि पोस्ट मे सेहो प्राप्त भेल। विदित हो जे श्रीमती रविनायर मूल केरलवासी हाल महाराष्ट्रक मुम्बई मे रहैत छथि तथा ‘धर्म-मार्ग’ केर ओर्कुट समूह केर एक सक्रिय सदस्याक रूप मे हमरा लोकनि २००७ ई. सँ निरन्तर एक-दोसर सँ जुड़ल रहलहुँ अछि, ई हमर सौभाग्य थिक।
 
हरिः हरः!!