बेस्ट डायरेक्टर निर्देशक संतोष सरकार केँः फिल्म ओ रंगकर्मी केँ अवार्ड समारोह

२२ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

रङ्गवाटिका नेपाल द्वारा आयोजित प्रदेश स्तरीय नाटक तथा चलचित्र सांस्कृतिक महोत्सव मे सहभागी मैथिली सहित प्रदेशक अन्य भाषाक नाटक एवं फिल्म कलाकार सब केँ विभिन्न अवार्ड वितरण कयल गेल अछि। चैत ३० गते सँ वैसाख ४ गते धरि चलल नाटक तथा चलचित्र केर कलाकार, अभिनेता, अभिनेत्री, निर्देशक लोकनि केँ विभिन्न टाइटिल अवार्ड सँ सम्मानित परसू शनि दिन २० अप्रैल यानि ७ गते वैसाख केँ कयल गेल। विराटनगर सँ प्रसिद्ध मैथिली सिनेमा निर्देशक संतोष सरकार अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत स्वयं केँ बेस्ट डायरेक्टर अवार्ड सँ सम्मानित हेबाक समाचार देलनि अछि। तहिना मधेश पुत्र १ (मैथिली) आ मधेश पुत्र २ (भोजपुरी) केर अभिनेता निराजन मेहता केँ बेस्ट एक्टर अवार्ड देल गेलनि अछि।

जनकपुर स्थित मसाला कौटेज केर सभागार मे राखल गेल अवार्ड वितरण समारोह मे प्रदेश २ केर प्रदेश प्रमुख रत्नेश्वर लाल कायस्थ प्रमुख अतिथिक तौर पर आयल छलाह। हुनका संग प्रदेशक अन्य महत्वपूर्ण व्यक्तित्व लोकनि सेहो अतिथिक तौर पर अवार्ड वितरण कयलनि। प्रदेश प्रमुख रत्नेश्वरलाल कायस्थ प्रदेश स्तर पर भऽ रहल रङ्गकला आ चलचित्र निर्माण मे सहभागी कलाकार व लगानीकर्ता लोकनि प्रति आभारक शब्द व्यक्त करैत हिनका लोकनिक प्रोत्साहन लेल प्रदेश सरकार विशेष पहल करत से विश्वास जतेलनि। स्थानीय कला एवं संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन मे प्रदेश सरकारक पूर्ण सहभागिता रहत ओ कहलनि। एहि आयोजनक सूत्रधार प्रति सेहो आभारक शब्द व्यक्त करैत ओ अपना हाथ सँ कतेको कलाकार केँ सम्मान हस्तान्तरण कएने छलाह।

उत्कृष्ट नाटककर्मी, चलचित्रकर्मी तथा निर्माता, निर्देशक तथा कलाकार लोकनि केँ प्रशंसा पत्रक संग सम्मानक प्रतीक चिह्न (मोमेन्टो) आयोजक द्वारा हस्तान्तरण करायल गेल छल। एहि अवार्ड वितरणक बेर सेहो नृत्य-संगीत विभिन्न नामी कलाकार लोकनि द्वारा प्रस्तुत कयल गेल। विशिष्ट अतिथिक तौर पर प्रदेश सांसद परमेश्वर साह, उमाशंकर अरगरिया एवं डा. विजय सिंह सेहो उपस्थित छलाह। सहभागी कलाकार लोकनि एहि तरहक विशिष्ट आयोजन लेल आयोजक संस्था रंगवाटिका एवं संयोजक प्रति धन्यवाद एवं आभार प्रकट कयलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 1 =