प्रधानमंत्री सँ सवाल-जबाब केनिहार कन्हैया कुमार अपना सँ सवाल-जबाब पर मारिपीट केलनि

२२ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि बेगूसराय संसदीय क्षेत्र केर उम्मीदवार कन्हैया कुमार व हुनक समर्थक द्वारा क्षेत्र मे भ्रमण आ रोड शो करैत समय पब्लिक केर विरोधक विरुद्ध मारिपीट करबाक खबैर आयल। आब समाचार अछि जे कन्हैया कुमार समेत १२ गोटे पर नामजद केस दर्ज (एफआइआर) कराओल गेल अछि। कन्हैया कुमार अपन समर्थक संग रोड शो आ अपन चुनाव प्रचार मे घुमि रहल समय स्थानीय लोक द्वारा कारी झंडा देखेला सँ ई घटना घटल छल। कारी झंडा देखेनिहार केँ लाठी आ फट्ठा सँ कन्हैया कुमारक समर्थक घर घुसिकय मारिपीट कएने छल। एकर एकटा वीडियो सोशल मीडिया पर वायरल भेल आ धीरे-धीरे आक्रोश बढि गेलाक बाद मामला पुलिस केस तक पहुँचि गेल।

मीडिया मे आबि रहल समाचारक मुताबिक एक पुलिस अधिकारी द्वारा एहि घटनाक सम्बन्ध मे कहल गेल अछि जे १२ सँ बेसी समर्थकक संग कन्हैया कुमार गढपुरा खंडक कोराय गाँव मे रोड शो कय रहल छलाह, ताहि समय स्थानीय किछु युवक द्वारा हुनका विरुद्ध नाराबाजी करैत कारी झंडा देखायल गेल छल, एकर विरोध मे कन्हैया कुमारक समर्थक ओहि नाराबाजी केनिहार युवक सब केँ खेहारि-खेहारिकय मारिपीट करय लागल। बाद मे पुलिस केर एक दल ओहि ठाम पहुँचि बीच-बचाव कय केँ स्थिति नियंत्रण मे केलक। एहि घटनाक शिकायत गढपुरा थाना मे कन्हैया कुमार सहित १२ नामजद तथा १०० अज्ञात लोक पर शिकायत दर्ज करायल गेल अछि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

4 + 2 =