मैथिलीक लोक साहित्य केँ नव ऊँचाई प्रदान करबाक लेल डा. महेन्द्र नारायण राम भेला सम्मानित

अहमदाबाद, १७ मार्च २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

गुजरातक राजधानी मे सक्रिय मैथिली-मिथिलाक हितपोषक संस्था शाश्वत मिथिला तथा माँ जानकी सेवा समिति द्वारा संयुक्त रूप सँ मैथिली भाषा-साहित्यक विशिष्ट शिल्पकार डा. महेन्द्र नारायण राम केँ पाग-दोपटा सहित संस्थाक स्मृति-प्रतीक-चिह्न एवं अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सवक किट सहित सम्मान कयल गेलनि अछि।

शाश्वत मिथिलाक अध्यक्ष नीरज झा कहलनि जे हमरा सभक भाषा आ साहित्य केँ एक गोट नव ऊँचाई प्रदान कयनिहार सर्जक अपन कोनो कार्य सँ अहमदाबाद आयल छलथि, मिथिलाक लोक संस्कृति केँ अपन ओजस्वी शोधपूर्ण विचार आलेख सँ लिपिबद्ध कयलनि आर संस्था लेल हुनक आगमन एक नीक अवसर बनल। एहि अवसर पर साहित्यकार केँ सम्मानित कय हमहुँ सब सम्मानित अनुभव कय रहल छी। अध्यक्ष झा ईहो कहलनि जे निकट भविष्य मे साहित्य आ भाषा पर केन्द्रित कार्यक्रम सेहो हमरा लोकनि करबाक नियार मे छी, अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव मे एहि बातक अनुभव भेल जे साहित्य, पुस्तक, भाषा आदि लेल सेहो मैथिलीभाषी जनमानस केँ जोड़िकय राखब अनिवार्य अछि, अतः डा. राम केर सम्मान सँ ओहि तरहक कार्यक्रमक आरम्भ भेल सेहो कहि सकैत छी। एहि सँ पहिने डा. चन्द्रमणि व डा. जयप्रकाश जनक केर सम्मान हमरा लोकनि अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव मे ३ फरवरी २०१९ केँ कएने रहियनि। ई निरन्तरता बनल रहत।

सम्मानित सर्जक डा. राम स्वयं अपन फेसबुक स्टेटस मे संस्था द्वारा भेटल सम्मान प्रति कृतज्ञता ज्ञापित करैत लिखलनि अछि, “सुखद संयोग ..गाँधीनगर, गुजरात.. माँ जानकी सेवा समिति ओ शाश्वत मिथिला, अहमदाबाद, गुजरात द्वारा सम्मानित कयल गेलहुं .. एहि लेल संस्थान केर पदाधिकारी लोकनिक खासकs श्री नीरज कुमार झा जी, श्री राजकिशोर झा जी, श्री अनिल मिश्रजी, श्री प्रवीण झा जी, श्री सुरेन्द्र झा जी ओ श्री शेखर प्रियदर्शी जी कें बहुत-बहुत आभार ..।”

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सम्मान कयनिहार आ सम्मानित दुनू पक्ष केँ मैथिली भाषा-साहित्य लेल एहि महत्वपूर्ण धाप लेल आभार प्रकट करैत एहि विषय दिश आरो कार्यक्रम सब करैत रहबाक लेल शुभकामना देल जाइत अछि।