उल्लासक संग सम्पन्न भेल आबयवला मैथिली फिल्म जिला बेगूसरायक मुहूर्त

मुम्बई डेस्क, मैथिली जिन्दाबाद! ८ फरवरी २०१९ ।

काल्हि ७ फरवरी २०१९ केर साँझ मुम्बई केर मुख्य व्यवसायिक केन्द्र अन्धेरीक अरुण स्टुडियो मे मैथिली फिल्म जिला बेगूसरायक मुहूर्त भेल। एहि अवसर पर जतय एक दिश साहित्यक लोक भरल छलाह ओतय कला आ संगीतक लोक सहजहि। मैथिली साहित्यक चर्चित साहित्यकार हिरेन्द्र कुमार झा, अरविन्द ठाकुर, मैथिली लेखक संघक महासचिव विनोद कुमार झाक उपस्थिति मे एहि मुहूर्त केर आरम्भ मे फिल्म जिला बेगूसरायक लेखक-निर्देशक युवा किसलय कृष्ण, जाहि मे मैथिली फिल्मक इतिहास एवं वर्तमान दशा-दिशा पर चर्चा कयलनि।

फिल्मक संगीतकार गायक पवन नारायण फिल्मक एक-दूटा गीत गुनगुनाकय दर्शक-श्रोताक मनोरंजन कयलनि। एहि अवसरपर हिन्दीक चर्चित धारावाहिक उत्तंग केर निर्माता मैथिल व्यक्तित्व अमित चन्द्रा सेहो मैथिली सिनेमा केँ सार्थक दिशा मे लऽ जेबा पर बल देलनि और अपन उपस्थिति सँ समारोह केँ गरिमापूर्ण बनौलनि।

जेना कि पहिने सँ विदित अछि जे एहि फिल्मक मुख्य भूमिका मे सस्ता जिनगी महग सिनूर फिल्मक फेम ललितेश झा, एनएसडी सँ प्रकाश झा, सीतामढी सँ अनिल मिश्रा, संजीव पूनम मिश्रा, अतुल छथिये, तेकरा संगहि नायिकाक रूप मे पूर्णियाक दीक्षा झा और सहरसाक आरती शंकर केँ सम्मिलित कयल गेल अछि। तहिना मुख्य खलनायक केर रूप मे पायाक एहि पार आ ओहि पार दुनूक चर्चित चेहरा नेपालीय मिथिलाक प्रसिद्ध खलनायक रमेश रंजन झा त भारतीय मिथिला सँ प्रसिद्ध खलनायक गजराज यानि राजीव सिंह खलनायक केर भूमिका मे रहता।

संगहि मुहूर्तक एहि अवसर पर ललका पागक निर्देशक प्रशान्त नागेन्द्र, हिन्दी फिल्म निर्देशक सागर नाथ झा, प्रसिद्ध अभिनेत्री मोना राय, फूल चन्द्रकान्त झा, गौरव झा, मैथिली अभियानी पंकज झा, राजेश राय, धर्मेन्द्र कुमार झा, प्रशान्त, भोजपुरी फिल्मक निर्देशक निरज भारद्वाज, आनन्द विघतराज, आदि सेहो उपस्थित छलाह।

जिला बेगूसराय फिल्म पर विचार व्यक्त करैत प्रसिद्ध साहित्यकार अरविन्द ठाकुर कहलथि जे निश्चित रूप सँ फिल्मक नामे सँ लागि रहल अछि जे ई सम्पूर्ण मिथिलाक फिल्म होयत। जेना हिन्दी फिल्म मे अलग-अलग टोन अबैत छैक मुदा ओ हिन्दी रहैत छैक तहिना मैथिली फिल्म मे विभिन्न टोन केँ सम्मिलित कयल जाय तखन ओ सम्पूर्ण मिथिलाक फिल्म बनि सकत।

मैथिली लेखक संघक महासचिव विनोद कुमार झा शुभकामना दैत कहलनि जे एहि फिल्मक निर्माण किसलय कृष्ण एवं कुणाल ठाकुर केर एक सार्थक प्रयास सिद्ध होयत, मैथिली फिल्म वृहत् पटल पर स्थापित होयत जाहि सँ मैथिली भाषा प्रति लोकक वहम सेहो दूर होयत।

फिल्मक कार्यकारी निर्माता कुणाल ठाकुर उल्लासपूर्वक कहलनि जे ई सिनेमा आधुनिक तकनीक सँ त बनबे करत और एकरा रिलीज करय मे आधुनिक वेबसाईट मार्फत आनलाईन बेसी सँ बेसी रिलीज कयल जायत।

समारोह केँ संबोधित करैत मैथिली दर्पण पत्रिकाक सम्पादक दीपक कुमार झा कहलनि जे जिला बेगूसराय फिल्म केर निर्माण भाषा विकास आ क्षेत्रीय एकजूटता लेल एक गम्भीर आ सार्थक प्रयास थिक और एकर सफलताक लेल निर्माता-निर्देशक लोकनि केँ जाहि कोनो तरहक सहयोगक आवश्यकता पड़तनि ताहि लेल हम सब संग ठाढ रहब।

एहि अवसर पर बालीवूड सँ जितेन्द्र सिंह, मनीष, अभिषेक आजाद, निरज भारद्वाज, रवि, तुषार, नयना सहित सैकड़ों लोक उपस्थित छलाह आर एकटा सार्थक संकेत देलक ई मुहूर्त।