जानकी मिथिला सेवा समाज कुवैत द्वारा महोत्तरी गाउंपालिका मे खोलल जायत विद्यालय

सुर्योधन कुमार ठाकुर, कुवैत। ७ फरबरी २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक मिथिलाक्षेत्र सँ कुवैत मे आबिकय रोजी-रोटी कमेनिहार मैथिल श्रमजीवी समुदाय अपन समाज मे व्याप्त अशिक्षा केँ दूर करबाक लेल चिन्ता करैत एहि दिशा मे सामुदायिक विद्यालय स्थापना करबाक विचार केलक अछि। एकर शुरुआत महोत्तरी गाउंपालिका ३ सँ होयबाक जनतब जानकी मिथिला सेवा समाज कुवैत द्वारा देल गेल अछि।

सरस्वती पूजाक उपलक्ष्य मे मिथिला समाज द्वारा ई पुनीत डेग बढायल जायत जाहि मे मातृभाषाक माध्यम सँ शिक्षा देबाक योजना य। शिक्षाक अवस्था एखन धरि स्तरीय नहि हेबाक एकटा कारण ई देखल जाइछ जे श्रमजीवी समुदायक बच्चा केँ अपन भाषा मे शिक्षा उपलब्ध करेबाक विकल्प नहि छैक, तैँ मातृभाषा मे पढेबाक व्यवस्था कयल जेबाक बात निर्णय लेल गेल छैक।

जानकी मिथिला सेवा समाज कुवैत केर स्थापना मिथिलावासी श्रमजीवी समुदायक लोक द्वारा कयल गेल अछि। मेहनत-मजदूरी करैत कुवैत समान दुरूह जगह पर जीवन बिता रहल मैथिल जनसमुदाय समाजक बच्चा मे उचित शिक्षाक प्रसार सँ भविष्य बेसी नीक बनत आर ताहि लेल ई लोकनि अपन-अपन आमदनी मे सँ थोड़-बहुत पैसा बचत कय केँ विद्यालय संचालन करबाक भार उठौलनि अछि।

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी संग भेल बातचीत मे मैथिली मातृभाषा मे पढौनी लेल शिक्षक उपलब्ध करेबाक आ विद्यालय संचालन लेल उचित सम्बन्धन आ स्वीकृति लेल कयल गेल सलाह मुताबिक जिला शिक्षा कार्यालय मे उचित आवेदन करैत संचालन समितिक गठन शीघ्र कयल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि। १००% साक्षरता केर एहि विशेष अभियान मे जानकी मिथिला सेवा समाज तत्परता सँ सब काज आगू बढा रहल अछि, सरस्वती पूजाक दिन सँ एकर औपचारिक उद्घाटन भऽ जाय ताहि लेल तैयारी चलि रहबाक जानकारी संस्थाक सचिव करौलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

1 + 3 =