जनकपुर मे खुलल क्लोथ बैंक धनुषा, दान करू नव कपड़ा अभावग्रस्त केर सहयोग लेल

१४ नवम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

जनकपुरधाम मे खुलल क्लोथ बैंक
 
प्राचीन मिथिलाक राजधानी जनकपुरधाम मे सामाजिक-राजनीतिक कार्यकर्ता – अभियन्ता लोकनिक अग्रसरता मे गरीब-असहाय-अभावग्रस्त सब केँ शीतलहर आ जाड़ सँ बचावक पुनीत उद्देश्य सँ क्लोथ बैंक केर अनुपम प्रयास आरम्भ कयल गेल अछि। एहि मुहिम केर एक अगुआ राष्ट्रीय जनता पार्टीक नेता राजीव झा मैथिली जिन्दाबाद केँ जनतब दैत कहलनि अछि जे ई मुहिम मे सम्पन्न आ दानी व्यक्ति सभ सँ दान संग्रह करैत आवश्यकता मे रहल गरीब, वंचित, असहाय, अभावग्रस्त सब केँ मदति करैत विशेष रूप सँ शीतलहर सँ बचाव केर उपाय कयल गेल अछि।
 
“दान गरि पुन्यको भागी बनौं – नयाँ लुगा चाहियो” नेपालीभाषाक एहि नारा अर्थात् ‘दान कय पुण्यक भागी बनू, नव कपड़ा चाही’ केर नारा दैत क्लोथ बैंक धनुषा आम आह्वान करैत उपरोक्त अभियान केँ गतिशील बनौलक, तहिना जनकपुर मे अवस्थित विभिन्न धार्मिक स्थल, रेलवे प्लेटफार्म, सड़क किनार जीवन व्यतीत कयनिहार असहाय, अस्पताल मे इलाजरत असहाय सब केँ आवश्यक कम्बल व अन्य गरम कपड़ा सब वितरण सेहो कयल जेबाक जनतब श्री झा करौलनि।
 
अपन आमदनीक किछु अंश मात्र लक्षित समुदाय आर लक्षित व्यक्ति – यानि अभाव मे रहल लोक सभक वास्ते दान करू। समाज मे रहल कम आय अर्जन करयवला लोक जे अपना लेल वा अपन आश्रीतजन लेल चाहियो कय नव कपड़ा नहि कीनि सकैत अछि, तेहेन व्यक्ति सब केँ सहयोग करू। – एहि धारणा केँ आत्मसात कय क्लोथ बैंक धनुषा संचालन मे आनल गेल अछि श्री झा बतौलनि। अहाँ जे दान करब तेकर विवरण सहित केर रेकर्ड प्रमाणपत्र देल जायत आ संगहि वितरण कयल गेल तथ्याँक सेहो उपलब्ध कराओल जायत, ओ कहलनि। एहि लेल दान करबाक इच्छूक व्यक्ति सब सँ आग्रह करैत ओ कहलनि जे अहाँ अपन दान देबाक लेल (1) राजीब झा – 9851148234, (2) सुनील चौधरी – 9854021398, (3) पुरन साह – 9844126588, (4) सुरेश शर्मा – 9854021323, (5) प्रभास राय (जनक) – 9854025388 तथा (6) पारस जैन – 9854029700 केँ सम्पर्क ठेगाना जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर – 4 केर वार्ड कार्यालय संगहि सटल सटर मे प्रातःकालीन 10 बजे सँ सायंकाल 4 बजे धरि दान कय सकैत छी।
 
हाल धरि दान कयनिहार व्यक्तित्व सब मे धनुषा जिलाक प्रमुख जिलाधिकारी प्रदीप राज कनेलक प्रयास मे (1) श्री राम कुमार कर्ण कार्यक्रम संयोजक मित्र धनुषा 120 थान कम्बल; प्रहरी उपरीक्षक गोबिन्द पराजुलीक प्रयास मे (2) श्री बलराम ठाकुर बृहतर जनकपुर कार्यकारी प्रमुख 80 थान कम्बल; (3) श्री चन्द्र नारायण मंडल अध्यक्ष एन प्याब्सन 50 थान कम्बल; (4) मा. राजेन्द्र महतो संयोजक राजपा नेपाल 100 थान कम्बल एहि क्लोथ बैंक केँ प्राप्त भेल।