बंगलुरू मे सम्पन्न भेल विद्यापति स्मृति महापर्व, स्वामी हरिहरा द्वारा मिथिला समुदायक मुक्तकंठ प्रशंसा

बंगलुरू मे भेल विद्यापति स्मृति महासमारोह - जुटलाह दसो हजार दर्शक

१३ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

बंगलुरू मे सम्पन्न भेल विद्यापति स्मृति महापर्व समारोह

बंगलुरू केर पैलेस ग्राउन्ड मे काल्हि १२ जनवरी केँ महाकवि कोकिल विद्यापतिक स्मृति महापर्व केर रूप मे भव्यतापूर्वक सम्पन्न भेल। एहि अवसर पर पूरे बंगलुरू सँ दसो हजार लोक केर भव्य उपस्थिति देखल गेल। अपेक्षित ३० हजार केर भीड़ मे १० हजार केर उपस्थिति असाधारण आ अपूर्व होयबाक बात आयोजन मे सक्रिय राकेश कुमार झा मैथिली जिन्दाबाद केँ दूरभाष पर बतौलनि। ओ कहलनि जे सभागार मे एकहु टा कुर्सी खाली नहि छल, सभागार केर बाहरो करीब ७-८ हजार कुर्सी लगायल गेल छल, टेस्ट अफ बिहार द्वारा मिथिलाक विशेष परिकार केर बिक्री केन्द्र पर करीब डेढ-दुइ हजार लोकक भीड़ छल। लोक सब बहुत उत्साहित आ वातावरण सेहो पूर्ण तरहें मिथिलामय छल।

कार्यक्रमक उद्घाटन दीप्ति प्रज्वलन करैत कयल गेल। तदोपरान्त पूरे देश भरि सँ आमन्त्रित एक सँ बढिकय एक गायक-गायिका लोकनि मिलिकय महाकवि विद्यापतिक रचना गोसाउनिक गीत “जय जय भैरवि असुर भयाउनि, पशुपति भामिनी माया” केर सुमधुर गान सँ भेल। तदोपरान्त डा. चन्द्रमणि झा केर अमर-रचना “मंगलमय दिन आजु हे पाहुन छथि आयल” केर गायन सँ समस्त अतिथि-दर्शक-श्रोता-सहभागी लोकनिक स्वागत करैत कार्यक्रम गति पकड़ि लेलक।

विकास झा आ माधव राय केर गायन सेहो श्रोता-दर्शक केँ खूब झुमेलकनि। दुमका मे झुमका हेरौलनि काशी मे कनबाली सँ लैत एक पर एक मैथिली लोकगीत गाबि बंगलुरू मे मिथिलामय वातावरण बना देल गेल छल। मिथिला मंचक प्रसिद्ध उद्घोषक राम सेवक ठाकुर द्वारा कुशल मंच संचालन आ बीच-बीच मे हास्य-व्यंग्य केर फुहार सँ बंगलुरूक मैथिली दर्शक ओतप्रोत छलाह।

गायिका लोकनि मे छाया कुमार, मैथिली ठाकुर, पूनम मिश्रा, प्रीतम झा, रजनी पल्लवी सहित आरो कइएको लोकनिक सहभागिता सँ कार्यक्रम भव्य सँ भव्यतम् होइत रहल। सब कियो खुलिकय अपन गायकी सँ दर्शक-श्रोता केँ मैथिलीक रस मे सराबोर करैत रहलीह। आर्ट अफ लिविंग केर कलाकार द्वारा विद्यापति आ उगनाक प्रसंग केँ गीत-नाटिकाक रूप मे प्रस्तुति देल गेल जे देखि सब कियो मंत्रमुग्ध भऽ गेल छलाह। हास्य प्रहसन लेल प्रियंका झा केर प्रस्तुतिक सेहो खूब वाहवाही कयल गेल। समस्त कलाकार लोकनि केँ आयोजक द्वारा पाग, दोसल्ला आ संस्थाक विशेष प्रेमक प्रतीक चिह्न सहित सम्मानित कयल गेलनि।

गायिका छाया कुमार सेहो काफी आह्लादित होइत जनतब देली जे बंगलुरू मे पहिल बेर एहेन भव्य जुटान कयलनि आयोजक लोकनि, ओ सब धन्यवादक पात्र छथि। हुनकहि शब्द मे, “बहुत भव्य आयोजन छल काल्हि के। मिथिला केर परचम दक्षिण भारत मे एतेक विशाल स्तर पर अभूतपूर्व रूपे लहरायल गेल। नीतीश कुमार जी स लय क “आर्ट ऑफ लिविंग” तक केँ ई कार्यक्रम एक कय देलक। एतेक मैथिल जन केँ एक ठाम एकत्रित कय सब केँ एतेक सुंदर स्वागत – वाह! मिथिलाक नामी गिरामी कलाकार केर हुज़ूम बैंगलोर में सेहो पहिल बेर छल। बहुत नीक शुरुआत। पवन मिश्र जी , प्रजेश झा जी सहित पूरा आयोजन समिति केँ बहुत धन्यवाद एतेक सफल आयोजन लेल।”

एहि वर्षक एतेक पैघ आयोजन केर मुख्य प्रेरणादाता तथा परिकल्पनाकार अखिल भारतीय एकता मंच केर अध्यक्ष श्री उदय सिंह जी केर सम्मान करबाक संग-संग बाहर सँ आयल अतिथि लोकनि केँ सेहो सम्मान कयल गेलनि।

मैथिल अड्डा – कनेक्ट टु मिथिला केर स्थापनाक मादे तथा एकर पुनीत उद्देश्य जे नव पीढी केँ कोना बेसी सँ बेसी अपन मिथिला संस्कृति सँ जोड़ल जाय ताहि विषय पर सेहो चर्चा कयल गेल छल। मंच सँ एहि उपक्रम मे सब गोटा केँ जुड़बाक आह्वान कयल गेल छल।

बाहरी कलाकार लोकनि सेहो बंगलुरू केर आयोजन आ लोकक उपस्थिति देखि गदगद देखाइत छलाह। ओहो लोकनि अपन मिथिलावासी द्वारा पूरे देश मे एतेक विशाल कार्यक्रमक मुक्तकंठ सँ प्रशंसा करैत रहलाह।

पहिने सँ अपेक्षित मुख्य अतिथि बिहारक मुख्यमंत्री किंवा कर्नाटकक मुख्यमंत्री वा आध्यात्मिक धर्मगुरु श्री श्री रविशंकर – ई लोकनि स्वयं नहि पहुँचि सकलाह। तीनू गोटे अपन-अपन प्रतिनिधिक रूप मे बिहार सँ राज्य योजना परिषद् सदस्य सह जदयू राष्ट्रीय महासचिव संजय झा, कर्नाटक सँ सहकारिता मन्त्री बन्दप्पा कशमपुर तथा आध्यात्मिक गुरु हरिहरा केँ पठौने छलाह। हिनका लोकनि द्वारा मिथिलाक ऐतिहासिकता, मैथिली भाषाक मिठासक संग लोकसंस्कृति आ विद्याक प्रधानता व सृजनशीलता सँ मिथिलाक बाहरो ओतबे प्रतिष्ठित समुदाय होयबाक बात सभा केँ संबोधित करैत बताओल गेल। पूर्व विधान परिषद् सदस्य संजय झा जतय बंगलुरूक मैथिल समाज केर सुविधा देखैत दरभंगा एयरपोर्ट सँ बंगलुरू केर सीधा फ्लाईट जल्दिये चालू होयबाक बात कहलनि, संगे ओ महाकवि विद्यापतिक नाम पर दरभंगा एयरपोर्ट केर नामकरण होयबाक लेल समस्त मिथिलावासी केर तरफ सँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ बधाई सेहो ज्ञापन कयलनि। तहिना बंगलुरू मे आइटी केर क्षेत्र सँ सरकारी-गैरसरकारी अन्यान्य क्षेत्र मे मैथिलीभाषी समुदायक योगदान केँ मुक्तकंठ सँ प्रशंसा करैत एहि आयोजन लेल पर्यन्त सराहना करैत कर्नाटकक सहकारिता मन्त्री आगामी समय मे कर्नाटक सरकार हर तरहें सहयोग लेल तत्पर रहबाक बात ओ कहलनि।

स्वामी हरिहरा – आर्ट अफ लिविंग सँ श्री श्री रविशंकर केर सन्देश सहित आयल छलाह। ओ मैथिल केर प्राचीन सुसभ्यता आ विद्या धनक प्रधानता केर बात कहि मिथिलाक अनेकों महान् दार्शनिक यथा वाचस्पति, मंडन, उदयनाचार्य आदिक नाम काफी ऊपर रहबाक बात सभा केँ बता हरेक मिथिलावासी केँ आत्मसम्मान सँ भरि देने छलाह। मैथिलक संस्कार, भाषाक मधुरता, अतिथि सत्कार केर सर्वोच्चता आदि पर विशेष प्रकाश दैत आर्ट अफ लिविंग केर संस्थापक आध्यात्मिक धर्मगुरु श्री श्री रविशंकर कइएको बेर मिथिलाक यात्र करबाक बात सेहो बतौलनि। आर्ट अफ लिविंग मे मिथिला काफी बेर चर्चाक विषय रहबाक रहस्योद्घाटन करैत ओ आयोजक लोकनि केँ कर्नाटकक राजधानी मे पर्यन्त मिथिलाक रसास्वादन करेबाक लेल धन्यवाद ज्ञापन कयलनि। शंकराचार्य केर मिथिला यात्रा, ओतय मंडन मिश्र सँ साक्षात्कार, मिथिला भाषा-साहित्य मे सम्पन्नता, राष्ट्र निर्माणक संग-संग मानवताक रक्षा लेल मिथिला अपूर्व योगदानक चर्चा, आर एहि परम्परा केँ आगू बढेबाक लेल समस्त मिथिलावासी केँ शुभकामना सेहो देलनि।

कार्यक्रमक अन्त मे अध्यक्ष पवन मिश्र, प्रजेश जी, शंकरानन्द जी – हिनको लोकनिक सम्मान कयल गेलनि। सम्पूर्ण कोर कमिटी केर सदस्य लोकनिक सहयोगक खूब प्रशंसा कयल गेल। विभेश जी, राकेश जी, पालन जी, आशुतोष जी, जटा शंकर जी, मनीष जी, एवं समस्त डीजीटल टीम जिनक योगदान सँ बैनर्स व डिस्प्ले कयल गेल तिनका सभ केँ मंच सँ धन्यवाद ज्ञापन करैत कार्यक्रम केँ समापन कयल गेल। समापन उपरान्त सामूहिक भोज जाहि मे मिथिला शैली मे भोज खुआओल गेलैक।

राकेश कुमार झा कहलनि जे सिर्फ किताबक प्रदर्शनीक कमी देखलहुँ, जखन कि मांगकर्ता बहुतो लोक भेटलाह। ई चूक भेल एहि वर्ष। तहिना मिथिला गृह उद्योग केर निर्मित समान, आर्ट-क्राफ्ट संग मिथिला पेन्टिंग आदिक बिक्री-प्रदर्शनीक सेहो पैघ मांग छैक जे शीघ्र दोसर आयोजन मे कयल जेतैक। आयोजक कमिटी द्वारा वर्ष मे २ बेर एहि तरहक विशाल स्तर पर सांस्कृतिक जागरणक कार्यक्रम कयल जेबाक संकल्प लेल गेल अछि। आगाँ जून २०१९ मे पुनः विशाल आयोजन कयल जेबाक घोषणा सेहो कयल गेल अछि।

मिथिला अभियानी आशीष चौधरी फेसबुक पर स्टेटस लिखैत जनौलनि अछि जे दरभंगा सँ बंगलुरू, मुम्बई आ दिल्ली लेल सीधा फ्लाईट केर आरम्भ स्पाइसजेट विमान कंपनी द्वारा होयत, एहि आशय केर बैनर बंगलुरू केर विद्यापति स्मृति महापर्व समारोह मे लागल देखल।