कुचिपुड़ी नृत्य लेल कीतिका झा केँ नागपुर मे बाल प्रतिभा सम्मान

१३ नवम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

कुचिपुड़ी नृत्य प्रदर्शन लेल कीतिका झा केँ नागपुर मे बाल नृत्य प्रतिभा सँ सम्मानित कयल गेलनि अछि। ११ जनवरी केँ नववर्ष केर उपलक्ष मे प्रतिभा नृत्य मंदिर द्वारा आयोजित शास्त्रीय नृत्य महोत्सव केर उदघाटन दिग्दर्शिका रत्नम जनार्दनन केर उपस्थिति मे भेल जतय देश भरि सँ विभिन्न प्रान्त केर कलाकार द्वारा अनेकों नृत्य केर प्रस्तुति सँ दर्शक लोकनिक मनोरंजन कयल गेल। कुल दस एकल प्रदर्शन, ३ युगल तथा १ सामूहिक नृत्य प्रदर्शन महोत्सव केर पहिल दिवस भेलैक।‍ एहि मे कुचिपुड़ी, भरतनाट्यम, नृत्य प्रमुख छल। डा. जयकृष्णन, खड़गपुर केर कीतिका झा, मुंबई केर विनीता श्रीनन्दन नृत्य प्रस्तुत कय दर्शक लोकनि केँ मंत्रमुग्ध कय देलनि।

दर्शक सब सँ भरल सभागृह मे जखन कीतिका द्वारा कुचिपुड़ी केर सोलो वर्ग तहत नृत्य केर प्रदर्शन केँ जोरदार प्रशंसा भेटल। कीतिकाक उत्कृष्ट प्रदर्शन केँ देखैत हुनका ‘बाल नृत्य प्रतिभा’ सँ सम्मानित कयल गेलनि। विदित हो जे कटक महोत्सव २०१९ मे कीतिका अपन सुन्दर प्रस्तुति सँ नृत्य प्रतोयोगिता मे प्रथम स्थान प्राप्त कएने छलीह। तहिना हुनका एहि सँ पूर्व मे सेहो नृत्य प्रदर्शन लेल आंध्र प्रदेश मे नाट्य मयूरी सम्मान, छत्तीसगढ़ केर भिलाई मे नृत्य कला सम्मान, कोलकाता मे नृत्य शीला सम्मान एवं नृत्य ज्योति सम्मान, भुबनेश्वर में कला निष्ठा सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल छन्हि।