मुम्बई मे आयोजित मिथिला महोत्सव मे गायक संजीव कश्यप केँ पुरस्कार संग सम्मान

कुणाल ठाकुर, मुम्बई। ८ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल समाज द्वारा दसम मिथिला महोत्सव रवि दिन नवी मुंबई मे धूमधाम सँ मनायल गेल। एहि कार्यक्रम मे संजीव कश्यप केर गायन मे विद्यापति गीत संग पारम्परिक मैथिली लोकगीत सुनि श्रोता समाज भाव विभोर भेलाह। हुनक गायन केर प्रशंसा करैत आयोजक संस्था द्वारा पुरस्कारक संग सम्मानित सेहो कयल गेलनि। एहि अवसर पर मैथिली लाइन प्रोड्यूसर व समाजसेवी कुणाल ठाकुर, कमल सेठ, सीए ललित झा, एससी मिश्र, मैथिली दर्पण केर प्रकाशक दीपक झा, के के झा, गायक रामबाबू झा, कुमकुम मिश्र, माधव राय लोकनिक उपस्थिति छल।

एहि महोत्सव केँ संबोधित करैत विभिन्न वक्ता लोकनि मैथिली, मिथिला व मैथिल केर अस्तित्व केर संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन मे मिथिलाक भाषा-साहित्य, संस्कृति-संस्कार सँ जन-जन केर जुड़ाव आवश्यक कहैत एहि तरहक महोत्सव एहि कार्य मे सहयोगी होयबाक बात कहलनि। रोजी रोजगार प्राप्ति लेल मिथिलावासी परदेश मे प्रवासी रहितो मुम्बई केर मैथिल समाज अपन भाषा-साहित्य कला आ संस्कृति केँ बचेबाक महत्वपूर्ण आयोजन आइ कतेको वर्ष सँ करैत आबि रहल अछि। मैथिल समाज सेवा संस्थान मुंबई द्वारा सहरसा निवासी संजीव कश्यप केँ पुरस्कृत कयल गेला पर गायक संग‍-संग हुनक प्रशंसक लोकनि काफी प्रसन्नता व्यक्त कयलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

8 + 3 =