कुशेश्वर स्थान समीप ग्रामीण बिनोद मुखिया आ दशरथ मुखिया द्वारा कमला पर पुलक निर्माण

कुशेश्वर स्थान, ६ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

साभार संजय सिंह जी – फेसबुक स्टेटस सँ

पढ़ने रही जे आवश्यकता आविष्कार केर जननी होइछ। ई तस्वीर ग्राम कौनियां, कुशेश्वर स्थान पुर्वी, जिला दरभंगा केर छी। कमला नदी पर पुलक निर्माण गैर-परंपरागत ढंग सँ कयल जा रहल अछि। गामहि केर बिनोद मुखिया और दशरथ मुखिया एहि पुलक आर्किटेक्ट छथि।कारीगरी एहेन कि आई आई टी इंजीनियर सेहो लजा जेता। बांस, बोरी, माटि और गार्टर केर जगह ताड़क गाछ केर प्रयोग कयल गेल अछि। हिनका लोकनिक दावी छन्हि जे एहि पुल देने लोडेड ट्रैक्टर-टेलर आराम सँ गुजैर जायत। ई पुल पंचायत केर पांच-छः गाम केँ मुख्यालय सँ जोड़बाक काज करत आर आवागमन केर मुख्य मार्ग होयत। हुनका लोकनिक एहि कारीगरी आर जनकल्याणक भाव केँ सलाम।

उपरोक्त बात संजय सिंह जी द्वारा हिन्दी भाषा मे फेसबुक पर फोटो आ वीडियो पोस्ट करिते ई समाचार वायरल भऽ गेल अछि। चूँकि संजय सिंह भारतीय जनता पार्टीक स्थानीय कैडर सेहो थिकाह, तैँ हिनका वर्तमान बिहार सरकार ई काज नहि करबाक प्रश्नक सामना सेहो करय पड़लनि अछि। एकर जबाब मे श्री सिंह बतेलनि जे एहि स्थानक बगले देने कुशेश्वरस्थान-फुलतोरा घाट धरि ३९१ करोड़ केर बजट सरकार द्वारा पास कय ओहि पर सेहो कार्य चलि रहल अछि। तखन ई निर्माण ग्रामीण सब अपन सुविधा केँ मुताबिक अपनहि संसाधन जुटाकय कय रहला अछि, एकरो लाभ आम लोक केँ बहुत हद तक भेटतैक।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 6 =