इनरुवामे मैथिली सांस्कृतिक संध्या, गायक सन्नू कुमार केर धमाकेदार प्रस्तुति सँ झूमल दर्शक

Pin It

इनरुवा, सुन्सरी, नेपाल। २६ नवम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

‘युनाइटेड इनरुवा’ केर बैनर अन्तर्गत ‘सामा-चकेवा विशेष – मैथिली सांस्कृतिक संध्या’क आयोजन बीतल शुक्र दिन स्थानीय महेन्द्र चौक सँ सटल एकटा खुला चौरी मे कयल गेल। एहि अवसर पर टोल-टोल सँ थारू समुदाय सहित अन्य-अन्य सामा-चकेवा खेलेनिहाइर आम महिला समुदाय अपन-अपन पारम्परिक परिधान मे सैज-धैजकय सामा-चकेवाक सजल चंगेरा, माफा, आदि मे लेने कार्यक्रम स्थल पर आबिकय प्रदर्शनी सेहो लगौलीह। तहिना सांस्कृतिक संध्या मे मैथिलीक प्रसिद्ध आ लोकप्रिय गायक सन्नू कुमार (सोनू मंडल), भागवत मंडल, देवेन्द्र सोनी, तनुजा चौरसिया आ राजदेवी कला केन्द्र केर प्रशिक्षु लोकनि द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति कयल गेल। सन्नू कुमार अपन चिर-परिचित अन्दाज मे बड़ा खुलिकय द्विअर्थी शब्द सभक प्रयोग करयवला गीत गेलनि, यथा ‘नथिया टूटल शैंयाँ खटिया पर’ आदि। भागवत मंडल द्वारा भगवतीक भजन सँ आरम्भ गायकी सन्नू, तनुजा, प्रकाश, देवेन्द्र आदिक गीत सँ श्रोता-दर्शक लोकनि केँ खूब झुमौलक। तहिना मिथिलाक विभिन्न पारम्परिक नृत्य केर प्रदर्शन राजदेवी कला केन्द्रक कलाकार लोकनि कयलनि जाहि सँ पूरा वातावरण मिथिला-मैथिलीमय रहल। मंच संचालन युवा शिवम मिश्रा प्रशान्त एवं संतोष मेहता द्वारा कयल गेल। एक सँ बढिकय एक प्रस्तुतिक जतेक प्रशंसा कयल जाय से कम होयत, युवा श्रोता सभक झूमबाक आ मोबाईल केर फ्लैश लाईट चमकैत रहबाक सुन्दरता सेहो अवर्णनीय छल।

संयोजक धीरज वर्माक अध्यक्षता तथा इनरुवा नगरपालिकाक मेयर राजन मेहताक प्रमुख आतिथ्य मे राखल गेल संछिप्त सम्मान समारोह सेहो बहुत महत्वपूर्ण भेल। एहि अवसर पर इनरुवा नगरपालिकाक वार्ड नंबर ४ केर सदस्य जनप्रतिनिधि लक्ष्मी वर्मा द्वारा स्वागत अभिभाषण देल गेल तहिना मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा सामा-चकेवाक अवसरपर सब पबनैती माय-बहिन आ भाइ लोकनि लेल सामा-चकेवा पाबनिक महत्वक संग आध्यात्मिक पाठ सिखबाक प्रेरणा बाँटल गेल। इनरुवा नगरपालिकाक मेयर राजन मेहताक सम्मान करैत एकटा सम्मान पत्र हस्तान्तरित कयल गेल जाहि मे हुनका सँ प्रदेश १ केर काजकाजक भाषा मे मैथिली केँ स्थान दियेबाक लेल प्रयास करबाक जिम्मेदारीक सेहो चर्चा छल। एहि जिम्मेदारी केँ मेयर साहेब सहर्ष स्वीकार करैत उपस्थित जनमानस सँ सामा-चकेवाक अवसरपर हरेक वर्ष मैथिली सांस्कृतिक संध्याक आयोजनक वादा सेहो कयल गेल। एहि अवसर पर मैथिली विकास अभियान विराटनगरक अध्यक्ष पंकज वर्मा, साहित्यकार-कवि कर्ण संजय, संचारकर्मी वरुण मिश्र, कायस्थ समाज मोरंग केर अध्यक्ष अमलेश कर्ण, सिनेमा निर्मात्री एवं समाजसेवी आभा अनुपमा, नेपाल टुरिज्म बोर्ड केर प्रबंधक सुमन घिमिरे, संचारकर्मी महाप्रसाद खतिवडा, संचारकर्मी तथा मैथिली अभियानी नवीन कर्ण, संतोष मेहता, सिनेकर्मी जयराम यादव यदुवंशी, युवा समाजिक अभियन्ता भाष्कर चौधरी एवं स्थानीय अनेकों नेता तथा पुलिस अधिकारी सेहो उपस्थित छलाह।

मैथिली गीत केर प्रस्तुति बिल्कुल एक म्युजिकल कान्सर्ट केर तर्ज पर राखल गेल जाहि मे आम जनसमुदाय खूब नाचलनि आ गायकक संग अपनो आवाज मिलौलनि – मैथिली जिन्दाबाद सँ कार्यक्रम उपरान्त बातचीत करैत संयोजक धीरज वर्मा बतेलनि। ओ कहलनि जे इनरुवा नगर मे आजुक दिन भोजपुरी गीतक कोनो डिमान्ड नहि होयब आ सगरो मैथिली गीत सुनबाक लोकप्रियता सँ काफी सन्तोष भेटैत अछि। विदित हो जे पिछला ५ साल सँ इनरुवा मे निरन्तर एहि तरहक आयोजन साल मे एक बेर स्वयं वर्माक अगुवाई मे कयल जाइत अछि जखन कि हरेक पूजा-पाबैन केर सुअवसर पर भारत तथा नेपाल केर एक सँ बढिकय एक नामी-गिरामी गायक-कलाकार लोकनि एतय आबि अपन प्रस्तुति दैत छथिन। नेपाल टुरिज्म बोर्ड केर पदाधिकारी सुमन घिमिरे उपस्थित जनमानस मे मैथिली भाषा प्रति एहेन सुन्दर लगाव केर भूरि-भूरि प्रशंसा करैत बोर्डक तरफ सँ सहकार्य आरो बढेबाक वादा कयल गेल। एहि तरहक कार्यक्रम सँ भाषा, कला, संस्कृति, समाज सभक हितक संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन होयबाक मुख्य उद्देश्य पूरा हेबाक आमजनक प्रतिक्रिया छल।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

1 + 8 =