कुर्सों दुर्गास्थान केर वर्णन आ अद्भुत श्रृंगारक वर्णन करैत एक भजन – नवरात्र विशेष समर्पण

Pin It

नवरात्र विशेष – कुरसों दुर्गास्थानक वर्णन पर आधारित एक भजन

– प्रवीण नारायण चौधरी

मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में
लागल छल भक्तक अम्बार, हमर गाम कुरसों में
 
ब्रह्म-मुहुर्तक भोरू पहर में
पूजा करय सब भक्ति लहर में
ब्रह्म-मुहुर्तक भोरू पहर में
पूजा करय सब भक्ति लहर में
अम्बा गोहारय अपार,
अम्बा गोहारय अपार, हमर गाम कुरसों में
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में…
 
रंग-बिरंगक फूलक माला,
भक्त चढौलनि मायक गाला,
रंग-बिरंगक फूलक माला,
भक्त चढौलनि मायक गाला,
कल जोड़ि भेला सब ठाढ…
कल जोड़ि भेला सब ठाढ, हमर गाम कुरसों में
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में…
 
मायक मन्दिर सोना स्वरूपा
ज्योति छै पसरल भरि भवरूपा
मायक मन्दिर सोना स्वरूपा
ज्योति छै पसरल भरि भवरूपा
मैया करथि भवपार…
मैया करथि भवपार, हमर गाम कुरसों में
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में…
 
साँझु पहर अवर्णनि मीता
आबथि पूजय गौरी ओ सीता
साँझु पहर अवर्णनि मीता
आबथि पूजय गौरी ओ सीता
दुर्गा संग विष्णु सरकार,
दुर्गा संग विष्णु सरकार, हमर गाम कुरसों में
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में….
 
कल जोड़ि विनती स्तुति गाबय
जय शिव प्रिये शंकर प्रिये, जय मंगले मंगल करो…
जय अम्बिके जय त्र्यंबिके, जय चण्डिके मंगल करो…
कल जोड़ि विनती स्तुति गाबय
मायक महिमा माय केँ सुनाबय
कल जोड़ि विनती स्तुति गाबय
कल जोड़ि विनती स्तुति गाबय
मिथिला केँ करय नेहाल….
मिथिला केँ करय नेहाल, हमर गाम कुरसों में,
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में….
 
मंगल शनि कि रवियो दिन हो
कुर्सों नदियामी कीर्तन टीम हो
मंगल शनि कि रवियो दिन हो
कुर्सों नदियामी कीर्तन टीम हो
बरसय छय भक्तिक फुहार…
बरसय छय भक्ति फुहार, हमर गाम कुरसों में,
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में….
 
हे जगजननी, हे जगतारिणी,
एहि भवसागर पार उतारिनी,
हे जगजननी, हे जगतारिणी,
एहि भवसागर पार उतारिनी,
दया कृपा भवपार….
दया कृपा भवपार, हमर गाम कुरसों में,
मैया के अद्भुत श्रृंगार, देखल हम कुरसों में….
 
हरिः हरः!!
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

8 + 6 =