दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा जिला सलाहकार लेल विकास कुमार झा मनोनीत

दरभंगा, १ अक्टुबर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

दरभंगाक दुर्दान्त रंजना झा दहेज हत्याकाण्ड मे कैण्डल मार्च संग विकास कुमार झा

‘न दहेज लेबय – न दहेज देबय’ – ‘दहेज हँटाउ – बेटी बचाउ’ नारा बुलन्द करैत हाल धरि दरभंगा जिला मे ३-३ गोट मैराथन दौड़ केर आयोजन आर क्रमशः दहेज लोभी द्वारा असमाजिक-आपराधिक गतिविधि केर नियंत्रण लेल निरन्तर कार्यक निष्पादन करय वला दहेज मुक्त मिथिला केर दरभंगा कार्यकारिणी शीघ्र विस्तार होयबाक सूचना अछि। एहि महत्वपूर्ण कार्य केँ करबाक लेल सर्वप्रथम सहयोगी सलाहकार लोकनि केँ जोड़बाक कार्य आरम्भ कयल गेल अछि। ई जनतब दरभंगा जिलाध्यक्ष किशोर झा करौलनि। ओ कहलनि जे ‘गुरूजी’ अर्थात् विकास कुमार झा केर सहयोग सँ ई मुहिम दरभंगा जिला मे बहुत ऊपर धरि जा सकल अछि। आर आगाँ हिनका जिला कार्यकारिणीक सलाहकार रूप मे पाबि ई मुहिम जल्द आरो बहुत आगाँ बढत।

एहि सन्दर्भ मे अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा फेसबुक पर अपडेट लगबैत कहल गेल अछिः

प्रसन्नतापूर्वक सूचित कय रहल छी जे स्वयंसेवा साथ स्वायत्तता सँ भारत व नेपालदेशक विभिन्न स्थान पर मैथिली भाषाभाषी सभक बीच माँगरूपी दहेज केर प्रतिकार करयवला अभियान “दहेज मुक्त मिथिला” केर विभिन्न कार्यक्रम में सदैव तत्पर रहिकय सहयोग कयनिहार एक आदरणीय शिक्षक एवं युवा सामाजिक अभियंता श्री विकास कुमार झा केँ सलाहकार पद लेल मनोनीत कयल गेलनि अछि। दरभंगा अध्यक्ष श्री किशोर झा पर जिला कार्यकारिणी सहित अलगअलग पंचायत में निगरानी समिति गठन करबाक क्रम में ई एकटा महत्वपूर्ण कार्य भेल अछि। विदिते अछि जे सिर्फ स्वेच्छा सँ कियो व्यक्ति केँ पदभार ग्रहण करायल जाइछ आर ताहि क्रम केँ दरभंगा कार्यसमूह नीक सँ निर्वाह कय रहला अछि। हालहि सम्पन्न रंजना झा दहेज हत्याकांड, मुरैठा दहेज उत्पीड़न मामिला आ अन्य में हिनका लोकनिक मध्यस्थता सँ मुहिम गतिमान अछि। श्री विकास झा केर मार्गदर्शन आ संग सहयोग सँ ई मुहिम जल्द अपन गन्तव्य दिशा में बढ़त। हमर शुभकामना!😊

दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बेसडर आर के दीपक सेहो हिनका बधाई दैत कहलनि अछि जे भाइ विकाश कुमार झा जी केँ दहेज मुक्त मिथिला टीम में स्वागत अछि, संगहि दहेज मुक्त मिथिला केर ज़िला सलाहकार केर रूप मे मनोनीत होयबापर हुनका हार्दिक बधाई। 💐💐 💐

दरभंगा जिला संयोजक मनोज शर्मा कहलनि अछि जे भाइ विकाश कुमार झा (गुरु जी) सरकारी मिडिल स्कूल केर शिक्षक रहितो दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बिना कोनो स्वार्थे, बिना कोनो नाम केर लोभ अपन काज पर्दाक पाछु सँ करैत आइब रहल छथि। एकरा देखैत आब दहेज मुक्त मिथिला फैसला केलक अछि जे हिनका जिला सलाहकार केर रूप मे कार्यभार देल जाय। हिनकर सलाह आ समर्थन केँ हम सब सेनानी स्वागत और सलाम करैत छी। हम सब माँ जानकी सँ प्रार्थना करब की जहिना ई पहिले दहेज मुक्त मिथिला लेल काज करैत छलाह ओहिना और जोर-शोर सँ करैत रहता और सब सेनानी केँ मार्गदर्शन करता! बहुत बहुत बधाई विकाश कुमार झा केँ।

के छथि विकास कुमार झा

दरभंगा जिलाक शुभंकरपुर गामक निवासी काली कांत झा एवं मंजू देवीक एकमात्र सुपुत्र विकास कुमार झा हाल सरकारी मध्य विद्यालय मे शिक्षक छथि। समाजक हित्कार्य मे बच्चे सँ रुचि रखैत आयल छथि। पिताक गरीबी आ संघर्ष सँ प्रेरित रहि स्वयं अनेकों दुःख-कष्ट सहन करैत अपन माय-बाबूक सहारा बनिकय गाम-घर मे एकटा अलग तरहक साख बनौने छथि। अपन मेहनति आ लगन सँ प्रतियोगिता मे अव्वल बनिकय शिक्षक पद पर सरकारी नौकरी प्राप्ति करबाक दमखम सँ हिनक प्रतिभाक प्रशंसा चारूकात कयल जाइत अछि। अपन माता-पिताक एकमात्र सहारा गाम छोड़ि कतहु बाहर नहि जाय तथा अपन बहिन सभक नीक घर-वर मे विवाह आदि करेबाक सुकार्य लेल सेहो हिनकर प्रशंसा सब कियो करैत अछि। गाम सँ बाहर सेहो हिनका कय टा नौकरी होइत छलन्हि, लेकिन ई सदिखान अपन निष्ठा आ कर्तव्य माँ-बाबूजीक संग गाम-समाज प्रति बुझैत आयल छथि। हिनक कर्तव्यनिष्ठता आ ईमानदारिता लेल पूरे गाम आ खासकय वर्तमान पीढीक लोकमानस मे नीक छवि बनल अछि।