केना आ कतय सँ कीनब मिथिला टी-शर्ट – मोदीश ब्लू केर सीईओ प्रबोध झा संग बातचीत

मैथिली स्लोगन सहितक गंजीक बढैत डिमान्ड
 
हालहि मिथिलाक एक युवा प्रतिभा द्वारा ‘मैथिली स्लोगन सहितक टी-शर्ट’ पर विस्तृत खबरि मैथिली जिन्दाबाद पर देल गेल छल। विदिते अछि जे उपरोक्त टी-शर्ट केर डिजाइनिंग मे सब सँ खास बात ई छैक जे ओहि पर मिथिलाक प्रचलित आ लोकप्रिय नारा (स्लोगन) केँ आर्टिस्टिक मैनर (कलात्मक तरीका) मे छाप लगायल गेल छैक। डिजाईनर प्रबोध झा एक आईटी प्रोफेशनल रहैत एहि तरहक गंजी (टी-शर्ट) केर डिजाइन आ प्रोडक्सन संग वर्ल्डवाईड मार्केटिंग सेहो कय रहला अछि। हुनक परिचय आ गंजीक विभिन्न डिजाइन ‘मैथिली जिन्दाबाद’ आ पुनः सोशल मीडिया मे शेयर केलाक बाद ठाम-ठाम सँ डिमान्ड (माँग) आबय लागल अछि। हालांकि पहिलुका समाचार मे सेहो प्रबोधजीक परिचय, हुनकर फोन नंबर आदिक जनतब देल गेल छल। लेकिन बढैत डिमान्ड देखि एकटा स्वतंत्र पोस्ट (लेख) हुनकर आरो परिचिति लेल एतय दय रहल छी। आउ, आइ परिचित होइ प्रबोधजी सँ आरो विस्तार मे आ कतय सँ भेटत ओ गंजी ताहि विषय मे सेहो जानकारी ली।
 
प्रवीणः प्रबोधजी, नमस्कार! अपन एन्टरप्राइज आ एकर मार्केट पर सेहो पूरा जनतब पठाउ। ई गंजी सभ एखन धरि मार्केट मे उतरल अथवा नहि, कि आरो डिमान्ड अनुसार डिजाइन्ड गंजी सब उपलब्ध करा सकबैक, अहाँक प्रोफेशनल विजन मे आर कि सब योजना अछि आगाँ, आर अपन मूल गाम, माँ-पिता आदिक पूरा परिचय, वर्तमान सम्पर्क आदि पठाबी।
 
प्रबोध झा ‘गुड्डू’ – प्रवीणजी प्रणाम! सर्वप्रथम हमर प्रयास के सराहय के लेल और ओकरा अपन प्रत्रिका में स्थान देबक लेल सादर धन्यवाद सहित आभार ।
 
हमर पूर्ण परिचय प्रबोध झा, पिताजीक नाम श्री बिनोद झा, माताजीक नाम श्रीमती मोती देवी, ग्रामः गाराटोल, जिला – मधुबनी केर निवासी छी। हमर गाउँ राष्ट्रीय राजमार्ग ५७ केर झंझारपुर आ फुलपरास केर बीच अवस्थित अछि। वर्तमान मे हम दिल्ली मे रहि रहल छी। हम अपन कंपनी केर नाम Modish Enterprises रखने छी।
 
सर, हम अहाँ केँ जतेक टी-शर्ट केर डिज़ाइन भेजने रही से साब पूर्णरूपेण लांच भऽ गेल छैक। ई सब टी-शर्ट हमर E-Commerce Website https://www.lavishgear.com/mithila-t-shirts पर online डिमांड कय केँ मंगायल जा सकैत अछि । हम अपन प्रोडक्ट केर डिमांड अनुसार उपलब्ध करा सकैत छी । यदि और कोनो नव तरहक डिज़ाइन केर डिमांड हेतैक तऽ हम ओकरो लेल तैयार छी ।
 
प्रवीण जी, हम और बहुत तरहक प्रोडक्ट जे मिथिला और मैथिली सँ जुड़ल छैक ताहि पर कार्य कय रहल छी और बहुत जल्द अहाँ सब केँ सूचित करब । धन्यवाद और सादर प्रणाम।
 
नोटः उपरोक्त वार्तालाप सँ अहाँ सब कियो प्रबोधजीक उपक्रम सँ परिचित हेबे केलहुँ, हुनका सँ सम्पर्क करबाक लेल कृपया उपरोक्त लिंक पर मैसेज दय केँ उपरोक्त वर्णित गंजी सब मंगा सकैत छी, एकर वितरक आ व्यापार लेल सेहो उचित ढंग सँ सम्पर्क कय सकैत छी। हुनक फोन नंबर पर सेहो सम्पर्क कय सकैत छीः +91-9971341069, व्हाट्सअप नंबर +918862162653 । हुनका ईमेल पठाकय सेहो सम्पर्क कय सकैत छीः Email: modishblue@gmail.com.
 
अपन मिथिला आ एतुका प्रतिभावान् युवा समाज खूब बढय, मैथिली जिन्दाबाद एहि तरहें होइत रहत।
 
हरिः हरः!!
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

6 + 5 =