मिथिला स्लोगन “आ फरिया ले…” “येस, हम मैथिल छी” केर लांचिंग, विशिष्ट युवा प्रतिभा परिचय

विशिष्ट युवा परिचयः प्रबोध झा, आइटी प्रोफेशनल

मातृभूमि प्रति प्रेम प्रकट करबाक एक प्रोफेशनल एप्रोच

आउ, मैथिली जिन्दाबाद पर आइ एकटा एहेन युवा सँ भेंट करी जिनका मे अपन मातृभूमिक विशेषता आ तेकर प्रभाव केँ विश्वस्तर पर प्रसिद्धि देबाक-दियेबाक एहेन जोश आ जागरण आयल जे ओ अपन प्रोफेशनल स्कील सँ ओहि दिशा मे एकटा अनुपम डेग बढौलनि अछि।

हिनकर नाम छन्हि प्रबोध झा। मिथिला सँ छथि। इंफॉर्मेशन टेक्नोलॉजी मे कार्यरत छथि। हिनका अपन गाम घर, मिथिला और मैथिली सँ बहुत लगाव छन्हि। ई हमेशा सँ एहि लेल  किछु विशेष करबाक लेल प्रयासरत रहैत आयल छथि। विभिन्न विषय पर कार्य और अध्ययन केर बाद एहि निष्कर्ष पर पहुंचलाह जे अपना मिथिला और मैथिलीक प्रचार-प्रसार हेतु विभिन्न दिशा मे कार्य भऽ रहल अछि, जेना संगीत, कला, मिथिला पेंटिंग, आदि – मुदा ओ क्षेत्र जे युवा वर्ग केँ आकर्षित करत, जेना की वेश-भूषा और खानपान, ताहि सँ वंचित अछि मिथिला। ओ एहि लेल मिथिलाक विभिन्न तरहक चर्चित वाक्य और किछु अपनो तरफ सँ जोड़िकय T-Shirt तैयार कयलनि। जे युवा वर्ग केँ आकर्षित करत और जखन ओ ई T-shirt केँ पहिरि बाहर निकालता, तँ हिनकर मैथिली भाषा, हिनकर मिथिला संस्कृति और संस्कार केर प्रचार-प्रसार होयत। लागल न रुचिगर!

सोशल मीडिया पर अपन अभियानक प्रचार मे लागल प्रबोधजी मैथिली जिन्दाबाद केर नजरि मे पड़लाह आर हिनका सँ अनुरोध कयल गेल जे ई काज तऽ सच मे बड़ा आकर्षण उत्पन्न कय रहल अछि। कोना अहाँ मे ई आइडिया आयल। ओ तुरन्त धन्यवाद-आभार प्रकट करैत अपन परिचिति आ विचार पर उपरोक्त समाद लिखि पठौलनि। ओ ईहो कहलनि जे अहाँ सन मैथिली विभूति केर ध्यान एहि विषय-वस्तु दिश आकर्षित केलक हमरा लेल ई प्रसन्नताक बात छी। हमरा पूर्ण आशा जे अपनेक सहयोग सँ एकर प्रचार-प्रसार केर नव आयाम स्थापित होयत। – मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ आश्वस्त करय चाहब जे प्रबोधजी आ विभिन्न नव पीढीक युवा जे अपन आधुनिक कला-कौशल सँ मातृभूमि, मातृभाषा, मातृसंस्कृति, राष्ट्र आ मानवताक सेवा मे लागल छथि, हुनका सभक विशिष्ट परिचय निरन्तर प्रकाशित करैत रहब।

मैथिली लेखन मे हिचकिचाहट केर भाव रखैत वर्तमान युवा पीढीक अनुजवत् प्रबोधजी अत्यन्त मासुमियत संग कहैत छथि, “और कोनो जानकारी चाही ता जरूर कहब। हमर मैथली लिखावट मैं बहुत त्रुटि होयत से छोट बच्चा जैन छमा करब।  सादर नमस्कार। जय मिथिला जय मैथिली।” एहि पाँति मे निश्चित किछु संशोधन कय केँ सम्पादित लेख सोझाँ राखल जा सकैत छल, लेकिन हिनकर एहि भावना मे जे मिठास अछि से बड बेसी शुद्धता आ मानक केर चक्कर मे पड़ि गेला सँ नष्ट भऽ जायत, अतः एहि संदेशक संग जे हे युवा पीढी, भविष्य अहाँ सब पर टिकल अछि, अपन मातृभूमि मिथिलाक सनातन पहिचान केँ कोना जोगाकय राखब से अहाँ सब गम्भीरतापूर्वक विचार करय जाउ, प्रबोधजीक कयल सुन्दर काजक किछु अनुपम तस्वीर राखल जा रहल अछि आर हिनका हृदय सँ धन्यवाद, आशीर्वाद आ आगू आरो नीक काज करबाक प्रेरणा देल जा रहल अछि।

बेसी विवरण लेल स्वयं सम्पर्क कय सकैत छीः

Prabodh Jha
CEO
 
    : +91- 9971341069 
82, Vaishali,  Palam Dabri Road,
 New Delhi-110045.