राष्ट्रक समृद्धि लेल पाठ्यक्रम मे संस्कृत हो अनिवार्यः संस्कृत सप्ताह समापन समारोह लोहना

राम सेवक झा, मधुबनी। २९ अगस्त, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

संस्कृत भारती केर तत्वावधान मे संस्कृत सप्ताह केर आयोजन लोहना संस्कृत विद्यापीठ मे समापन भेल । संस्कृत प्रतियोगिता मे सफल छात्र केँ कयल गेल पुरस्कृत । संस्कृतमय वातावरण सँ गुंजयमान रहल समारोह स्थल । विकसित राष्ट्र केर कल्पना साकार हेतु संस्कृत अध्ययन केर अछि आवश्यकता । समारोह मे सहभागी भेलाह कतेको रास दिग्गज संस्कृत विद्वान् ।

संस्कृत भारती मधुबनी केर तत्वावधान मे जिलाक विभिन्न शैक्षिक संस्थान मे संस्कृत सप्ताह केर आयोजन कयल गेल । झंझारपुर प्रखण्ड केर लोहना महारानी महेश्वर लता संस्कृत विद्यापीठ केर सभागार मे संस्कृत सप्ताह समापन समारोह केर आयोजन कयल गेल । कार्यक्रम केर शुरुआत डॉ. लम्बोदर झा, डॉ. रमेश कुमार झा, डॉ. सतीरमण झा, डॉ. त्रिलोक झा एवं डॉ. रामसेवक झा द्वारा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कय केँ भेल । कार्यक्रम केर अध्यक्षता करैत डॉ. लम्बोदर झा कहलखिन जे संस्कृत विश्व केर सबसँ पुरान भाषा थिक । संस्कृत भाषा सरल, सुगम्य, मधुर व सहज होएछ । सब दैनन्दिनी क्रिया संस्कृत भाषा मे मात्र आयोजित कयल जाइत अछि । संस्कृत भारती केर उत्तर बिहारक प्रांतीय मंत्री डॉ. रमेश कुमार झा कहलखिन जे मानव जीवन केर मूल्यक प्राप्ति हेतु संस्कृत केर सेवा करय पड़त । सारस्वतिथि डॉ. सतीरमण झा अपन संबोधन मे बजलाज जे संस्कृत भारती केर जनसम्पर्क अभियान द्वारा संस्कृत भाषा केँ आकर्षक बनायल जा रहल अछि जाहि सँ जनसामान्य केँ संस्कृत बुझय मे आसानी होयत । महाविद्यालय केर व्याकरण प्राध्यापक डॉ. त्रिलोक झा संस्कृत भारतीक कार्य ओ उद्देश्य केँ विस्तार सँ चर्चा करैत संस्कृत भाषाक महत्ता पर प्रकाश देलखिन । डॉ. दयानाथ ठाकुर एवं डॉ. दुुर्गानन्द ठाकुर सेहो संस्कृत भाषा केँ परिष्कृत भाषा आ सभ्य समाज केर भाषा बतौलनि । संस्कृत भारती केर मधुबनी नगर संयोजक डॉ. रामसेवक झा संस्कृत भाषा केँ लोकभाषा बनेबाक विन्दु पर बल देलनि ।

संस्कृत सप्ताह कार्यक्रम मे विभिन्न प्रतियोगिता परीक्षा मे सफल प्रतिभागी लोकनि केँ अतिथि सभक करकमल सँ प्रमाणपत्र व पुस्तक प्रदान कय केँ प्रोत्साहित कयल गेलनि । प्रश्नोत्तर, श्लोक उच्चारण मे प्रथम रीना कुमारी, शाम्भवी कुमारी, विभा कुमारी, अजित कुमार राय केँ पुरस्कृत कयल गेलनि । गीता पाठ मे अर्चना कुमारी, अणु कुमारी, श्रवण ठाकुर आ अंजली कुमारी केँ प्रोत्साहित कयल गेलनि । समारोह केँ डॉ. सतीरमण झा, डॉ.त्रिलोक झा, डॉ. दयानाथ ठाकुर, डॉ. दुर्गानन्द ठाकुर, शम्भुनाथ झा सहित आरो कतेको गणमान्य लोकनि सम्बोधित कयलनि । कार्यक्रम केर शुरुआत डॉ. मनमोहन कुमार झा द्वारा वैदिक मंगलाचरण व संस्कृत गीत सँ कयल गेल । समारोह केर संचालन डॉ. रामसेवक झा कयलनि ।