मैथिली भोजपुरी मैत्री समाज केर गठन बीरगंज मे, राखल गेल कइएक महत्वपूर्ण मांग

विराटनगर, ५ अगस्त, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

‘मैथिली महायात्रा’ केर प्रणेता तथा मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा बीरगंज केर यात्रा पर समाजशास्त्री एवं सामाजिक-राजनीतिक परिदृश्य केर प्रखर चिन्तक भरत साह केर संग भेंटघांट उपरान्त भाषा-सहकार्य तथा मैथिली-भोजपुरी सह-अस्तित्व पर विमर्श लेल निर्णय केँ आगाँ बढबैत काल्हि ४ अगस्त शनि दिन भोरे ७ बजे सँ एकटा अन्तर्क्रिया बैसारक आयोजन कयल गेल छल।

प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा फेसबुक पर स्टेटस देल गेल मुताबिक काल्हिक बैसार मार्फत किछु महत्वपूर्ण निर्णय कयल जेबाक जनतब भेटैत अछिः 

“बीरगंज में आजुक बैसार ‘मैथिली भोजपुरी सह अस्तित्व’ पर होटल शाह पैराडाइज में सम्पन्न भेल। एहि बैसार में खास तौर पर समाजशास्त्री ओ अभियानी भरत साह केर संयोजन में ‘अप्पन बीरगंज’ सामाजिक सांस्कृतिक युवा जनसमूह केर युवा लोकनिक सहभागिता छल। दुनू भाषाक सहोदरी समय सापेक्ष आ भाषिक अस्मिता ओ पहिचान केँ साहित्यिक सांस्कृतिक आयोजन संग राजनीतिक स्तर पर मजबूत बनेबाक लक्ष्य ओ उद्देश्य सँ मैथिली भोजपुरी मैत्री समाज केर गठन कयल गेल, जेकर संयोजक श्री भरत साह केँ चुनल गेलनि।

आइ गठनक दिन उपरोक्त मैत्री समाज द्वारा प्रदेश 2 संग अन्य प्रदेश में दुनू भाषाभाषी केर जनसंख्या केर आधार पर प्रदेश कामकाज केर भाषाक रूप में मान्यता दिएबाक मांग करबाक निर्णय कयलक। तहिना नेपालदेशक द्वितीय राजभाषा केर रूप में मैथिली तथा भोजपुरी केँ मान्यता प्रदान करबाक लेल राष्ट्रीय भाषा आयोग केँ चिट्ठी लिखि अनुरोध करबाक निर्णय कयल गेल। केंद्रीय लोकसेवा आयोग संग प्रदेश लोकसेवा आयोग में एहि दुइ भाषा केँ विकल्प रूप में मान्यता देबाक संग प्राथमिक शिक्षा में हरेक मातृभाषा केर अनिवार्य अध्ययन व्यवस्था कायम कयल जेबाक मांग सेहो रखलक। एकर अलावे संस्थाक हरेक यूनिट द्वारा मासिक रूप में एकटा संयुक्त भाषा सहोदरी कार्यक्रम आयोजन करैत सांस्कृतिक साहित्यिक आदान प्रदान कयल जायत से संकल्प लेल गेल।

आजुक बैसार में उपस्थिति भरत साह, जय प्रकाश यादव, जय चन्द्र यादव, शिवनाथ प्रसाद साह, रंजीत कुमार यादव, ओम प्रकाश सर्राफ, शम्भु कुमार सुमन, मुन्ना सर्राफ, सलमा खातुन, जय राम यादव यदुवंशी, संदीप कुमार, प्रवीण नारायण चौधरी, मिथिलेश चौरसिया, शेख सरफुद्दीन, अरविंद कुमार केर छल। शीघ्र एकर आर यूनिट पूरा देश मे बनेबाक लेल सब कियो काज करता ई बात संयोजक भरत साह बतौलनि।

हरिः हरः!!”

तहिना एहि सन्दर्भ मे अप्पन बीरगंज पेज पर लगाओल गेल भोजपुरी भाषाक समाचार सँ सेहो समुचित जनतब भेटैत अछिः 

प्रदेश नं २ के संपर्क भाषा अङ्ग्रेज़ी के बनावे खातिर होई पहल

56
फेसबुक पर शेयर करि
ट्विटर पर ट्वीट करि

 

आस/वीरगंज, १९ सावन ।

देश आ प्रदेश नं. २ मे भोजपुरी आ मैथली भाषा के सह अस्तित्व के बारे मे आजु वीरगंज मे अन्तरक्रिया कइल गइल बा । वीरगंज बसपार्क स्थिल रहल होटल शाह प्याराडाइज मे भइल अन्तरक्रिया बइठक मैथली आ भोजपुरी भाषा के समान अस्तित्व कायम करे खातिर भोजपुरी मैत्री समाज गठन करे के निर्णय कइले बा ।

बैठक प्रदेश नं. २ के कामकाज के भाषा मातृ भाषा भोजपुरी आ मैथली दुनु बनावे के आ सम्पर्क भाषा के रुप मे अंग्रेजी बनावे लाय पहल करे भी निर्णय कइले बा ।

एहीसही अधारभुत तह मे अनिवार्य रुप से मातृ भाषा शिक्षा लागु करे के, संघिय भाषा आयोग के पूर्णता देत सक्रिय बनावे के आ प्रदेश स्तर के भाषा आयोग गठन करे लाय भी पहल करे के निर्णय कइले बा ।

लोक सेवा आयोग के परिक्षा मातृभाषा मे भी संचालन के व्यवस्था लाय पहल करे के, मैथली आ भोजपुरी भाषा के सहअस्तित्व खातिर हरेक महिना प्रदेश नं. २ के अनेकन जिल्ला मे मैथली आ भोजपुरी भाषा के संयुक्त कार्जक्रम करे के भी बैठक निर्णय कइले बा ।

आपन वीरगंज मिडिया ग्रुप के आयोजना मे भइल कार्जक्रम मे भाषा के सवाल मे प्रदेश नं. २ के सिमांकन हि गलत रहला से समस्या आइल कार्जक्रम के सहभागि लोग बतइले रहलन । संघियता मे पहिचान आ मातृ भाषा के बहुती महत्व भइला से सब लोग आपन आपन अस्त्वि आ पहिचान खोजल जायज रहल सहभागि लोग के कहनाम रहे ।

भाषा के सवाल पर भी एक दोसर के आदर करे के, मैथली भाषी के भोजपुरी भाषा लाय लडे के आ भोजपुरी भाषी के मैथली भाषा लाय लडला पर अस्त्वि कायम रहे के बतइले रहलन । आपन मौलिकता समापत करत हिन्दी भाषा लादे के पक्ष मे प्रदेश बासी ना रहल बैठक मे सहभागि लोग के बात रहे ।

वीरगंज के समाजशास्त्री भरत साह के अध्यक्षता मे भइल बइठक मे मैथली भाषा अधिकारकर्मी प्रविण नारायण चौधरी, भोजपुरी भाषा अधिकारकर्मी समेत रहल पोखरिया नगरपालिका के उप मेयर सलमा खातुन, युवा नेता ओमप्रकाश सराफ, आपन वीरगंज मिडिया ग्रुप के अध्यक्ष मिथिलेश चौरसिया लगायत पत्रकार, कलाकार लगायत के सहभागिता रहल रहे ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

1 + 3 =