जनकपुर मे मैथिली साहित्यकार सभाक दोसर खेप मे सुरेन्द्र लाभ केर एकल कविता वाचन

पुनम झा मैथिली, जनकपुरधाम। १४ जुलाई, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकार सभा केर दाेसर खेप, दु मासक अन्तरालमें हाेमय बला एकल कविता वाचन कार्यक्रमक केन्द्र विन्दु रहला आदरणीय अग्रज प्रा. डा. सुरेन्द्र लाभजी जिनकर लगभग पैंतीस गाेट रचना सुनवाक अवसर प्राप्त भेल । एहि सफल कार्यक्रमक अध्यक्षता – संस्थाक सभापाल प्रेम विदेह ललन, स्वागत मन्तव्य कार्यपाल – अरविन्द यादव, कार्यक्रम संचालन उप सभापाल – पूनम झा मैथिली द्वारा कयल गेल । समीक्षा डा. रेवती रमण लाल कयलन्हि । आदरणीय राेशन जनकपुरीजीक शुभकामना आ समीक्षा मन्तव्य ग्रहणीय छल । साहित्यकार राम भरत साह, रतन लाल कर्ण, निला धिमिरे आ बहुत रास साहित्य अनुरागी केर उपस्थिति में कार्यक्रम सुसम्पन्न भेल ।