जनकपुरधाममें आई स’ जनकनन्दिनी एफ.एमक नियमित प्रसारण

452
मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।१७जून,२०१८.मैथिली जिन्दावाद!!
   सिमाला देवी मिडिया प्रा.लि.द्वारा जनकपुर धाममे सञ्चालित जनकनन्दनी एफ.एम.९५.५ मेगाहर्ज आई सँऽ नियमित प्रशारणमे आएल अछि ।
आई एक समारोहक बीच पूर्व सांसद एवंम् बरिष्ट चिकित्सक विजय कुमार सिंह द्वारा उदघाटन पश्चात रेडियो नियमित रूपमे प्रशारणमे आएल अछि ।
जनकनन्दनी एफ.एमके प्रवन्ध निर्देशक अर्जुन मन्डलकेर अध्यक्षतामे आयोजित उदघाटन समारोहक प्रमुख अतिथी डॉ.सिंह जनकपुर धाममे संचालनमे रहल विभिन्न एफ.एम.सब मात्र समाचारे आ गीतनाद नहि अपितु कला,संस्कृति सहित स्वास्थ्य ,शिक्षा पर जोड दैत आएल आ आगामी दिनमे सेहो अहि विषयसब पर केंद्रित भऽ काज करबाक विश्वास व्यक्त कएलनि ।
उद्घाटन समारोहमे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक पूर्व अध्यक्ष एवंम् प्रदेश नम्बर २के सांसद रामअशिष यादव,संगीतकार एवंम् गायक सुनिल मल्लीक,नेपाल पत्रकार महासंघक धनुषा अध्यक्ष अनील मिश्र ,पत्रकार राजेश कुमार कर्ण , संचारकर्मी विकास साह ,जिल्ला ट्राफिक कार्यालय धनुषाक प्रमुख दिपक साह लगायतक ब्यक्तिसब शुभकाना मन्तव्य देने छलथि।