नेपालक प्रदेश २ केर चर्चित मुख्यमंत्री केँ अमेरिका यात्रा लेल कियैक नहि देल गेलनि अनुमति?

मई २१, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

फोटोः फाईल – मुख्यमंत्री शपथग्रहण करैत

नेपालक मीडिया मे प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री लालबाबू राउत केँ अमेरिका भ्रमण लेल मांगल गेल आदेश केँ वर्तमान केन्द्रीय सरकारक मंत्रीमण्डल द्वारा अस्वीकार करबाक समाचार जोर पकड़ि रहल अछि।

हालहि भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक जनकपुर भ्रमण पर राखल गेल जनकपुर महानगरपालिकाक तरफ सँ नागरिक अभिनन्दन समारोहक अध्यक्षता करैत मुख्यमंत्री राउत अपन अध्यक्षीय संबोधन मे दोसर देशक प्रधानमंत्रीक सोझाँ अपनहि देशक संघीय संविधान तथा संघीय सरकार द्वारा विभेदक कारण मधेस आन्दोलन निरन्तरता मे रहबाक बात कहने छलाह जाहि कारण ओ विवाद मे फँसलाह। प्रधानमंत्री के पी ओली हुनकर एहि तरहक बर्ताव सँ असन्तुष्ट होयबाक बात सार्वजनिक सभा मे बाजि चुकल छथि। नेपालक विद्यमान राजनीतिक अवस्था मे मधेसवादक मुद्दा एक बेर फेर मुख्यमंत्रीक उपरोक्त बयान सँ गरम भऽ गेल अछि, संगहि मुख्यमंत्री पहिनहुँ सँ अपन कतेको रास साक्षात्कार आदि मे मधेसक वर्तमान सीमांकन सँ सन्तुष्ट नहि रहबाक आ एहि वास्ते आजन्म आन्दोलन करैत रहबाक बात कहैत आबि रहल छथि। एहि तरहक विवादित छविक कारण मधेसक विषय सँ जुड़ल कन्वेन्सन मे भाग लेबाक लेल रोकल जेबाक बात भले केन्द्रीय सरकार खुलिकय नहि बाजल हो, लेकिन परिस्थिति तेहने रहबाक कारण मधेसक लोक एकरा एहि तरहें विश्लेषण करैत अछि, संगहि नेपालक विभिन्न मीडिया सेहो एहि तरहक समाचार केँ तूल दय रहल अछि जाहि सँ नेपालक भविष्य मे पर्यन्त राजनीतिक साम्यता दूर-दूर तक होयब सहज नहि बुझाइत अछि।

काल्हिक नेपालक संघीय सरकारक मन्त्रीमण्डलक बैसार मे जनरल कन्भेन्सन अफ मधेसी एसोसिएसन अफ अमेरिका केर आमंत्रण पर अमेरिका मे जेबाक आदेश लेल संघीय सरकार समक्ष देल गेल मुख्यमंत्री राउत केर आवेदन पर फैसला दैत ई जेबाक अनुमति नहि देबाक निर्णय लेल गेल अछि। अनुमति नहि देबाक कारण मे परञ्च कतहु हुनकर व्यवहार वा वाणी केर कारण नहि देखा सीधा बजट केर तैयारीक समय हुनकर रहब अनिवार्य होयब कहैत भ्रमण लेल उचित समय नहि होयबाक कारण केर बात सोझाँ आयल अछि। यथार्थतः यैह कारण सर्वथा उचितो अछि जे नेपालक नव संविधान अन्तर्गत निर्वाचित सरकार द्वारा पहिल बेर बजट जारी कयल जायत, प्रदेश आ केन्द्र बीच बहुतो तरहक समन्वयक आवश्यकता अछि। आर एहि सब कारण मुख्यमंत्रीक जिम्मेवारी पहिने बजट कार्य पूरा करबाक बनैत अछि, नहि कि कोनो कन्वेन्सन मे भाग लेबाक। तैँ, केन्द्र सरकारक ई निर्णय मे कोनो आन कारण खोजब सिर्फ विवाद केँ बढायब टा बुझाएत अछि।

एहि मादे नेपाली मीडिया केर किछु खबरिः

जनरल कन्भेन्सन अफ मधेसी एसोसिएसन अफ अमेरिकाको निम्तोमा राउत अमेरिकामा जाने तयारीमा थिए । २ नम्बर प्रदेशभित्रै आर्थिक वर्ष २०७५/७६ को बजेट र नीति तथा कार्यक्रम तयार गर्नुपर्ने भएकाले भ्रमणमा जान अनुपयुक्त देखिएकाले भ्रमण अस्वीकृत गरिएको सरकारका प्रवक्ता सञ्चार तथा सूचना प्रविधि राज्यमन्त्री गोकुल बास्कोटाले जानकारी दिए ।

(साभारः https://www.kantipurdaily.com/news/2018/05/20/152683745264059762.html) 

काठमाडौं, ६ जेठ । प्रदेश नम्बर दुईका मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतलाई सरकारले अमेरिका जान रोक लगाएको छ ।

मधेशका विषयमा वकालत गरिरहेको एउटा एनजिओको कार्यक्रममा भाग लिन अमेरिका जानका लागि मुख्यमन्त्री राउतले संघीय सरकारसँग अनुमति मागेका थिए । तर, मन्त्रिपरिषदको आइतबारको बैठकले उनको भ्रमण प्रस्ताव अस्वीकृत गरेको छ ।

भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी नेपाल भ्रमणमा आएको बेला मुख्यमन्त्री राउतले गरेको लिखित भाषण यतिबेला विवादित बनेको छ । नेपालको झण्डाको आकार पनि बिगारिएको थियो । मुख्यमन्त्रीको रवैया देखेर प्रधानन्त्री केपी शर्मा ओली असन्तुष्ट देखिएका छन् । यस विषयमा प्रधानमन्त्रीले सार्वजनिक रुपमै असन्तुष्टि समेत व्यक्त गरिसकेका छन् ।

उनको भाषण विवादित भइरहेका बेला अमेरिकामा मधेशसम्बन्धी कार्यक्रममा जान लागेका कारण केन्द्रीय सरकार उनको भूमिकालाई लिएर सशंकित भएको हो । अमेरिका भ्रमणका लागि अनुमति नदिएपछि केन्द्रीय सरकार र प्रदेश सरकारबीचको तनाव बढ्ने खतरा देखिएको छ ।

(साभारः http://www.dainiknepal.com/2018/05/322796.html)

काठमाडौं, ७ जेठ । मन्त्रिपरिषदको आइतबार बसेको बैठकले मुख्यमन्त्री राउतलाई अमेरिका भ्रमणमा जान अनुमति नदिने निर्णय गरेको हो । नागरिक दैनिकका अनुसार, मुख्यमन्त्री राउतले जनरल कन्भेन्सन अफ मधेसी एसोसिएसन इन अमेरिका नामक कार्यक्रममा भाग लिन जान पाऊँ भनी संघीय सरकारसमक्ष अनुमति मागेका थिए ।

तर सरकारले प्रदेशस्तरमा कानून, बजेट, नीति तथा तर्जुमा गर्न बाँकी रहेको र त्यसका लागि मुख्इमन्त्री आवश्यक पर्ने भन्दै मन्त्रिपरिषद् बैठकले राउतको भ्रमण रोकेको छ ।

भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीको नेपाल भ्रमणका बेला गरेको मुख्यमन्त्रीले गरेको लिखित भाषणलाई लिएर प्रधानमन्त्री केपी ओली असन्तुष्ट देखिएका थिए ।

त्यहाँबाट शुरु भएको विवाद अहिले उनको भ्रमण अस्वीकृतसम्म पुगेको छ ।

यसले केन्द्र सरकार र दुई नम्वर प्रदेश सरकारबीच अरु तनाव बढाउने खतरा बढेको छ ।

आजमात्रै प्रदेश २ का मुख्यमन्त्री लालबावु राउतले प्रदेशलाई असफल बनाउन चौतर्फी प्रयास भैरहेको बताएका थिए ।

(साभारः http://www.todaykhabar.com/2018/05/21/109267/#.WwIjuSrkE8c.facebook)