बिरौल सँ दरभंगा जा रहल बस बिठौली मे दुर्घटनाग्रस्त, ४ गोटाक मृत्युक पुष्टि दर्जनों घायल

निशान्त झा, न्युज अफ मिथिला, दरभंगा – मैथिली जिन्दाबाद लेल – मई २०, २०१८.

बहेड़ी प्रखंड स्थित शंकर-रोहार (बिठौली) चौक पर आइ दिन मे दुर्भाग्यपूर्ण बस दुर्घटना घटि गेल अछि । पोखराम-शाहोपररी सँ लहेरियासराय जा रहल एक बस पलटी खा गेल। एहि दुर्घटना मे चारि लोकक जान जेबाक पुष्टि प्रशासन द्वारा कयल गेल अछि, जखन कि स्थानीय लोक ६ गोटाक मृत्युक अपुष्ट खबरि दय रहल अछि। तहिना २२ सँ २५ गोटा यात्री गंभीर रूप सँ घायल होयबाक बात कहल गेल अछि। पुलिस प्रशासन केर टीम घटनास्थल पर पहुंचि गेल अछि, घटनाक उचित छानबीन कयल जा रहल अछि। प्रारंभिक जाँच मे बस दुर्घटनाक कारण एकटा तेज गति सँ आबि रहल बाइक सवारी केँ बचेबाक क्रम मे घटल कहल गेल अछि। घायल यात्रीक इलाज डीएमसीएच – दरभंगा मे चलि रहल अछि। घटनाक बाद पूरा इलाका मे शोकक लहर अछि। घटनास्थल तथा डीएमसीएच मे यात्री सभक परिजन अपन-अपन लोक सभक पता लगेबाक लेल पहुँचल छथि। समाचार लिखबा काल धरि प्रशासन द्वारा नहि त कोनो दोषीक गिरफ्तारी कयल गेल अछि, नहिये कोनो राहतक घोषणा।
श्री मणिकान्त झा, आकाशवाणी दरभंगा सँ – मैथिली जिन्दाबाद लेल
आइ दुपहरिया दरभंगा जिलाक बहेड़ी प्रखंड केर बिठौली गामक शंकर रोहार चौक पर बस केर पलैट गेला सँ चारि लोकक मृत्यु भऽ गेलैक आर एक दर्जन सँ बेसी लोक घायल अछि जेकर ईलाज स्थानीय पीएचसी तथा डी एम सी एच मे कयल जा रहलैक अछि ।
वरीय पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार कहलनि जे मोटर साईकिल सवार केँ बचेबाक क्रम मे बिरौल सँ दरभंगा जा रहल यात्री सँ भरल बस अनियंत्रित भऽ पलैट गेल जाहि मे ठामहि पर मे मोटर साइकिल सवार सहित दुइ लोक केर मृत्यु भऽ गेलैक जखन कि आरो दुइ गोटाक मृत्यु ईलाज केर क्रम मे भऽ गेलैक। घटनाक संबंध मे ग्रामीण लोकनि बतेलनि जे मोटर साइकिल सवार केँ बचेबाक क्रम मे बस अनियंत्रित भऽ कय दुइ पलटी मारि रोडक नीचाँ खेत मे गुरैक गेल। हल्ला भेलापर लोक सभ बस मे सवार यात्री सभ केँ बस सीधा कय केँ निकाललक । फेर पुलिस तत्परता देखबैत घायल सभकेँ अस्पताल पहुँचेलक ।मृतक मे सँ एक केर पहचान बिठौली निवासी बस कंडक्टर मुकेश मंडल केर रुप मे कयल गेलैक अछि।