भोला बाबाक संग भक्त महाकविकोकिल विद्यापतिक प्रतिमा भेल प्राण-प्रतिष्ठित मुम्बई मे

Pin It

राजेश राय, मुम्बई। २५ जनवरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

अपन भाषा, संस्कृति, इतिहास आर पहिचानक विशिष्टताक रक्षार्थ लोकपलायनक शिकार मिथिलावासी प्रवासक स्थलपर भविष्यक संकट सँ अपना केँ बचेबाक वास्ते एक सँ बढि एक कृत्ति स्थापना कय रहला अछि। एहि क्रम मे २३ जनवरी २०१८ मंगल दिन मुम्बई मे एकटा अनुपम मिथिला कृत्ति स्थापित भेल अछि। 

नालसोपारा वेस्ट (मुम्बई) स्थित श्री संकटमोचन हनुमान मंदिर – हनुमान नगर मे बाबा भोलेनाथक संग मैथिली कविकोकिल महादेवक परमभक्त विद्यापति केर प्रतिमा केर प्राण-प्रतिष्ठा कयल गेल अछि। एहि पुनीत कार्य मे मिथिला समाजक प्रखर चेहरा आ समाजसेवक श्री कमल झा सेठ जीक अहम योगदानक चर्चा चहुँदिस भऽ रहल अछि। प्राण-प्रतिष्ठा कार्यक्रममे वसई – विरार महानगरपालिकाक प्रथम महिला महापौर सुश्री प्रमीला ताई सेहो उपस्थित छलीह ।

प्रमीला ताई उपस्थित समाज आ दर्शक लोकनि केँ संबोधित करैत बहुत महत्वपूर्ण बात सब कहली। ओ कहली जे यदि कुनु चौक चौराहा पर विद्यापतिजी केर प्रतिमा लगायल जाएत अछि तऽ हुनका देख-रेख तेहेन उचित ढंग सँ नहि भऽ पबैत अछि। मुदा जौँ अहिना हरेक मंदिर में हुनकर मूर्तिकेँ प्राण-प्रतिष्ठा कय पूजा शुरू करब तऽ जल्दिये आगाँक पीढी युवा, बाल-बालिकाक संग आनो संस्कृति-समाजक लोकमानस मे हिनक परिचिति बढत। हुनकर विषय मे जानत, अप्पन संस्कृति सँ जुड़ल रहत। यैह कार्य हरेक गाम-घर मे पर्यन्त विद्यापति केर प्रतिमा स्थापित कय हुनक पूजापाठ हेबाक चाही।

एहि कार्यकम मे मुम्बई मैथिल समाज केर बहूत रास गणमान्य व्यक्तित्व लोकनि सेहो उपस्थित छलाह। मिथिलानी नगरसेविका पुतुल रविन्द्र झा व समाजसेवी रविन्द्र झा सहित मैथिली समणम्य समिति केर श्री जय माधव झा, श्री प्रमोद झा, श्री धनंजय झा, श्री राजेश ठाकुर, दहेज मुक्त मिथिलाक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष आ वर्तमान संरक्षक श्री पंकज झा, वर्तमान राष्ट्रीय अध्यक्ष राजेश राय, रवि मंडल मिथिला (नवी मुम्बई मैथिल समाजक संस्थापक) सहित अनेकानेक समाजसेवी ओ अभियानी सहभागी भेल छलाह। एहि अवसरपर भजन-कीर्तनक आयोजनक संग महाभंडाराक आयोजन सेहो कयल गेल।

श्री कमल झा सेठजी प्रति धन्यवाद ओ आभार व्यक्त करैत एहि मुहिम केँ शुरू करबाक लेल नीक प्रेरणाक संचरण होयबाक बात उपस्थित समाज मे चर्चाक विषय रहल। सेठजी द्वारा मंच सँ एहि बातक घोषणा कयल गेल जे अप्रैल महीनामे अप्पन गाम नवादा (दरभंगा) मे सेहो बाबा विद्यापतिजीक प्रतिमा केँ प्राण प्रतिष्ठा करबाक काज करता। सेठजीक एक अलग स्वरूप जाहि मे उगना रे मोरा कतय गेला शिव तथा दर्शन दियऽ दिगम्बर केर प्रसिद्ध विद्यापति रचना गाबि उपस्थित दर्शक-श्रोताक हृदय मे साक्षात् महादेव केँ प्रकट कय देबाक भाव सेहो रहल, सभक प्रतिक्रिया आयल। 

 

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 5 =