मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल मार्च १६ सँ १८ धरि दिल्ली मे आयोजन करबाक संभावना

मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल पटना केर विहंगम दृश्य - पुस्तक एवं खानपान प्रदर्शनी

जनवरी २०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल पटना केर विहंगम दृश्य – पुस्तक एवं खानपान प्रदर्शनी

मैथिली लेखक संघ केर अध्यक्ष विनोद कुमार झा जनतब दैत कहलनि जे पैछला वर्ष आकस्मिक दुर्घटना मे पड़ि जेबाक कारण छूटल आयोजन “मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल” एहि वर्ष बिहारक राजधानी पटनाक बदला देशक राजधानी दिल्ली मे संभावित तिथि १६ सँ १८ मार्च धरि आयोजित कयल जायत।

विदित हो जे विशुद्ध भाषिक आ साहित्यिक दर्जनों महत्वपूर्ण सत्रक संग आयोजित होयवला मैथिली लिटरेचर फेस्टिवलक उद्देश्य मैथिली भाषाक महत्व केँ विश्व परिवेश मे लोकप्रिय बनेबाक संग-संग एतुका भाषा, कला आ संस्कृति केर प्रदर्शनकारी व प्रतिनिधित्व करयवला लिखित साहित्य सँ लैत कलात्मक – चित्रात्मक – डिजिटल मोड व अन्य माध्यम सँ प्रस्तुति करयवला विभिन्न वस्तुक बाजार मूल्य बढेबाक लक्ष्य रहैत अछि। पटना सँ बेसी महत्वपूर्ण दिल्ली होयबाक बात विगत किछु वर्ष सँ मैथिलीक बढैत कार्यक्रम सब सँ स्पष्ट भेले अछि, संगहि बिहार सरकारक उदासीनता सँ बीमारग्रस्त मैथिली अकादमीक बदला दिल्ली मे सुन्दर, सक्रिय आ स्वस्थ मैथिली भोजपुरी अकादमी आ केन्द्रिय स्तरक साहित्य अकादमीक मुख्यालय पर्यन्त उपस्थित रहबाक संग-संग दिल्ली व राजधानी क्षेत्रक अन्य हिस्सा मे रहि रहल मैथिलीभाषी विशाल जनसंख्या केँ देखैत एहि वर्षक कार्यक्रम दिल्ली मे राखल जेबाक बात ओ बतौलनि।

प्रारंभिक जनतब मुताबिक दिल्ली मे कार्यरत विभिन्न संघ-संस्था, महत्वपूर्ण व्यक्तित्व, भाषा-साहित्यक सेवामे समर्पित अनेकानेक सर्जकक संग अकादमीक पूर्ण समर्थन एहि महत्वपूर्ण आयोजन लेल भेटि रहल अछि। मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल चूँकि पूर्णरूपेण भाषा आ साहित्यक संग कला, फिल्म, चित्रकला, रंगकर्म आदिक विन्दुपर मात्र केन्द्रित रहैत अछि, अतः दिल्लीक विशाल मैथिलीभाषी जनमानस हेतु ई आयोजन एकटा पवित्र यज्ञ आ सुवर्णमयी अवसर समान सिद्ध होयबाक बात सुनिश्चित अछि। भारत ओ नेपालक दूर-दूर स्थान सँ सर्जक-स्रष्टा-प्राज्ञ लोकनिक नीक उपस्थिति लेल सेहो पहिने सँ कनेक अलग तर्जपर सहभागिता सुनिश्चित करबाक योजना बनि रहबाक बात सेहो आयोजक मैथिली लेखक संघक अध्यक्ष विनोद कुमार झा कहलनि।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ पुनः एहि साहित्यिक कुम्भक सफलताक अग्रिम शुभकामना अछि – पूर्ण सहयोगक भावना सहित सब तरहक सहयोग लेल वचनबद्धता संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा सेहो देल गेलनि अछि। ई सब काज सदैव समर्पण सँ सिद्ध होएत रहल अछि। एहि मे बिना कोनो स्वार्थ सिर्फ अपन मातृभाषा आ संस्कृतिक दूर धरि पहुँचबाक लेल सब कियो सहयोगक हाथ बढेता ई उम्मीद सेहो कयल जा रहल अछि।