विद्वान् आ शोधकर्ताक खोज, एक आम अपील

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक चिन्तन शिविर पटना मे संपन्न
अपील
 
समस्त मैथिल जनमानस!
 

मिथिलाक समग्र विकास आ समाजक प्रगतिक संग एहि अत्यन्त प्राचीन सभ्यताक दूरगामी संरक्षण लेल कार्यरत जाग्रत मैथिल अभियानी लोकनिक अगुवाई मे हम सब दरभंगा मे सेमिनार राखि रहल छी। विद्वान् चाही १० गो जे मिथिलाक आर्थिक उपेक्षा आ लोकपलायन रोकबाक उपाय पर कार्यपत्र राखि विमर्श केँ आरम्भ करैथ। १० गो विद्वान् मे ८ गो हिन्दू, २ गो मुसलमान विद्वान् केर आवश्यकता अछि। कार्यपत्र आ विमर्शक भाषा मैथिली प्राथमिकता मे रहत, आनो भाषा मे राखल जा सकैछ। ८ गो हिन्दू मे ६ गोट गैर-ब्राह्मण आ १ गोट ब्राह्मण चाही। ६ गोट गैर-ब्राह्मण मे १ गोट महादलित, १ गोट दलित, २ गोट पिछड़ा वर्ग आ २ गोट सामान्य वर्ग सँ चाही। कृपया विद्वानक नामक सुझाव हुनक नाम, परिचय, नंबर आ ईमेल आदिक संग उपलब्ध कराबी।

 
अत्यन्त उपयोगी आ उच्च मूल्यक सेमिनार ‘मिथिलाक आर्थिक उपेक्षा, लोकपलायनक मुख्य कारण’ एहि विषयपर मार्च या अप्रैल २०१८ मे रखबाक प्रयास हम सब कय रहल छी। केन्द्रीय नीति आयोग केर समक्ष एकटा डेलिगेशन जे एतुका आर्थिक पिछड़ापन केँ दूर करय लेल विशेष आर्थिक पैकेज आ एकटा डेवलपमेन्ट काउन्सिल बनाबय, ताहि दिशा मे डेग बढेबा सँ पहिने किछु तथ्यपूर्ण आँकड़ा सहितक आलेख-कार्यपत्र-शोधपत्र आदि संकलन केर उद्देश्य अछि। एहेन तथ्यांक जे बिहार सरकारक योजना या भारत सरकारक योजना आयोगक अवहेलना सँ एतय कोनो ताहि तरहक कारखाना – रोजगारमूलक निवेश आदि नहि कयल जेबाक कारण आ ऊपर सँ राजनीतिक विद्वेष भाव जे जाति-पाति मे समाज केँ विखंडित कय नेता सब सदन मे पहुँचि जाय आ बाकी विकासक अवधारणा मे खरात वितरणक अलावे दोसर किछु खास नहि कयल जाय… एहि सब ट्युन केर कार्यपत्र रखबाक लेल अहाँ स्वयं आ आरो किछु महत्वपूर्ण विद्वान्-अध्येता-शोधार्थीक नाम दितहुँ, हुनक सम्पर्क नंबर सहित… त आभार होएत।
 
प्रवीण
Whatsapp: +9779801722981