सप्तरीक दलित बस्तीमे धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेशन द्वारा कम्बल वितरण

Pin It

राजविराज, सप्तरी। ११ जनवरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

परोपकार सँ पैघ दोसर कोनो धर्म नहि – एहि कहावत केँ चरितार्थ करैत आबि रहल धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेशन (नेपला) विगत किछु वर्ष सँ दलित तथा असहाय समुदाय लेल अनेकानेक परोपकारक कार्य सब करैत आबि रहल अछि। कतहु दलित समुदायक प्रत्यके परिवार लेल पूर्ण सुविधायुक्त बस्ती बसेबाक कार्य त कतहु कोनो घटनाक कारण पीड़ा मे रहल कोनो पीडित परिवार या समुदाय या बस्ती लेल राहत सामग्रीक वितरण – एहि तरहक विभिन्न परोपकारक कार्य सँ पूरे देश मे चर्चा पाबि रहल एहि फाउन्डेशन केर स्थापना फिल्म तथा टेलिविजन जगत् मे अपन हास्य कलाकारक रूपमे चर्चित सीताराम कट्टेल द्वारा भेल अछि।

काल्हि १० जनवरी सप्तरी जिलाक तिलाठी कोइलाडी गामपालिका ८ तोपा स्थित मुसहर बस्ती आर ओही गामपालिकाक वार्ड नं. ४ स्थित मुसहर एवं चमार समुदायक बस्तीमे धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेसनक संस्थापक अपनहि हाथ सँ कठोर शितलहरीसँ जान बचेबाक लेल गरम कम्बल वितरण कयलनि अछि। कान्तिपुर संवाददाता अबधेश झा अपन फेसबुक वालसँ ई जनतब दैत कहलनि अछि जे तोपामे ५४ परिवार मुसहर आर कोईलाडीमे ८१ परिवार मुसहर, २० परिवार चमार सहित कुल १ सय ५५ परिवारकेँ प्रति परिवार एकटाक कम्बल सीताराम कट्टेल अपनहि हाथ सँ वितरण कयलनि। स्थानीय प्रशासनक समन्वय मे कम्बल बँटैत अभिनेता तथा सामाजिक अभियन्ता कट्टेलक मुखाकृतिपर आत्मसंतोष ओ सुखक सुन्दर मुस्कान देखल जा रहल छल, खासकय जखन कोनो वृद्ध-वृद्धाकेँ ओ कम्बल हाथ मे देबाक बदला सीधे देहपर ओढबैत रहथि आर कृतार्थ वृद्ध-वृद्धासँ आशीर्वाद पाबैत अपन दुनू हाथ जोड़िकय उल्टा धन्यवाद करैत देखाएत छलाह।

विदिते अछि जे धुर्मुस-सुन्तली फाउन्डेशन ओ अभिनेता कट्टेल केर एहि उदार चरित्रक प्रति समस्त समाज द्वारा सराहना कयल जाएत अछि, सप्तरीक गरीब-असहाय बस्तीमे पर्यन्त उपरोक्त वितरण सँ हिनका लोकनि प्रति आभार सारा समाज प्रकट केलक।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 5 =