‘राज्जा रानी’ सँ दहेज प्रथा विरुद्ध स्वयं-संकल्प लेल भेटत प्रेरणा, विराटनगर सँ फिल्म प्रोमोशन शुरू

Pin It

विराटनगर, २१ दिसम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बेसडर दीपक केर नेपाल मे कयल गेलनि सम्मान

मिथिला हमर मातृभूमि थिक, ई अत्यन्त प्राचीन और सुसभ्य संस्कृति केर विरासत होएतो वर्तमान समय विभिन्न कूरीति सभक कारण अत्यन्त पिछड़ल क्षेत्र मे परिणति पाबि अपन प्रतिष्ठा समाप्त करैत जा रहल अछि। हम गाँव-गाँव और शहर-शहर मे दौड़ लगाकय ‘दहेज भगाउ बेटी बचाउ’ नाराक संग सब लोक सँ एहि कूप्रथा केँ दूर करबाक लेल मुहिम चला रखने छी। एहि क्रम मे दहेज मुक्त मिथिला जे कि भारतक संग-संग नेपाल मे सेहो कार्यरत अछि, दुनू देशक मिथिला क्षेत्र केर लोक मे जनजागरण अभियान चलबैत आबि रहल छी – एहि संस्थाक ब्रान्ड एम्बैसेडर केर तौर पर अपन अभियान नेपाल मे सेहो विराटनगर सँ शुरु केलौं अछि। – ई कहब अछि दहेज केर खिलाफ मुहिम चलेनिहार मैराथन धावक आर के दीपक केर।

नेपालक औद्योगिक नगरीक रूप मे मशहूर दोसर सबसँ पैघ महानगर विराटनगर मे ‘भोर’ तथा नेपाली-मैथिली दुनू भाषा मे बनल फिल्म राज्जा रानी केर संयुक्त पहल मे फिल्मक प्रोमोशन करबाक संग बाल-विवाह तथा दहेज प्रथा केँ खत्म करबाक लेल चलायल जा रहल देशव्यापी अभियान मे आर के दीपक केँ विशेष तौर पर आमंत्रित कयकेँ सम्मानित कयल गेल अछि।

‘राज्जा रानी’ दहेज प्रथा पर जनजागरण केर सन्देश देबाक साथ भरपुर मनोरंजन देबाक लेल बनल नेपाली भाषा केर फिल्म छी। ‘भोर’ नामक संस्था जे पैछला १३ वर्ष सँ मिथिला क्षेत्रक संग-संग पूरे नेपाल देश मे दहेज प्रथा व बाल विवाह रोकबाक लेल राष्ट्रीय मुहिम चलबैत आबि रहल अछि, ताहि संस्था द्वारा फिल्म राज्जा रानी केँ मैथिली भाषा मे सेहो बनाकय नेपाल तथा भारत केर लगभग ८ करोड़ मैथिलीभाषी जनमानस मे एहि फिल्मक माध्यम सँ दहेज जेहेन कूप्रथा समाप्त करबाक लेल आत्म-संकल्पित करेबाक महत्वपूर्ण कार्य कयल जेबाक लक्ष्य लेल गेल अछि। संस्थाक संयोजक राजकुमार महतो कहलनि जे जाबत धरि हमरा लोकनिक समाजक लोक एहि कूप्रथा केँ दूर नहि करत ताबत धरि एतुका ख्याति और सामाजिक-आर्थिक-सांस्कृतिक विकास नहि कयल जा सकैत अछि, ताहि हेतु हम फिल्म जेहेन प्रभावशाली मीडिया केर मार्फत वृहत् स्तर पर ई मुहिम चलेबा मे सहजता केँ देखैत करीब ५० लाख केर अतिरिक्त बजट सँ १.२५ करोड़ केर बजट मे बनल नेपाली भाषाक मूल फिल्म केँ मैथिली भाषा मे बनायल गेल अछि। एहि फिल्म केँ देखबाक लेल पूरे नेपाल देश मे लगभग १० पैघ शहर-गाम मे सीधे जनमानसक संग जुड़िकय प्रोमोशन कयल जा रहल अछि। ऐगला ५ जनवरी केँ ‘२०१८ – नव वर्ष’ केर नव सौगात जेकाँ मैथिलीभाषी सभक लेल हो और लोक एहि फिल्म केँ देखिकय पूर्व मे देखल अनेकों कमी-कमजोरी केँ बिसैर जायत, मैथिली फिल्म जगत् मे ई नव क्रान्ति आनत से तय छैक, महतो ई दावीक संग कहलनि।

विराटनगर मे आयोजित शो दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरीक संयोजन मे १९ दिसम्बर केँ स्थानीय बखरी बगीचा मे खुल्ला मंच पर कयल गेल। एहि कार्यक्रम मे नेपाल केर नवनिर्वाचित सांसद तथा पूर्व मंत्री लालबाबू पंडित मुख्य अतिथि छलाह, ओतहि विराटनगर महानगरपालिकाक महापौर भीम पराजुली विशिष्ट अतिथिक तौर पर मौजूद छलाह। सभाक अध्यक्षता विराटनगर केर वार्ड नंबर १२ केर वडा अध्यक्ष हीरा कामत द्वारा कयल गेल। मंच संचालन स्वयं संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी आर संग मे सुप्रसिद्ध रेडियो उद्घोषिका राधा मंडल द्वारा कयल गेल।

फिल्म अभिनेत्री केकी अधिकारी तथा अभिनेता नाजिर हुसैन केर अलावे गायक नरहरि प्रेमी व गायिका सुनाम लो सब मंचीय प्रस्तुति दय केँ दर्शक सबकेँ झूमबाक लेल मजबूर कय देलनि। एहि फिल्म केर एक गीत ‘चिपक चिपक चिपकय छै राज्जाजी के तस्वीर – दिल के भित्ता में ओ रे दिल के भित्ता में’ केर रिलीज सेहो कयल गेल, और एहि गीत पर फिल्म केर हिरो-हिरोइन नाचिकय प्रमुख अतिथि सांसद लालबाबू पंडित केर संग अन्य अतिथि ओ दर्शक सब केँ नाचय लेल बाध्य कय देलनि।

एहि कार्यक्रम मे स्वर केर धनी गायक विरेन्द्र झा, गजलकार अलाउदीन मियाँ बेचैन केर संग गायिका अंजला, गायक रोहित लाल यादव तथा हास्य-प्रहसन पिंकी मेहता एवं बैद्यनाथ ठाकुर केर जोड़ी द्वारा पेश कयल गेल। भोर एवं राज्जा रानी फिल्म केर संयुक्त आयोजन द्वारा विराटनगरक कतेको रास नामचिन सामाजिक अभियन्ता सबकेँ सम्मान कयल गेलनि जाहिमे राधा मंडल, वन्दना चौधरी, वसुन्धरा झा, आशा झा, कुशेश्वर राजवंशी, राकेश रौशन यादव, प्रवीण नारायण चौधरी, आर के दीपक, मंजू मंडल एवं भास्कर चौधरी शामिल छलाह।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

6 + 4 =