राजविराज मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सम्मेलन आयोजन २२-२३ दिसम्बर केँ

ब्रेकिंग न्युज: , प्रारूप पर निर्णय लेल आन्तरिक बैसार

आगामी २२-२३ दिसम्बर, २०१७ नेपालक राजविराज मे प्रस्तावित आयोजन “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन” हेतु मिथिलाक पुरोधा नेतृत्वकर्ता डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ आइ कार्यक्रम-स्थल पर पहुँचल छथि। ऐगला आयोजनक रूपरेखा आदि पर स्थानीय संयोजनकर्ता सभक संग एकटा बैसार नेपाल पत्रकार महासंघ केर सभागार मे एखन चलि रहल अछि। संलग्न फोटो मे मैथिल महासंघक मुखिया आ वरिष्ठ संचारकर्मी विष्णुदेव मंडल अपन विचार राखि रहला अछि। दरभंगा सँ बैजू बाबूक संग आरो-आरो आयोजक आयल छथि, जनकपुर सँ डा. रामभरोस कापड़ि भ्रमर सेहो छथि। स्थानीय मैथिली साहित्य परिषद् केर अध्यक्ष शुभचन्द्र झा – करुणा झा, पंकज झा, श्यामसुन्दर यादव पथिक, देवेन्द्र मिश्र आदिक सहभागिता मे आजुक बैसार एखन चलिये रहल अछि।

फोटोः साभार पंकज झा

विदित हो जे ई अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सम्मेलन २००३ मे भारतीय संविधान केर आठम अनुसूची मे मैथिली केँ मान्यता देलाक बाद निज ओहि २२ दिसम्बर केँ आयोजित कयल जाएत रहल अछि। दरभंगा, राँची, गुआहाटी, काठमांडू, जनकपुर, मुम्बई, दिल्ली आदि मे आइ धरि १३ गोट आयोजन संपन्न कयल जा चुकल अछि। एहि मे दुइ दिन धरि विद्वत् गोष्ठी, सेमिनार, गीतनाद, कवि-गोष्ठीक संग-संग भारतीय संविधान मे सूचीकृत् कुल २२ भाषा केर विद्वान् सर्जक लोकनि केँ मिथिला विभूतिक उपाधि (सम्मान पत्र) सहित सम्मानित कयल जाएत अछि। ई आयोजन १४म बेर राजविराज मे होमय जा रहल अछि।