दोहा मे कविकोकिल विद्यापति केर स्मृति-दिवस संपन्न, मैथिली-नेपाली सर्जकक साहित्यिक संगम

Pin It

दोहा, कतार। दिसम्बर ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दोहामे सम्पन्न भेल ५६९म विद्यापति स्मृति समारोह।
– विन्देश्वर ठाकुर ११/१२/२०१७, दोहा
अन्तर्राष्ट्रिय नेपाली साहित्य समाज कतार च्यापटर तथा नबोदित साहित्यिक वाचनालय दोहा/कतारके सयुक्त आयोजनामे ९/१२/२०१७ शुक्र दिन दोहाक टपफोर्म रेष्टुरेन्टमे ५६९ म विद्यापति स्मृति समारोह सम्पन्न भेल अछि। अनेसास-नबोदितके ७६ औं डबली आ साँझक चौपाडिके २६ म मासक बैसार संग ई स्मृति समारोह खूब झमटगर संग सम्पन्न भेल अछि।
कवि विन्देश्वर ठाकुर जी क संचालनमे शुरु भेल कार्यक्रममे विशिष्ट श्रोता रहथि हेल्प मधेशीक सेवक व इन्जिनियर सतीश कुमार यादव जी। पहिल चरणमे द्वेय संस्थाक अध्यक्षद्वारा विशिष्ट श्रोताके सम्मान,आसन ग्रहण।तकराबाद राष्ट्रगान आ महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा उपर हार्दिक श्रद्धाञ्जली,दीप प्रज्वलन भेल।
कार्यक्रमके शुरुवात संचालक जी द्वारा जय जय भैरवी गीत संग कएल गेल छल।तत्पश्चात, उपस्थित सम्पूर्ण कविसबद्वारा अपन अपन एक सँ बढिक’ एक दिललग्गु रचनासब सुनाएल गेल। कार्यक्रममे लेख कार्की, श्यामराज राणाभाट, शत्रुधन मुखिया, तीर्थ संगम राई, माया केसी, ॐ प्रकाश बानिया, सागर भण्डारी ‘बिभोर’, प्रेम प्रसाद भट्टराई, हरि बिनोद अधिकारी, सीताराम थापा, दिनेश कुमार, बेचन महतो, पंकज यादव, शेखर बस्नेत, अब्दूर रज्जाक, इश्वर राई ‘लज्जालु’, विन्देश्वर ठाकुर, असरफ राईन लगायतके एक दर्जन सँ बेसी सर्जकद्वारा नेपाली आ मैथिली भाषाक गीत, गजल आ कविता सुनाएल गेल।
संयोगवश नेपाल सँ INFA (International Nepali Film Award) के अध्यक्ष व नेपाली चलचित्र कें फिल्म डाइरेक्टर दीपक श्रेष्ठ आ मोडल डान्सर रोजिना रंजितकार जी सेहो उपस्थित छलथि। हिनका दुनूगोटेकेँ दोसल्ला ओढा’ सम्मान केलनि निवर्तमान अध्यक्ष व रेगिस्तानी कवि तीर्थ संगम राई जी। निर्देशक जी द्वारा सेहो कार्यक्रमके खूब नीक जकाँ सराहना कएल गेल। समग्रमे कार्यक्रम खूब जय जय रहल। सात समुन्द्र पारो अपन मैथिलीक धरोहर बाबा विद्यापतिक स्मृति समारोह मनाबि हमसब बहुत हर्षित भेलौं। संगे एहि समायोजन लेल सदिखन तत्पर रहल द्वेय संस्था अनेसास आ नबोदित प्रति हार्दिक आभार व्यक्त करैत छी।
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

3 + 8 =