Home » Archives by category » News » Society (Page 39)

रामायण गोष्ठी मे भूकम्प मे मृतक लेल शोक व श्रद्धांजली

रामायण गोष्ठी मे भूकम्प मे मृतक लेल शोक व श्रद्धांजली

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल ३०, २०१५. सहरसाक नयाबाजार मे रविन्द्र सिंह केर आवास पर आयोजित ‘साप्ताहिक रामायण गोष्ठी’ द्वारा आइ भूकम्प मे मृतकक लेल शोक सभा कयल गेल। मधुसूदन झा व्यास व अच्युतानंद झा केर संचालन मे वक्ता सभ कहलनि जे विपतिक पहर मे नेपाली जनताक संग छी। यथासंभव मानवीय सहायता करबाक संकल्प […]

विचार अपन-अपन: दरभंगाक नरगौना पैलेस भारतक पहिल भूकंपरोधी मकान

विचार अपन-अपन: दरभंगाक नरगौना पैलेस भारतक पहिल भूकंपरोधी मकान

मिथिला केर धरोहर | झा चंदन | नई दिल्ली | 30 अप्रिल, 2015 01:15 दोपरहिया IST 1934केर भूकंप मे सम्पूर्ण मिथिला सहित भारतक और नेपालक आन क्षेत्र सबमे बड़ जान-माल सबहक हानि भेल छल | दरभंगा ज़िला जे कि हाल उत्तर बिहारक सबसँ पुरान शहर और दरभंगा महाराज केर राजधानी छल, सेहो अहि प्रचंड भूकंप […]

मिथिलाँचल महासभा उत्तरप्रदेशक नव घोषणा: ५ बच्चाकेँ मुफ्त शिक्षा व्यवस्था

मिथिलाँचल महासभा उत्तरप्रदेशक नव घोषणा: ५ बच्चाकेँ मुफ्त शिक्षा व्यवस्था

मिथिलाँचल महासभा कानपुर द्वारा घोषणा कैल गेल अछि जे आगामी शैक्षिक वर्ष २०१५-१६ लेल मैथिल समाजक ५ बच्चा केँ मुफ्त शिक्षा उपलब्ध कराओल जायत। महासभाक प्रवक्ता अनिला मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत कहलनि जे साल भरि निरंतर किछु न किछु सार्थक डेग बढबैत अपन भाषाभाषी आ समाजक लोककेँ मिथिलाक अकाट्य पहिचान संग जोड़ि रखबाक निमित्त […]

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

– प्रवीण नारायण चौधरी विराटनगर, मैथिली जिन्दाबाद! अप्रैल १२, २०१५. विराटनगर मे आयोजित एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय कवि सम्मेलन – २०१५ समारोहपूर्वक संपन्न कैल गेल। एहि सम्मेलन मे मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक कवि एवं अभियानी लोकनीक ४ पीढीक प्रत्यक्ष सहभागिता देखल गेल। खुल्ला आमंत्रण मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे भारत ओ नेपाल सँ करीब १३० […]

मैथिली जिन्दाबाद डट कम केर लांचिंग ११ अप्रैल केँ

मैथिली जिन्दाबाद डट कम केर लांचिंग ११ अप्रैल केँ

लगभग सब तैयारी पूरा करैत एडमिन सरोज कार्की जानकारी करौलनि जे ११ अप्रैल अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ मे एहि वेबसाइटक लांचिंग कैल जायत।

श्री महागणेशपञ्चरत्नस्तोत्रम् (श्रीशङ्कराचार्यकृतम्)

श्री महागणेशपञ्चरत्नस्तोत्रम् (श्रीशङ्कराचार्यकृतम्)

मुदाकराक्त मोदकं सदा विमुक्तिसाधकम्। कलाधरावतंसकं विलासि लोकरक्षकम्॥ अनायकैक नायकं विनाशितेभदैत्यकम्। नताशुभाशुनाशकं नमामि तं विनायकम्॥१॥ नतेतरातिभीकरं नवोदितार्कभास्वरम्। नमत्सुरारि निर्जरं नताधिकापदुद्धरम्॥ सुरेश्वरं निधीश्वरं गजेश्वरं गणेश्वरम्। महेश्वरं तमाश्रये परात्परं निरन्तरम्॥२॥ समस्त लोकशङ्करं निरस्तदैत्यकुञ्करम्। दरेतरोदरं वरं वरेभवक्त्रमक्षरम्॥ कृपाकरं क्षमाकरं मुदाकरं यशस्करम्। मनस्करं नमस्कृतां नमस्करोमि भास्वरम्॥३॥ अकिञ्चनार्तिमार्जनं चिरन्तनोक्ति भाजनम्। पुरारिपूर्व नन्दनं सुरारि गर्वचर्वणम्॥ प्रपञ्च नाशभीषणं धनञ्जयादि भूषणम्। कपोलदानवारणं भजे पुराणवारणम्॥४॥ […]

सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

दिलीप झा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। मधुबनी जिला प्रशासन द्वारा बिहार दिवस पर आयोजित सर्वभाषा कवि सम्मेलन केर आयोजन कैल गेल छल। एहि सम्मेलन मे कुल ४० कवि कविता वाचन कएलनि। एहि मे २६ कविता मैथिली भाषा मे छल। विदित हो जे पूर्व मे प्रशासनक दखल सँ मैथिली केँ मंच तक नहि देल […]

मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

श्यामल सुमन, रायपुर। मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २२, २०१५ । मैथिल प्रवाहिका रायपुर – छत्तीसगढ द्वारा राष्ट्रीय संगोष्ठी सह बहुभाषीय कवि सम्मेलन बेबीलोन होटल सभागार मे मनायल गेल। संयोजक श्री मनीष झा, अध्यक्षता डा. अशोक अविचल आ संचालन श्री श्यामल सुमन द्वारा कैल गेल। भारतक विभिन्न संस्कृति आ भाषा बीच समन्वयक उद्देश्य सँ आयोजित उपरोक्त समारोह […]

दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

वैद्य ओ पी महतो, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। बिठौली गामक बाबा महेश्वरनाथ मंदिर पर दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित जन सम्पर्क कार्यक्रमक एक टा बैसार कयल गेल जाहि में सर्व श्री श्याम झा,संजय कुमार मंडल,रमेश मिश्र,वंशी बट मिश्र,रामदयाल राय,दिनेश राय,रामाकान्त राय,दिगम्बर मिश्र,हरे गोविन्द राय,पुरुषोत्तम राय,दिवाकर राय,वैद्य ओ पी महतो,संजय मिश्रा,रामशंकर झा,रामदयाल राय आ […]