Home » Archives by category » News » Society (Page 3)

सप्तरीक तिलाठी-कोइलाड़ी मे दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुजल

सप्तरीक तिलाठी-कोइलाड़ी मे दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुजल

राजविराज, २४ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुजल   सप्तरी जिलाक सुप्रसिद्ध विद्वान-भूमि तिलाठी-कोइलाड़ी गाउंपालिका मे श्री बबलू मिश्र केर अध्यक्षता मे दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुलबाक जनतब संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा करौलनि अछि। अध्यक्ष मिश्रक संग आर १२ गोटे कार्यसमिति मे शामिल कयल गेला अछि। एहिठाम ३ मार्च – दहेज […]

सिरहाक सुखीपुर-सलमपुर मे मिथिला लोक कला एवं सांस्कृतिक महोत्सव सम्पन्न

सिरहाक सुखीपुर-सलमपुर मे मिथिला लोक कला एवं सांस्कृतिक महोत्सव सम्पन्न

सिरहा, नेपाल। १९ फरवरी २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला लोक कला सांस्कृतिक महोत्सव   नेपालीय मिथिलाक सिरहा जिलाक सुखीपुर नगरपालिका वडा संख्या ३ मे सलमपुर – कुटी चौक पर काल्हि १९ फरवरी आ नेपालक एकटा ऐतिहासिक तिथि फागुन ७ गते प्रजातंत्र दिवस पर भव्य आयोजन कयल गेल – जेकर नाम छल “मिथिला लोक कला सांस्कृतिक महोत्सव”। […]

मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा विराटनगर मे सम्पन्न – कुल ४१ गोट परिचय सँ सभाक श्रीगणेश

मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा विराटनगर मे सम्पन्न – कुल ४१ गोट परिचय सँ सभाक श्रीगणेश

विराटनगर, २ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा एवं वनभोज कार्यक्रम अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर द्वारा बड़ा भव्यता सँ पूरा कयल गेल। करीब 100 ब्राह्मण परिवार बाल बच्चा सहित एहि कार्यक्रम में भाग लेलन्हि। आपस मे गोत्र, मूल, कुलीनता, शिक्षा, पेशा, आदिक जानकारी अदला बदली करैत करीब 41 गोट वर आ कन्या […]

मिथिला आन्दोलन मे पिछड़ा आ दलित केर भूमिका पर दिल्ली मे सेमिनार

मिथिला आन्दोलन मे पिछड़ा आ दलित केर भूमिका पर दिल्ली मे सेमिनार

साभारः रोहित यादव केर फेसबुक अपडेट एकटा संतुलित आयोजन। प्रथम प्रयास। प्रयास केर सार्थकता लोक तय करथि। एहिबातक जिम्मेदारी समाज पर छोड़ि रहल। कार्यक्रम केर शुरुआत जय-जय भैरवी सँ। रचना आ रचनाकार केँ सम्मान मे, सभागारमे उपस्थित लोक ठारह रहला। पछाति सलहेश’क छवि पर माल्यार्पण, दीप-प्रज्वलन आ कार्यक्रम केर विधिवत शुरुआत। मंच संचालन हमरहिं करबाक […]

अहमदाबाद मे नव दशक २०२० केर २ फरवरी मे मिथिला विभूति स्मृति महोत्सव द्वारा नव सूर्योदय

अहमदाबाद मे नव दशक २०२० केर २ फरवरी मे मिथिला विभूति स्मृति महोत्सव द्वारा नव सूर्योदय

प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर। १३ जनवरी २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!! अहमदाबाद मे २ फरवरी केँ होयत मैथिली जिन्दाबाद प्रस्तावित मिथिला विभूति स्मृति महोत्सव मे दशकक नव उपहार शाश्वत मिथिला आ माँ जानकी सेवा समितिक संयुक्त तत्त्वावधान मे २०२० यानि एहि नव दशकक आरम्भक वर्ष मे एकटा अत्यन्त नव आ अनुपम कार्यक्रम सँ कयल जेबाक निर्णय आयोजक […]

हेल्प मधेशी कतार संग साँझक चौपाड़िक संयुक्त आयोजन विद्यापति स्मृति पर्व समारोह दोहा मे

हेल्प मधेशी कतार संग साँझक चौपाड़िक संयुक्त आयोजन विद्यापति स्मृति पर्व समारोह दोहा मे

हेल्प मधेशी तथा साँझक चौपाड़िद्वारा दोहामे सम्पन्न भेल – विद्यापति स्मृति पर्व, परदेशी आखर लोकार्पण एवं रूपा-धीरू विशेष सम्मान समारोह ११/०१/२०२० दोहा न्युज, विन्देश्वर ठाकुर। हेल्प मधेशी दोहा-कतार तथा साँझक चौपाड़ि दोहा कतार केर संयुक्त आयोजनामे दिनांक १०/०१/२०२० (बीतल शुक्र दिन) सनैया- ग्राण्डमल्लके ‘लालीगुराँस’ रेष्टुरेन्टमे विद्यापति स्मृति पर्व, परदेशी आखर नव अंकके लोकार्पण तथा आदरणीय […]

१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन – सम्पूर्ण समाचार

१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन – सम्पूर्ण समाचार

१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन (रिपोर्ट) १७म् अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे अपार जनसहभागिताक संग सम्पन्न भेल मैथिली भाषा आ साहित्य अति प्राचीन अछि। ज्योतिरिश्वर ठाकुर, विद्यापति, कविश्वर चन्दा लगायत कतेको रास साहित्यकार, कवि, विद्वान् लेखक आ विचारक द्वारा मैथिली पोषित रहल। नेपाल आ भारत मे बाजल जायवला भाषा मैथिलीक इतिहास अत्यन्त समृद्ध अछि। मैथिलीक प्राचीन […]

अल डोसरी पार्कमे सम्पन्न भेल- हेल्प मधेशी दोहा कतारक दोसर अधिवेशन

अल डोसरी पार्कमे सम्पन्न भेल- हेल्प मधेशी दोहा कतारक दोसर अधिवेशन

विन्देश्वर ठाकुर, दोहा। ९ नवम्बर २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि शुक्र दिन दोहा कतारक सहानिया स्थित रहल अल डोसरी पार्कमे हेल्प मधेशी दोहा कतारक दोसर अधिवेशन सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि। एहि अधिवेशन सँ अध्यक्ष पद लेल सेवक राम कल्याण महतो जीक चयन कएल गेल अछि। कार्यक्रम चन्द्रवीर कुमार यादव द्वारा संचालन कएल गेल छल त शिव […]

दहेज मुक्त विवाह करनिहार दूल्हा लोकनि सँ अपील – खुल्ला पत्र

दहेज मुक्त विवाह करनिहार दूल्हा लोकनि सँ अपील – खुल्ला पत्र

प्रिय दहेज मुक्त विवाह करनिहार युवा लोकनि,   ई खुलल पत्र हम आवश्यकता मे अहाँ सभक नाम लिखि रहल छी। आवश्यकता केहेन सेहो कहि दैत छी। दहेज मुक्त विवाह करनिहार दूल्हा आ हुनकर परिवार पर कन्यापक्षक लोक केँ कइएक प्रकारक शंका-उपशंका होइत छन्हि आर ईहो एकटा कारण छैक जे कतेको गार्जियन बिना दहेज गनौने कन्यापक्ष […]

पटना मे वर्षाक जलजमाव सँ उत्पन्न बाढि सन स्थिति मे मानवीय सहायताक अपील

पटना मे वर्षाक जलजमाव सँ उत्पन्न बाढि सन स्थिति मे मानवीय सहायताक अपील

पटना मे बाढिक अवस्था आ स्वयंसेवी मार्फत सहयोग लेल अपील   ई संवाद कनी देरी सँ लिखय लेल क्षमायाचनाक संग….   बिहारक राजधानी पटना मे निरन्तर वर्षा आ जलजमावक कारण जनजीवन त्रस्त अछि। किछु क्षेत्र मे पानि एतेक लागि गेल अछि जे घर सँ बाहर निकलनाय तक लोक लेल आफद भेल छैक। जलनिकासीक सारा इन्तजाम […]