Home » Archives by category » News » Society (Page 2)

अपने ई सब देखलहुँ कि नहिः मैथिली-मिथिलाक टटका समाचार

अपने ई सब देखलहुँ कि नहिः मैथिली-मिथिलाक टटका समाचार

१५ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! विगत किछु समय सँ मैथिली-मिथिलाक सर्वथा चर्चित विषय पर समाचार-सार-संछेप मे! अपने ई सब देखलहुँ कि नहि! १. कोरोना कोरोनाकाल मे किछु दिन त लोक खूब सैनिटाइजर लगौलक, साबुन सँ हाथ रगड़ि-रगड़िकय साफ कयलक, नाक-मुंह-आँखि आदि केँ नीक सँ सुरक्षा कयलक, लौकडाउन मे घरहि मे सुरक्षित रहल, लोक सब […]

मैथिली ठाकुर द्वारा सौराठ सभापर स्पष्टीकरण, सभागाछीक वर्तमान आ नीक भविष्य मैथिलीक प्रस्ताव

मैथिली ठाकुर द्वारा सौराठ सभापर स्पष्टीकरण, सभागाछीक वर्तमान आ नीक भविष्य मैथिलीक प्रस्ताव

१३ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! ऐतिहासिक सौराठ सभागाछी पर मैथिली ठाकुर अपन एक वीलौग मे देल गेल हल्का टिप्पणी पर उठल विवाद आ विरोधक वातावरण सँ आहत होइत अपना तरफ सँ एकटा स्पष्टीकरण देलीह। फेसबुक पर लाइव आबिकय एहि विषयपर अपन विचार रखलीह, संगहि अपन वीलौग मे सँ ओहि विवादपूर्ण टिप्पणी केँ हंटा देल […]

बात कम काज बेसी – ग्लोबल मैथिल केर विशेष परिचय

बात कम काज बेसी – ग्लोबल मैथिल केर विशेष परिचय

ग्लोबल मैथिलः काज बेसी बात कम मानवीय संसारक वर्तमान ग्लोबल विलेज केर लोकप्रियता मैथिलीभाषी-मिथिलावासी लेल सेहो ‘ग्लोबल मैथिल’ केर नाम सँ साकार होइत देखा रहल अछि। मूल रूप सँ ‘शाश्वत मिथिला आ माँ जानकी सेवा समिति, अहमदाबाद’ केर कुशल संचालकगण द्वारा परिकल्पित ‘ग्लोबल मैथिल’ केर परिकल्पना २०१९ ई. मे आयोजित ‘अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव’ केर जनादेश-फलादेश […]

समाजसेविका नीतू झा एवं पिंकी भरद्वाजक अगुवाई मे दहेज मुक्त विवाहक शुभारम्भ मधुबनी मे

समाजसेविका नीतू झा एवं पिंकी भरद्वाजक अगुवाई मे दहेज मुक्त विवाहक शुभारम्भ मधुबनी मे

घरहि सँ दहेज मुक्त विवाहक शुरुआतः नीतू झा   मधुबनी, २१ जून २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!   घरहि सँ दहेज मुक्त विवाह आरम्भ करय पड़त। दहेज मुक्त मिथिला केर परिकल्पना सम्पूर्ण मिथिला लेल रहितो आरम्भ स्वयं सँ आ स्वयं केर परिधि सँ करबाक जरूरत अछि। देश सेहो व्यक्ति-व्यक्ति आ क्षेत्र-क्षेत्र केँ जोड़िकय बनैत छैक। आदर्श […]

पूर्वी नेपाल मे मैथिली भाषा आ संचार अवस्था

पूर्वी नेपाल मे मैथिली भाषा आ संचार अवस्था

पूर्वी नेपाल आ मैथिली संचार – प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर, नेपाल। भूमिकाः नव नेपाल अर्थात् नया राजनीतिक संरचनाक नेपाल – नया संविधान पर संचालित नेपाल – नव लोकतांत्रिक अवधारणाक नेपाल – संघीय लोकतांत्रिक गणतंत्र नेपाल – तेकर पूर्वी भूभाग अर्थात् प्रदेश १ – पूर्वक कोसी आ मेची अंचल सहितक भूभाग आर नेपाल केँ ५ विकास […]

चांदनी झा केर हत्या या आत्महत्या – दहेज उत्पीड़नक बलि चढल एक आर बेटी (लाइव अपडेट)

चांदनी झा केर हत्या या आत्महत्या – दहेज उत्पीड़नक बलि चढल एक आर बेटी (लाइव अपडेट)

३० मार्च २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!! समय 8:16 PM एखन तुरंत एक दुखद समाचार भेटल जे दहेजक कारण दिल्लीक बिपिन गार्डेन में एक चांदनी झा नाम्ना बेटीक हत्या ओकर पति द्वारा कय देल गेल…😢 चांदनी झा दहेज हत्याकांड अपडेट, समय 11:58 PM ई छियैक मेडिकल रिपोर्ट जे कोनो प्राइवेट अस्पताल सँ बनबेलक अछि, स्पष्ट छैक जे […]

जनकपुर मे मिनाप द्वारा आयोजित होरी महोत्सव – महामूर्ख सम्मेलनक पहिल दिन सम्पन्न भेल

जनकपुर मे मिनाप द्वारा आयोजित होरी महोत्सव – महामूर्ख सम्मेलनक पहिल दिन सम्पन्न भेल

जनकपुर, ९ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! प्रत्येक वर्ष होलीक अवसर पर आयोजित कार्यक्रम ‘होरी महोत्सव – महामूर्ख सम्मेलन’ अहु वर्ष जनकपुर मे काल्हि ८ मार्च शनि दिन बड़ी धूमधाम सँ मनायल गेल । आयोजक मिथिला नाट्कला परिषद् जनकपुर यानि मिनाप द्वारा आइ कतेको वर्ष सँ होली पाबनिक सुअवसर पर एहि तरहक आयोजन करैत एहि मे […]

हमहुँ गेबय फगुआ – अपन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा मोरंगक कटहरी मे होली मिलन समारोह

हमहुँ गेबय फगुआ – अपन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा मोरंगक कटहरी मे होली मिलन समारोह

८ मार्च २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! हिन्दू धर्मावलम्बीक महान पर्व होलीक अवसर अप्पन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा “हमहुँ गेबै फगुआ” कार्यक्रम श्री जनप्रिय उच्च माध्यमिक विद्यालय कटहरीक प्रांगण मे सम्पन्न भेल अछि। लगभग एक दशक सँ मैथिली-मिथिला लोकसंस्कृति, लोकभाषा एवं कलाकर्म केन्द्रित विभिन्न सांस्कृतिक अभियान मे सक्रिय महिला नेतृ वसुन्धरा झा अध्यक्ष रहलि आयोजक संस्था […]

सप्तरीक तिलाठी-कोइलाड़ी मे दहेज मुक्त मिथिला द्वारा बाल-बालिका वक्तृत्वकला प्रतियोगिता

सप्तरीक तिलाठी-कोइलाड़ी मे दहेज मुक्त मिथिला द्वारा बाल-बालिका वक्तृत्वकला प्रतियोगिता

तिलाठी, सप्तरी। ४ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि विक्रम संवत साल २०७६ फागुन २० गतेक दिन दहेज मुक्त मिथिला नेपाल केर संस्थापक अध्यक्षा श्रीमती करूणा झा केर प्रेरणा मे खुजल नव शाखा ‘तिलाठी कोईलाडी’क अध्यक्ष बबलु कुमार मिश्र, सचिव सुनिल कुमार मिश्र, कोषाध्यक्ष निराजन सिंह सहित अन्य सक्रिय सदस्य लोकनिक संलग्नता मे तिलाठी कोईलाडी गाउँपालिका […]

दहेज मुक्त मिथिला – दसम वर्ष मे दस कार्य पूरा करबाक संकल्प लेल आह्वान

दहेज मुक्त मिथिला – दसम वर्ष मे दस कार्य पूरा करबाक संकल्प लेल आह्वान

दसम वर्षक आरम्भ – दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ १० संकल्प   सर्वप्रथम एहि समूह मे सक्रिय समस्त सुसभ्य, सम्भ्रान्त, सौम्य, सुन्दर आ सज्जनवृन्द लोकनि, खासकय मिथिलानी समाजक कतेको जानल-मानल हस्ती लोकनि, अपने सब केँ प्रवीणक प्रणाम!   ३ मार्च २०२० – स्थापनाक ९म वर्षगाँठ बीतल। आब दसम वर्ष मे १० नव कार्य लेल सुझाव दी। […]