Home » Archives by category » News » Society

५ दिन भीतर नेपालक सब जिल्ला में भारत द्वारा देल गेल वैक्सीन केर वितरण हेत शुरू।
काठमांडु- सरकार भारत द्वारा उपलब्ध कराओल गेल खोप पांच दिन के अंदर जिल्ला के स्टोरेज हाउस तक पहुँचेबाक योजना बनेने अछि। खोप लगेबाक दिन एखन धरि निर्णय नहीं भ सकल अछि। “कानुनी, प्रशासनिक, आर्थिक और प्राविधिक प्रक्रिया पूरा करि खोप लगेबाक तयारी सम्पन्न भेल अछि”, स्वास्थ्यमंत्री हृदयेश त्रिपाठी कहलखिन, प्राथमिकता स्वास्थ्यकर्मी, सफाइकर्मी, एम्बुलेंस चालक, शव […]

कवि प्रणव नार्मदेय केँ श्रद्धांजलि अर्पित करबाक लेल दरभंगा में सभा
19 जनवरी 2021, मैथिली जिन्दाबाद!! कवि प्रणव नार्मदेय केर काल्हि भेल असामयिक निधन सँ आहत मैथिलीप्रेमी व साहित्य जगत द्वारा लगातार शोक संवेदना प्रकट कयल जा रहल अछि। एहि क्रम में लेखक रमेश द्वारा फेसबुक सँ देल गेल जानकारी निम्न अछि। *मैथिली सृजन, दरभंगा* आइ दिनांक 19 जनवरी 2021 केँ मैथिली सृजन, दरभंगा द्वारा मैथिलीक […]

जय मिथिला आर्ट के जिल्ला अधिकारी द्वारा भेल शुभारंभ।
||दरभंगा|| जिल्ला औद्योगिक नव परिवर्तन योजना के तहत मिथिला पेंटिंग पर आधारित सूक्ष्म एवं लघु उद्योग जय मिथिला आर्ट के शुक्र क सदर प्रखंड के वासुदेवपुर में जिलाधिकारी डॉ त्यागराजन एसएम द्वारा शुभारंभ भ गेल अछि। डीएम कार्य स्थल में जा क उद्योग केंद्र के निरीक्षण कैर संचालित अत्याधुनिक सिलाई मशीन एवं ओहि पर कएल […]

एनआरएनए केर आयोजन प्रवासी प्रवाह – 33म भाग मैथिली पर भव्यता सँ सम्पन्न
18 जनवरी 2021, मैथिली जिन्दाबाद!! प्रवासी प्रवाह केर 33म श्रृंखला में मैथिली कवि सम्मेलन गैर आवासीय नेपाली संघ केर भाषा, साहित्य, संस्कृति तथा सम्पदा प्रबन्धन समिति द्वारा ‘प्रवासी प्रवाह’ बहुचर्चित धारावाहिक कार्यक्रम केर 33म श्रृंखला में नेपालक दोसर सर्वाधिक बाजल जायवला राष्ट्रीय भाषा मैथिली पर केन्द्रित रहल। संघक संस्थापक अध्यक्ष डॉ उपेन्द्र महतो (रूस) केर […]

राष्ट्रीय जनगणना २०७८ मे मैथिली भाषी बढि-चढिकय लिखेता अपन मातृभाषाक नाम
विराटनगर, ७ जनवरी, २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!! विराटनगरक सर्वथा प्राचीन आ सक्रिय मैथिली भाषा-संस्कृति व मिथिला समाजक संस्था मैथिली सेवा समिति द्वारा नेपालक जनगणना २०७८ प्रति आवश्यक संज्ञान लैत जनगणना मे अपन भाषा लिखेबाक लेल आ संगहि साहित्य एवं कला-संस्कृति संरक्षण-संवर्धन लेल जनजागरण संग विचार-विमर्श कार्यक्रम शुरू कय देल गेल अछि। एहि क्रम मे काल्हि […]

विद्यापति समारोह अमेरिका २०२० केर आयोजन सफलतापूर्वक सम्पन्नः कार्यक्रमक सम्पूर्ण रिपोर्ट
२१ दिसम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! अमेरिका मे रहनिहार मैथिलीभाषी द्वारा विद्यापति स्मृति समारोह – चिरकाल धरि सन्दर्भ मे राखय योग्य सफल कार्यक्रम लेल मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ बधाई संग प्रस्तुत अछि सम्पूर्ण रिपोर्टः एन्टा – एसोसिएशन अफ नेपाली तराईयन इन अमेरिका – अमेरिका मे नेपालक तराईवासी लोकनिक संगठन द्वारा काल्हि २० दिसम्बर २०२० […]

एन्टा अमेरिका द्वारा विवाह पंचमी एवं महाकवि विद्यापतिक स्मृति समारोह क्रमशः आइ आ काल्हि
१९ दिसम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! एन्टा – एसोसिएशन अफ नेपाली तराईयन इन अमेरिका – अमेरिका मे नेपालक तराईवासी लोकनिक संगठन द्वारा आइ राम-जानकी विवाह पंचमीक सुअवसर नेपालक समय पौने ९ बजे सँ जूम मीटिंग केर मार्फत कार्यक्रम प्रस्तुत कयल जायत। तहिना काल्हि २० दिसम्बर २०२० केँ महाकवि कोकिल विद्यापतिक स्मृति पर्व समारोह मनाओल जायत। […]

मिथिलावासी दहेज प्रथा छोड़ि स्वेच्छाचारिताक धर्म निर्वाह करैत बेटा-बेटीक विवाह मे आगू
जुड़य सँ पहिने अपन नेत आ ईमानदारी चेक करब जरूरी शुभ समाचार ईहो अछि जे मिथिला समाज तेजी सँ दहेज मुक्त समाज बनि रहल अछि आर एहि अभियान केँ सेहो अधिकाधिक समर्थन समाज द्वारा देल जा रहल अछि। एकर ताजा उदाहरण थिक फेसबुक पर २०११ सँ संचालित ‘दहेज मुक्त मिथिला’ समूह। २०२० केर अन्त-अन्त […]

अभिनीत शांडिल्य द्वारा दहेज मुक्त विवाहक संकल्प कयल गेल पूरा
बधाई सन्देश – यशगान संवाद दहेज मुक्त मिथिला सँ जुड़ल सदस्य श्री अभिनीत शांडिल्य जीक विवाह ६ दिसम्बर २०२० केँ पूर्ण दहेज मुक्त सम्पन्न भेलनि। विदित हो जे २०११ सँ दहेज मुक्त मिथिला समूह मे जुड़ि संकल्प लेने छलाह जेकरा पूर्ति कयलनि आ कहलनि जे हम अपन सासुर पक्ष केँ बरियातियो के स्वागत मे कोनो […]

विराटनगर मे मिथिला भवन व गायत्री मन्दिर निर्माणार्थ भूमि पूजन कयल गेल
४ दिसम्बर २०२० । विराटनगर । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली सेवा समिति विराटनगर द्वारा गायत्री मन्दिर एवं मिथिला सामुदायिक भवन निर्माण लेल भूमि पूजन कार्य काल्हि दिनांक ४ दिसम्बर २०२० केँ विराटनगर मे सम्पन्न भेल अछि। कोविड-१९ महामारी केर कारण सरकार द्वारा निर्धारित मापदंड अनुसार बिना कोनो विशेष भीड़भाड़ सिर्फ विराटनगर महानगरपालिका वार्ड संख्या १० […]